ढोरपाटन शिकार आरक्ष
ढोरपाटन शिकार आरक्ष | |
---|---|
रहल स्थान | नेपाल |
निर्देशाङ्क | २८°३८′२६″N ८२°५९′४०″E / २८.६४०५°N ८२.९९४५°Eनिर्देशाङ्क: २८°३८′२६″N ८२°५९′४०″E / २८.६४०५°N ८२.९९४५°E |
क्षेत्रफल | १,३२५ km2 |
स्थापना | सन् १९८७ |
सरकारी संस्था | राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय |
ढोरपाटन शिकार आरक्ष नेपालक एक मात्र शिकार आरक्ष छी । ई आरक्ष पश्चिम नेपालमे धौलागिरी हिमश्रृंखला भितर रुकुम, म्याग्दि आर बाग्लुङ करि तीन जिलामे पसरल अछि, जेकर क्षेत्रफल १,३२५ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । ढोरपाटन शिकार आरक्ष बि.सं. २०४० (सन १९८३)मे स्थापित भेल आर एकर बि.सं. २०४४ (सन १९८७)मे मात्र सरकारी मान्यता प्राप्त करलक । एकर उत्तरी सिमामे पुथा, चुरेन आर गुर्जा हिमालसभ रहल अछि । ई आरक्ष समुन्द्री सतहसँ २,८५० मिटर(९,३५० फिट) सँ ५,५०० मिटर(१८,००० फिट) उचाईमे अवस्थित अछि ।
हावापानी
[सम्पादन करी]ढोरपाटन शिकार आरक्ष क्षेत्रमे आश्विन महिनाक शुरुवात तक वर्षात मौसम रहैत अछि । एत हिउँद मौसममे दिनक तापक्रम न्युन रहि तथा जोडसँ हावा चलैत रहैत अछि । उपरक भागमे भोरक समयमे बादल तथा कुहेससँ झापल रहैत अछि लेकिन बादमे हावा बहि बादलसभ हइट गेलाक बाद मौसम सफा भ जाएत अछि । माघ तथा फाल्गुण महिना दिस एही क्षेत्रक निचला भाग तक हिउँ परैत अछि लेकिन ई जल्दी पघैल जाएत अछि ।
वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ
[सम्पादन करी]ढोरपाटन शिकार आरक्षमे गोब्रे सल्ला,सल्ला, भोजपत्र, लाली गुराँस, ठिँग्रे सल्ला, सिंदूर, धुपी तथा देबदारु लगायतक वनस्पतिसभ पावल जाएत अछि । अधिक मात्रामे जैविक सम्पदाक खानी मानल ढोरपाटन क्षेत्रमे १ सय ८५ किसिमक दुर्लभ वनस्पति उच्च पहाडी सिमसार क्षेत्रमे ३२ जाइतक स्तनधारी वन्यजन्तु, १ सय ३० प्रजातीक चिरइ चुनमुनच ८ सय ५२ नाउर, २ सय झारल, हिउँ चितुवा, चित्तल, थारल, घोरल, भालु, बँदेल, लंगुर लगायतक जंगली जानवर आर पंक्षीसभ रहल अछि ।
सन्दर्भ सामाग्रीसभ
[सम्पादन करी]ढोरपाटन शिकार आरक्ष सङ्ग्रहित २०११-०१-१६ वेब्याक मेसिन नेपाल सरकार वन तथा भु-संरक्षण मन्त्रालय, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग