विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/प्रदेश नं. २

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

प्रदेश नं. २[सम्पादन करी]

कंकालिनी मन्दिर

प्रदेश नं. २ नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे कोशी प्रदेश, उत्तर दिशामे कोशी प्रदेशबागमती प्रदेश, पश्चिम दिशामे बागमती प्रदेश आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि । पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरीनेपाली बजैत अछि । धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जनाल जाएत अछि । प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी । ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: १२७८, अक्षर: ६९४, स्पेस: २२७
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) १५:३५, ३१ मई २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २१:५८, ३१ मई २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]