प्रदेश नं. २
प्रदेश नं. २ Province No. 2 | |
---|---|
प्रदेश | |
घडीक दिशामे शीर्ष सँ जानकी मन्दिर, कंकालिनी मन्दिर, नेपालक प्रवेशद्वारा वीरगञ्ज, छिन्नमस्ता मन्दिर, गढीमाई मन्दिर आ कोशी बाँध | |
![]() नेपालमे प्रदेश नं. २ कऽ अवस्थिति | |
![]() प्रदेश नं. २ कऽ नक्सा | |
राष्ट्र | ![]() |
स्थापना | २० सितम्बर २०१५ |
राजधानी | जनकपुर (आस्थायी) |
पैग शहर | वीरगञ्ज |
जिला | ८ |
सरकार | |
• अङ्ग | प्रदेश नं. २ कऽ सरकार |
• राज्यपाल | तिलक परियार[१] |
• मुख्यमन्त्री | मोहम्मद लालबाबु राउत (ससफो) |
• उच्च अदालत | जनकपुर उच्च अदालत |
• प्रदेश सभा | एकसदनीय (१०७ सिट) |
• संसदीय निर्वाचन क्षेत्र | ३२ |
क्षेत्रफल | |
• सम्पूर्ण | ९६६१ किमी२ (३७३० वर्गमाइल) |
क्षेत्र क्रम | ७अम |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• सम्पूर्ण | ५४,०४,१४५ |
• क्रम | दोसर |
• घनत्व | ५६०/किमी२ (१४००/वर्ग माइल) |
• घनत्व क्रम | प्रथम |
मूलवासी नाम | मिथिला |
समय क्षेत्र | नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५) |
आधिकारिक भाषासभ | मैथिली, भोजपुरी आ नेपाली |
अन्य भाषासभ | बज्जिका, थारु आ उर्दु |
एचडिआई | ०.४८५ (न्यून) |
साक्षरता | ४९.५४% |
लैङ्गिक अनुपात | १०१.१८ ♂ /१०० ♀ (२०११) |
प्रदेश नं. २ नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ[२] क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे प्रदेश नं. १, उत्तर दिशामे प्रदेश नं. १ आ प्रदेश नं. ३, पश्चिम दिशामे प्रदेश नं. ३ आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी२ (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि ।[३]
पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरी आ नेपाली बजैत अछि ।[३]धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जानल जाएत अछि ।[४][५] प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल ।[४]
नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी ।[६][७][८] ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि ।[९][१०][११][१२][१३][१४]
सन् २०१८ जनवरी १७ मे भेल नेपालक मन्त्रीपरिषदक बैठकक निर्णयानुसार ई प्रदेशमे अवस्थित जनकपुरकें अन्तरिम राजधानी घोषित कएल गेल अछि ।[१५] सन् २०१८ मे सम्पन्न प्रदेश सभा निर्वाचनक परिणामस्वरूप ससफोक संसदीय नेता मोहम्मद लालबाबु राउत प्रदेशक वर्तमान मुख्यमन्त्री छी ।[१६][१७] ई प्रदेशक नाम मधेश या मिथिला या भोजपुरा रखवाक प्रस्ताव कएल गेल अछि मुदा अखन सहमति नै भऽ सकल अछि ।[१८]
भूगोल
ई प्रदेश निम्नलिखित क्षेत्र सँ घेरल अछि:[१९]
- पूर्वमे सुनसरी जिला, प्रदेश नं. १
- पश्चिममे चितवन जिला, प्रदेश नं. ३
- उत्तरमे मकवानपुर जिला, सिन्धुली जिला, प्रदेश नं. ३ आ उदयपुर जिला, प्रदेश नं. १
- दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा ।
नेपालक केन्द्रीय तथ्याङ्क विभागक अनुसार ई प्रदेश नेपालक कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ किमी२ (५६,८२७ वर्ग माइल)[२०]मे सँ ९,६६१ किमी२ (३,७३० वर्ग माइल) भाग ओकटने अछि । ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल प्रदेश बनौने अछि ।[२][२१]
प्रदेश नं. २ कऽ सम्पूर्ण क्षेत्रफल समथर जमीन अछि आ जकरा तराई कहल जाएत अछि । ई प्रदेशक उत्तरी भागमे रहल नेपालक भित्री उपत्यका या शिवालिक पहाड़ एकर प्राकृतिक सीमारेखा छी । दक्षिणी भागमे ई भारतीय राज्य बिहार सँ जुड़ल अछि । पूर्वी भागमे अवस्थित कोशी नदी एकर प्रदेश नं. १ सँ प्राकृतिक सीमाक काज करैत अछि । सामानान्तर रूप सँ प्रदेश नं. २ मे आठ जिलासभ अवस्थित अछि । ई प्रदेशक मुख्य नदीसभ बागमती नदी, कमला नदी, लाखनदेई नदी, विष्णुमति नदी छी ।
मौसम
स्थान | अगस्त
(°फे) |
अगस्त
(°से) |
जनवरी
(°फे) |
जनवरी
(°से) |
वार्षिक
वर्षा (मिमी/इन्च) |
---|---|---|---|---|---|
गौर | ९१/७७.९ | २३/९.१ | ७३.४/४८.४ | ३२.८/२५.५ | १५९०.२/६२.६ |
सिराहा | ८९.६/७६.३ | ३२/२४.६ | ७२.१/४७.३ | २२.३/८.५ | १२९३.१/५०.९ |
वीरगञ्ज | ८४.७ | २९.३ | ६०.८ | १६ | १८६२.२/७३.३ |
जलेश्वर | ८४.४ | २९.१ | ६१.२ | १६.२ | १४९२.९/५८.८ |
मलङ्वा | ८४.४ | २९.१ | ६०.८ | १६ | १८१७.७/७१.६ |
जनकपुर | ८४.२ | २९ | ६०.८ | १६ | १५१६.५/५९.७ |
राजविराज | ८३.३ | २८.५ | ६०.४ | १५.८ | १२२३.३/४८.२ |
लाहान | ८३.३ | २८.५ | ६०.३ | १५.७ | १२३१.४/४८.५ |
सरकार आ प्रशासन
प्रादेशिक सरकारक प्रमुखक रूपमे मुख्यमन्त्री आ प्रदेशक मुख्यक रूपमे राज्यपाल काज करैत अछि । न्यायलयक मुख्य व्यक्तिक रूपमे जनकपुर उच्च अदालतक मुख्य न्यायधिश रहैत अछि ।[२३] प्रदेश नं. २ कऽ वर्तमान राज्यपाल, मुख्यमन्त्री आ मुख्य न्यायधिश क्रमश: रत्नेश्वर लाल कायस्थ, मोहम्मद लालबाबु राउत आ उदय प्रकाश चापागाईं छथि ।[२४][२५] ई प्रदेशमे १०७ प्रदेश सभा निर्वाचन क्षेत्र आ ३२ प्रतिनिधि सभा निर्वाचन क्षेत्र अछि ।[२६]
नेपालक अन्य प्रदेश जका प्रदेश नं. २ मे सेहो एकसदनीय विधान सभा अछि । प्रदेश सभाक कार्यकाल ५ वर्ष कायम कएल गेल अछि । प्रदेश नं. २ कऽ विधान सभा अखन अस्थायी रूप सँ जनकपुरक जिला शिक्षा कार्यलयमे राखल गेल अछि ।[२७]
प्रशासनिक उपविभाग
प्रदेश नं. २ कें आठ जिलामे विभाजित कएल गेल अछि । एक जिलाकें जिला समन्वय समितिक मुख्य आ जिला प्रशासनिक अधिकारीद्वारा शासित कएल जाएत अछि । सम्पर्ण जिलाकें दुई स्थानीय तह नगरपालिका आ गाउँपालिकामे विभाजित कएल गेल अछि । ई प्रदेशमे कूल १ महानगरपालिका, ३ उपमहानगरपालिका, ७३ नगरपालिका आ ५९ गाउँपालिका अछि ।[२८]
जिलासभक सूची
# | जिलाक नाम | अङ्ग्रेजी | मुख्यालय | जनसङ्ख्या (२०११) | क्षेत्रफल | वेबसाइट |
---|---|---|---|---|---|---|
१ | सप्तरी जिला | Saptari District | राजविराज | ६,३९,२८४ | १,३६३ किमी२ | [१] |
२ | पर्सा जिला | Parsa District | वीरगञ्ज | ६,०१,०१७ | १,३५३ किमी२ | [२] |
३ | सर्लाही जिला | Sarlahi District | मलङ्वा | ७,६९,७२९ | १,२५९ किमी२ | [३] |
४ | बारा जिला | Bara District | कलैया | ६,८७,७०८ | १,१९० किमी२ | [४] |
५ | सिराहा जिला | Siraha District | सिराहा | ६,३७,३२८ | १,१८८ किमी२ | [५] |
६ | धनुषा जिला | Dhanusha District | जनकपुर | ७,५४,७७७ | १,१८० किमी२ | [६] |
७ | रौतहट जिला | Rautahat District | गौर | ६,८६,७२२ | १,१२६ किमी२ | [७] |
८ | महोत्तरी जिला | Mahottari District | जलेश्वर | ६,२७,५८० | १,००२ किमी२ | [८] |
मुख्य शहरसभ
क्रम | जिला | जनसङ्ख्या | क्रम | नाम | जिला | जनसङ्ख्या | |||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
![]() वीरगञ्ज ![]() जनकपुर |
१ | वीरगञ्ज | पर्सा | २,४०,९२२ | ११ | बर्दिवास | महोत्तरी | ६६,३५४ | ![]() कलैया ![]() जीतपुर सिमरा |
२ | जनकपुर | धनुषा | १,५९,४६८ | १२ | ईश्वरपुर | सर्लाही | ५९,९८६ | ||
३ | कलैया | बारा | १,२३,६५९ | १३ | लालबन्दी | सर्लाही | ५९,३९५ | ||
४ | जीतपुर सिमरा | बारा | १,१७,४९६ | १४ | जलेश्वर | महोत्तरी | ५८,५४९ | ||
५ | लहान | सिराहा | ९१,७६६ | १५ | महागढीमाई | बारा | ५४,४७४ | ||
६ | सिराहा | सिराहा | ८२,५३१ | १६ | गोलबजार | सिराहा | ५१,१३७ | ||
७ | चन्द्रपुर | रौतहट | ७२,०५९ | १७ | गरुडा | रौतहट | ५०,४८१ | ||
८ | बरहथवा | सर्लाही | ६९,८२२ | १८ | मिर्चैया | सिराहा | ५०,०७९ | ||
९ | राजविराज | सप्तरी | ६९,०८६ | १९ | सिम्रौनगढ | बारा | ४९,९३९ | ||
१० | गौशाला | महोत्तरी | ६६,६७३ | २० | मनारा सिस्वा | महोत्तरी | ४९,६९२ |
भाषा आ धर्म
यातायात
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "Who is who: These are new governors of Nepal's seven provinces – OnlineKhabar" (en-GBमे), अभिगमन तिथि २०१९-११-१५।
- ↑ २.० २.१ Law, G. (२०१५), "Provinces of Nepal", statoids.com, अभिगमन तिथि २३ फरबरी २०१८।
- ↑ ३.० ३.१ "National Population and Housing Census 2011", Central Bureau of Statistics, अभिगमन तिथि १ मार्च २०१४।
- ↑ ४.० ४.१ Burghart, R. (1978). The disappearance and reappearance of Janakpur. Kailash: A Journal of Himalayan Studies 6 (4): 257–284.
- ↑ Rastriya Samachar Samiti (2004). "More Indian tourists visit Janakpurdham". Himalayan Times, 17 January 2004.
- ↑ "राजविराज नगरपालिका", विकिपिडिया (नेपालीमे), २०१७-१०-०६।
- ↑ "राजविराज नगरपालिका, नगर कार्यपालिकाकाे कार्यालय | प्रदेश नं. २, नेपाल सरकार", www.rajbirajmun.gov.np (नेपालीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०३-०३।
- ↑ "Rajbiraj revisited − Nepali Times", nepalitimes.com, अभिगमन तिथि २०१८-०३-०३।
- ↑ "Birgunj Metropolitan City official Website", birgunjmun.gov.np।
- ↑ "Biratnagar, Birgunj promoted to Metropolitan Cities", The Himalayan Times, २०१७, अभिगमन तिथि २५ जून २०१७।
- ↑ "Possible headquarters of states", onlinekhabar.com।
- ↑ "Where will Province Chief live?", Naya Patrika Nepal's National News।
- ↑ "Possible Province headquarters", BroadNepal News Bnn।
- ↑ "कुन प्रदेशको राजधानी कहाँ ?", Himalayan Kangaroo।
- ↑ "Places proposed for temporary capitals of all seven provinces - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition", News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (en-USमे), २०१८-०१-०२, अभिगमन तिथि २०१८-०३-०३।
- ↑ "Raut appointed Chief Minister of province-2 - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition", News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (en-USमे), २०१८-०२-१४, अभिगमन तिथि २०१८-०३-१३।
- ↑ "Lalbabu Raut to be sworn in Province 2 CM today", The Himalayan Times (en-USमे), २०१८-०२-१४, अभिगमन तिथि २०१८-०३-१३।
- ↑ Yadav, S. (२०१८), "Province 2 struggles to reach consensus on its name", Nepal Republic Media Pvt. Ltd, अभिगमन तिथि २९ मार्च २०१८।
- ↑ "Big 3 draw new 7-province map", Republica, २२ Aug २०१५, अभिगमन तिथि २६ जून २०१७।
- ↑ "Statistical Year Book 2015 by CBS Nepal", Central Bureau of Statistics(CBS), अभिगमन तिथि २६ जून २०१७।
- ↑ "The population of the provinces of Nepal according to census results and latest official projections.", City Population, २९ Dec २०१५, अभिगमन तिथि २६ जून २०१७।
- ↑ "Nepal Travel Weather Averages (Weatherbase)", Weatherbase, अभिगमन तिथि २०१८-०४-२८।
- ↑ "High Courts get their chief judges" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
- ↑ "Lalbabu Raut appointed as Chief Minister of Province-2", My Republica (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
- ↑ "President of Nepal administers oath to Chiefs of seven provinces | DD News", ddnews.gov.in (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
- ↑ "CDC creates 495 constituencies", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१७-०८-३१, अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
- ↑ "First Provincial Assembly meeting begins in 4 provinces" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
- ↑ "स्थानिय तह", 103.69.124.141, अभिगमन तिथि २०१८-०४-२७।
बाह्य जडीसभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास प्रदेश नं. २सँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |