कुम्भलगढ किला
कुम्भलगढ किला
Kumbhalgarh Fort कुम्भलमेर, कुम्बलगढ | |
---|---|
![]() कुम्भलगढक दीवार | |
देश | ![]() |
राज्य | राजस्थान |
जिला | राजसमन्द |
उन्नतांश | ११०० मिटर (३६०० फिट) |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
सवारी दर्ता | RJ 30 |
वेबसाइट | kumbhalgarh.com |
राजस्थानक पहाडी किलासभ | |
---|---|
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम | |
प्रकार | सांस्कृतिक |
मापदण्ड | ii, iii |
सन्दर्भ | २४७ |
युनेस्को क्षेत्र | दक्षिण एसिया |
सूचीकृत इतिहास | |
सूचीकृत | २०१३ (३६अम शत्र) |
कुम्भलगढ किला राजस्थान मात्र नै भारतक सभ किलामे विशिष्ठ स्थान राखैत अछि । उदयपुर सँ ७० किमी दूर समुद्र सतह सँ १,०८७ मीटर उँच आ ३० किमी व्यासमे फैलल ई किला मेवाडक यशश्वी महाराणा कुम्भाक सूझबूझ व प्रतिभाक अनुपम स्मारक छी । ई किलाक निर्माण सम्राट अशोकक द्वितीय पुत्र सम्प्रतिक बनाएल किलाक अवशेषसभ पर सन् १४४३ सँ शुरू भ १५ वर्षके बाद सन् १४५८ मे पूरा भेल छल । किलाक निर्माण कार्य पूर्ण भेला पर महाराणा कुम्भा सिक्का डलबेनाए छल जहि पर किला आ ओकर नाम अङ्कित छल । वास्तुशास्त्रक नियमानुसार बनल ई किलामे प्रवेश द्वार, प्राचीर, जलाशय, बाहर जाएक लेल सङ्कटकालीन द्वार, महल, मन्दिर, आवासीय इमारतसभ, यज्ञ वेदी, स्तम्भ, शीर्षसभ आदि बनल अछि ।[१][२]

परिचय
[सम्पादन करी]ई किला राजस्थानक राजसमन्द जिलामे स्थित अछि । ई दुर्गक निर्माण महाराणा कुम्भा करेनाए छल । ई किलाके 'अजेयगढ' कहल जाएत अछि कियाकी ई किलापर विजय प्राप्त करनाए दुष्कर कार्य छल । एकर चारो दिस एक बड्का दीवार बनल अछि जे चीनक दीवारक बाद दोसर सब सँ बड्का दीवार छी ।[३][४]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Asawa 2004, pp. 2-3
- ↑ "The Fantastic 5 Forts: Rajasthan Is Home to Some Beautiful Forts, Here Are Some Must-See Heritage Structures", DNA : Daily News & Analysis, २८ जनवरी २०१४, मूलसँ २४ सितम्बर २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ जुलाई २०१५ – High Beamद्वारा, (नामलेखन बाँकी (help))।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता);|subscription=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Verma, Amrit. Forts of India. New Delhi: The Director, Publication Division, Ministry of Information and Broadcasting, Government of India. pp. 30–31. आइएसबिएन 81-230-1002-8.
- ↑ "View from the clouds", The Hindu, ७ मई २००६, अन्तिम पहुँच ४ जून २०१५।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]![]() |
विकिमिडिया कमन्समे कुम्भलगढ किलासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
कुम्भलगढ किला विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी
- http://www.kuriositas.com/2012/08/greatwallofindia.html
- http://www.kumbhalgarh.in/