राजा भोज अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
राजा भोज अन्तराष्ट्रिय विमानस्थल
Raja Bhoj International Airport
नव विमानस्थल
Summary
Airport typeसार्वजनिक
Ownerमध्य प्रदेश सरकार
Operatorभारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण
Servesभोपाल, सिहोर, नर्मदापुरम, मध्यप्रदेश
Locationराष्ट्रिय राजमार्ग १२ पर भोपाल शहरसँ उत्तर-पश्चिम १५ किमी (९.३ माइल) दूर गान्धी नगर क्षेत्रमे।
Elevation AMSL१,७१९ ft / ५२४ m
Websiteindiaairport.com/airports/bhopal/
Map
BHO मध्य प्रदेशपर अवस्थित
BHO
BHO
विमानक्षेत्रक स्थिति
BHO भारतपर अवस्थित
BHO
BHO
विमानक्षेत्रक स्थिति
Runways
Direction लम्बाई सतह
फिट मी
०६/२४ ३,४२० १,०४२ अस्फाल्ट
१२/३० ९,०२२ २,७५० अस्फाल्ट
Statistics (२०१४)
यात्री आवागमन९८५,२८४वृद्धि३.२%
विमान आवागमन७५३७वृद्धि७.८%
माल भार७२४वृद्धि११.१%

राजा भोज विमानस्थल (भोपाल विमानस्थल) (IATA: BHO, ICAO: VABP) भारतमे मध्य प्रदेशक राजधानी भोपालमे स्थित अछि। ई नागरिक विमानस्थल अछि। ई राजधानी भोपालक हवाई सेवा प्रदान करऽ वला प्राथमिक हवाई अड्डा छी। ई हवाई अड्डा शहरक गान्धीनगर क्षेत्रमे मुख्य शहरक केन्द्रसँ लगभग १५ किलोमिटर (९.३ माइल) उत्तर-पश्चिमी छोर पर अवस्थित अछि। ई विमानस्थल राष्ट्रिय राजमार्ग १२ पर अवस्थित अछि। ई राज्यक दोसर व्यस्ततम हवाई अड्डा छी, जहिमे सबसँ व्यस्त देवी अहिल्याबाई होल्कर विमानस्थल, इन्दौरमे अछि। भोपाल हवाई अड्डाक नाम दशम् शताब्दीक प्रसिद्ध परमार वंशक राजा भोजक नाम पर राखल गेल अछि। एहि राजा भोजक नाम पर राजधानी भोपालक नाम सेहो भोजपालसँ बिगड़ि भोपाल भऽ गेल अछि।

ई गान्धीनगरमे अवस्थित अछि आ ई शहरक केन्द्रमे भोपाल जङ्क्सन रेलवे स्टेशनसँ १५ किलोमिटर (९.३ माइल) दूर, आ शहरक दक्षिणमे रानी कमलापति रेलवे स्टेसनसँ २० किलोमिटर (१२ माइल) दूर अवस्थित अछि। ई विमानस्थल राष्ट्रिय राजमार्ग ४६ (जे भोपाल शहरकेँ चारो कात एकटा घेरम्मा सड़क बनबैत अछि) आ भोपालकेँ इन्दौरसँ जोड़ऽवला राज्य राजमार्ग १८ कऽ चौराहा पर अछि।

अपार सम्भावनाक बादो साँची, भिमबेटका चट्टान आश्रयभोजपुर जका युनेस्कोक विश्व धरोहर स्थल तथा राष्ट्रिय उद्यानक उपस्थिति, राज्य सरकारक अज्ञानता, बारम्बार एहि ठामक प्रचार प्रसार प्रदान करबामे असफलता, वाणिज्यिक आ आर्थिक रूपसँ राजधानीकेँ नोकसान पहुँचा रहल अछि। वित्तीय वर्ष २०२२-२३ मे भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण एहि विमानस्थलसँ ४७.१९ करोड़ केर घाटा दर्ज केनए छल, जे कि खराब उड़ान परिचालन आ उच्च परिचालन लागतक कारण भेल छल।

विकास[सम्पादन करी]

एकीकृत टर्मिनल[सम्पादन करी]

१.३५ अरब भारतीय रुपयाक एकीकृत टर्मिनल भवनक उद्घाटन सन् २०११ जुन २८ मे तत्कालीन भारत सरकारक केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मन्त्री व्यालार रविद्वारा कएल गेल छल। राज्य सरकार अन्तर्राष्ट्रिय टर्मिनल निर्माणक लेल ४०० एकड़ जमीन देनए छल। टर्मिनल भवन २६,९३६ वर्ग मिटर (२८९,९४० वर्ग फिट) कऽ क्षेत्रमे बनल अछि आ एहिमे १४ चेक-इन काउन्टर, प्रस्थानक लेल ४ आप्रवासन काउन्टर, आ आगमनक लेल ६ आप्रवासन काउन्टर अछि।[२]

एकर अतिरिक्त दूटा कस्टम काउन्टर सेहो अछि, जाहिमे आगमनक लेल ११ आ प्रस्थानक लेल ११, आ सुरक्षाक लेल छह एक्स-रे मसिन अछि। आब ई टर्मिनलमे भोजनालय आ किछ खुदरा स्टोर सेहो अछि, जे विमानस्थल प्राधिकरणक भागक रूपमे विकसित कएल गेल छल जे भारतक (एएआई) योजनाक मुख्य रियायतकर्ता अछि। टर्मिनल ४ एयरोब्रिजसँ जुड़ल अछि।

धावन मार्ग[सम्पादन करी]

सन् २०१० मे, धावन मार्गक लम्बाई २,७४४ मिटर (९,००३ फिट) धरि बढल छल, जे कि भोपालमे पैघ विमानसभक लेल अवतरण केनाए सम्भव बनौलक। सन् २०१० अक्टुबर २३ केँ हज यात्री सभक लेल भोपालसँ पहिने सीधा मौसमी अन्तर्राष्ट्रिय उड़ान जेद्दाहक लेल कएल गेल छल।

नवीकरणीय उर्जा[सम्पादन करी]

सन् २०१३ मे, ई विमानस्थल अपन उपयोगिता ग्रिड प्रणालीकेँ चलाबैक लेल सौर्य उर्जाक उपयोग करऽ वला राज्यक पहिल विमानस्थल बनल। एक १०० किलोवाट सौर्य उर्जा संयन्त्र सन् २०१३ जुनमे परिचालन कएल गेल छल, सङ्गहि भविष्यमे विमानस्थल पर २ मेगावाट सौर्य उर्जा संयन्त्र स्थापित करबाक योजना अछि।[३] [४]विमानस्थलमे रात्रि अवतरण सुविधा, एक उपकरण अवतरण प्रणाली (आइएलएस) आ क्याट सातम (CAT VII) अग्नि सेवा उपलब्ध अछि।

ढुवानी आ रसद केन्द्र[सम्पादन करी]

एक नव विमान ढुवानी केन्द्रक योजना बनाओल जा रहल अछि जाहिमे १७ एकड़ जमीनक मञ्जुरी देल गेल अछि। एखन धरि, पुरान टर्मिनल भवनकेँ एक विमान ढुवानी परिसरमे पुनर्विकास कएल जा रहल अछि, जाहिसँ राजधानीक विमानस्थलसँ विमान ढुवानी परिचालन बढ़त। अस्थायी विमान ढुवानी परिसर सन् २०१९ अक्टुबरधरि उद्घाटन कएल जाएत।[५]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "TRAFFIC STATISTICS – DOMESTIC & INTERNATIONAL PASSENGERS"। aai.aero। मूल (jsp)सँ 3 जनवरी 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 31 December 2014
  2. "Bhopal to get air cargo services within a month"Latest Indian news, Top Breaking headlines, Today Headlines, Top Stories at Free Press Journal (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-11-14
  3. Sukumaran, Sreenath; Sudhakar, K. (2017)। "Fully solar powered Raja Bhoj International Airport: A feasibility study"। Resource-Efficient Technologies। National Research Tomsk Polytechnic University। 3 (3): 309–316। doi:10.1016/j.reffit.2017.02.001ISSN 2405-6537
  4. "Raja Bhoj airport all set to use solar energy"Hindustan Times। 20 June 2013। अन्तिम पहुँच 19 November 2023
  5. "Bhopal to get air cargo services within a month"Latest Indian news, Top Breaking headlines, Today Headlines, Top Stories at Free Press Journal (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-11-14

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]