विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/मकवानपुर जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मकवानपुर जिला[सम्पादन करी]

मकवानपुर जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक नारायणी अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी । ई जिलाके मेची -महाकाली अञ्चलके राजधानीसँ सम्बन्ध स्थापित करैवला जिलाक रूपमे जानल जाइत अछि । उत्तरदिस करिब ६६ किलोमिटर लम्बा महाभारत श्रृङ्खला आ दक्षिणदिस करिब ९२ किलोमिटर लम्बा चुरे पर्वत (सिवालिक पहाड)क कोखमे ई जिला अवस्थित अछि। राजधानी प्रवेशक मुख्य मार्गक रूपमे परिचित ई जिला राजधानी काठमाडौं आ ऐतिहासिक जिला ललितपुरसँ सीमाबद्ध भऽ रहल अछि। त्रिभुवन राजपथमहेन्द्र राजमार्गक निर्माण भेलाक बाद ई जिला भऽ देशक पूर्व तथा पश्चिम आवागमन अत्यन्त सहज भेल अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडासँ फाखेल-हुमानेभञ्ज्याङ्ग-फर्पिङ्ग होइत कम समयमे काठमाडौं पहुँचै लेल वैकल्पिक मार्ग सेहो निर्माण भेल अछि। ई जिला देशक तेसर बड्का औद्योगिक जिलामे पडैत अछि। एतय बहुतरास प्राकृतिक मनोरम स्थलसभ रहल अछि। शान्त शीतल वातावरण जे किनको मन जित सकैत अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जपर्सा वन्यजन्तु आरक्ष सहो एहि जिलाक किछ भू-भाग ओगटने अछि। (पूरा लेख...)

मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — बिप्लब आनन्द (वार्ता) १२:२६, ३० जुन २०१७ (NPT)
समुदायक मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द (वार्ता) २२:२०, ३० जुन २०१७ (NPT)

समर्थन[सम्पादन करी]

असमर्थन[सम्पादन करी]

टिप्पणी[सम्पादन करी]