सिआइडी (धारावाहिक)
सीआईडी (धारावाहिक) CID | |
---|---|
शैली | |
निर्माणकर्ता | बी.पीसिंह |
कार्यकारी निर्देशक(सभ) | क्रिस्टाबेले डिसूजा |
मुख्य कलाकार | नीचा देखी |
उत्पति देश | भारत |
मूल भाषा(सभ) | हिन्दी |
सत्रसभक स. | १ |
भाग स. | १,४९४ (फरवरी ४ , २०१८ सँ)[१] |
निर्माण | |
Producer(s) | |
स्थान(सभ) | मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत |
प्रसारण अवधि | ४०–४५ मिनट लगभग |
निर्माणकम्पनी(सभ) | फायरवर्क्स प्रोडक्सन्स |
वितरकसभ | सोनी पिक्चर्स नेटवर्कस |
प्रसारण | |
मूल नेटवर्क | सेट इन्डिया सेट एसिया |
तस्विर आकार | |
मूल प्रदर्शन | २१ जनवरी १९९८ | – वर्तमान
कालक्रम | |
सबन्धित कार्यक्रमसभ |
सीआईडी सोनी चैनल पर प्रसारित होमए वला हिन्दी भाषाक एकटा धारावाहिक छी, जकरा भारत के सभ सँ अधिक समय धरि चलए वाला धारावाहिक होयबाक श्रेय प्राप्त भेल अछि। अपराध आ जासूसी शैली पर आधारित अहि धारावाहिक मे शिवाजी साटम, दयानन्द शेट्टी आ आदित्य श्रीवास्तव मुख्य भूमिका केरि निर्वाह क' रहल अछि। एकर सर्जक, निर्देशक आ लेखक बृजेन्द्र पाल सिंह अछि। एकर निर्माण फायरवर्क्स नामक कम्पनी केने अछि जकर संस्थापक बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर थीक।
२१ जनवरी १९९८ सँ शुरु भऽ ई धारावाहिक अखन धरि लगातार चलि रहल अछि। एकर प्रसारण प्रत्येक शनिवार आ रविवार के राति १० बजे होएत अछि। एकर पुनः प्रसारण सोनी पल चैनल पर राति ९ बजे होएत अछि जाहि मे एकर पुरान प्रकरण दिखाओल जाइत अछि। ई धारावाहिक २१ जनवरी २०१८ मे अपन प्रसारणक २० वर्ष पूर्ण केलक आ २१म वर्ष मे प्रवेश केलक। एही सँ पहिने, २७ सितम्बर २०१३ मे ई धारावाहिक अपन १०००हम एपिसोड पूर्ण केलक। अहि धारावाहिक के अनेकौं आन भाषा सभ मे सेहो भाषान्तरित कएल गेल अछि।
कहानी
[सम्पादन करी]ई धारावाहिक के जासूसी कहानीसभ मुम्बई अपराध अनुसन्धान विभाग द्वारा आपराधिक मामलासभक गुत्थी सुलझावे सँ सम्बन्धित अछि। एकर सञ्चालन एसीपी प्रद्युम्न (शिवाजी साटम) करैत अछि, जे अपन दायित्व के कारण अपन अपराधी पुत्र नकुल (राहील आजम) के गोली मारि दैत अछि। वरिष्ठ निरीक्षक विरेन (आशुतोष गोवरिकर) के बच्चा के खेलैत समय एक व्यक्ति आग सँ आवे वाला गाडी सँ बचा लैत अछि जाहिमे बच्चा के तँ किछ नै होएत अछि, मुद्दा ओ व्यक्ति के चोट लगि जाइत अछि। विरेन ओकरा अपन घर लावि ओकरा दवाई लगावैत ओकर धन्यवाद करैत अछि। बाद मे विरेन के पता चलैत अछि कि जे व्यक्ति ओकर पुत्र के जान बचौने छल,ओ एकटा अपराधी छी। जहिना ओ व्यक्ति के पता चलि जाइत अछि कि ओकर राज खुलि गेल अछि, ओहिना ही ओ व्यक्ति विरेन के परिवार के अपन कब्जा मे लऽ लैत अछि। ओ विरेन सँ कहैत अछि कि यदि ओ सही सलामत कोनो दोसर शहर मे ओकरा नै लजाएल तँ ओ ओकर परिवार के मारि देत। विरेन मजबूरी मे ओकर बात मानि लैत अछि। मुद्दा बाद मे ओ एहन करनाए सही नै लगैत अछि आ ओ सभ बात सीआईडी के बता दैत अछि। ओ अपराधी के सहायता करवाक कारण ओ अपन आप के दोषी मानै लगैत अछि आ सीआईडी सँ बाहर जाए के सोचैत अछि। मुद्दा एसीपी प्रद्युम्न हुनका एहन कार्य करै सँ रोकि दैत अछि आ कोनो दोसर स्थान पर ओकर सरुवा करा दैत अछि।
एकर किछ दिनसभक बाद एक मामला के अन्वेषण करैत समय सीआईडी के गाडी सँ एक व्यक्ति मिलैत अछि। ओकर पहिचान पत्र सँ पता चलैत अछि कि ओ पुलिस मे काम करैत अछि आ ओकर नाम अभिजीत (आदित्य श्रीवास्तव) अछि मुद्दा ओ व्यक्ति के अपन नाम सेहो याद नै रहैत अछि। ओ सीआईडी के अनेकौं प्रकार सँ सहायता करैत अछि जेकर कारण एसीपी प्रद्युम्न हुनका सीआईडी सँ जुडि के लेल कहैत अछि। अभिजीत पहिने जुडि सँ मना करि दैत अछि मुद्दा बाद मे मान जाइत अछि। एकर बाद मे अभिजीत आ दया (दयानन्द शेट्टी) के दोस्ती भऽ जाइत अछि।
निर्माण
[सम्पादन करी]सीआईडी श्रृङ्खला के निर्माता बृजेन्द्र पाल सिंह अछि, जे वर्ष १९७३ मे दूरदर्शन पर समाचारसभक लेल क्यामेराम्यान के रूप मे लगभग दस वर्ष धरि कार्य केलक। एकर दौरान हुनका मन मे एक जासूसी धारावाहिक बनावे के विचार आएल।[२] ओ समय ई प्रकार के जासूसी के धारावाहिक नै बनैत छल आ हुनका पास ई प्रकार के धारावाहिक बनावे के कुनु ज्ञान सेहो नै छल। ओ दूरदर्शन सँ एकर बारे मे बात केलक आ साथ-साथ ओ अपन नव धारावाहिक के तैयारी मे सेहो लगल रहल। एकर दौरान ओ पुलिस के अपराध शाखा के दौरा करवाक लेल सेहो गेल। ओतय ओ किछ पुलिस अधिकारीसभक साथ बातचीत केलक आ हुनका द्वारा हल कएल गए मामला आ ओकर जासूसी के शैली के विषय मे सेहो बढिया सँ बुझलक्।[२] श्रीकान्त सिङ्कर द्वारा लिखित एक जासूसी उपन्यास सँ सेहो ओ प्रेरणा लेलक। एकर दौरान ओ एक रहस्यपूर्ण हत्या पर आधारित "सिर्फ चार दिन" नामक एक फिल्म सेहो बनौलक् जेकर प्रसारण दूरदर्शन पर भेल। दूरदर्शन के लेल ही ओ एक शून्य शून्य नामक एक धारावाहिक सेहो बनौलक् जे कुनु समय मे तेसर सर्वाधिक प्रसिद्ध कार्यक्रम रहल।[२] मराठी भाषा मे सेहो ओ अनेकौं कार्यक्रम बनौलक। फेर ओ एकटा आओर् जासूसी धारावाहिक शृङ्खला बनावेक कार्य शुरू करि देलक, जे बाद मे सी.आई.डी. के रूप मे आगा आएल।[२] सोनी च्यानल १९९४ मे प्रारम्भ भेल जखन आठ वर्ष पूर्व १९८६ मे ही सिंह सी.आई.डी. के छ एपिसोड बना चुकल छल। फेर जखन भारत मे स्याटेलाइट टेलिभिजन के आगमन भेल तँ सिंह ई धारावाहिक के लेल अनेकौं च्यानलसभसँ बात केलक, मुद्दा सोनी ई धारावाहिक मे अधिक रुचि देखौलक आ एकर प्रसारण के लेल सहमति द देलक। एकर बाद सिंह के केवल ई धारावाहिक के बनावे के लेल एकर पात्र आ एकर बनावेक स्थान चुनने छल।[२][३]
ओ सभसँ पहिने हिन्दी आ मराठी फिल्म अभिनेता शिवाजी साटम के एसीपी प्रद्युम्न के भूमिका के लेल चुनलक्[४] जे कि पहिने ही अनेकौं परियोजनासभमे हुनका साथ कार्य करि चुकल छल। सीआईडी के निर्माण दल के एक सदस्य सञ्जय शेट्टी दयानन्द शेट्टी के पात्रसभक चुनावमे हिस्सा लेवाक सुझाव देनए छल। सिंह हुनका सँ एतक प्रभावित भेल कि पाँच मिनट मे ही हुनका दया के भूमिका के लेल चुनि लेलक। हुनकर भूमिका लोगसभके बीच सभसँ लोकप्रिय अछि। आशुतोष गोवरिकर के वरिष्ठ निरीक्षक विरेन के भूमिका के लेल चुनल गेल मुद्दा अपन फिल्म लगान के निर्देशन के कारण हुनका ई धारावाहिक के छोडए पडल।[५] आदित्य श्रीवास्तव के १९९८ मे अपराधी के भूमिका मिलल छल, मुद्दा अखन हुनका वरिष्ठ निरीक्षक अभिजीत के भूमिका द देल गेल। आदित्य राम गोपाल वर्मा के फिल्म सत्या मे सेहो अभिनय केनए छल जाहिसँ सिंह बड प्रभावित छल। प्रारम्भ मे ओ केवल २६ एपिसोड के लेल सीआईडी मे काम करवाक लेल सहमत भेल छल मुद्दा बाद मे आगा सेहो कार्य करवाक लेल मानि गेल।[४] वे २३ जुलाई १९९९ के पहिल बेर वरिष्ठ निरीक्षक अभिजीत के भूमिका मे देखाइ देनए छल। अन्य सभ भूमिकासभक सेहो एही प्रकार सँ चुनल गेल छल। शिवाजी साटम, दयानन्द शेट्टी आ आदित्य श्रीवास्तव के बाहेक अन्य सभ भूमिका आवैत जाएत रहैत अछि।[४][३]
ई धारावाहिक के पन्द्रहम वर्ष पूरा होए के बाद फोर्ब्स पत्रिका के साथ भेल साक्षात्कार मे सिंह बतौलक् कि प्रारम्भ मे हर एपिसोड पर लगभग २ लाख रुपैया खर्च होएत छल, जे कि पन्द्रहम् वर्ष के दौरान बढि के ₹५ लाख भऽ गेल अछि।[५]
स्थान
[सम्पादन करी]ई धारावाहिक के निर्माणक कार्य मुम्बई मे शुरू भेल आ मुख्यतः एतय निर्मित कएल जाइत अछि। एकर अनेक भाग भारत के अनेकौं अन्य स्थानसभमे सेहो बनाएल गेल अछि। ई सभ स्थानसभमे दिल्ली, जयपुर, कोलकाता, मनाली, चेन्नई, शिमला, जोधपुर, जसलमेर, गोवा, पुणे, आङ्गाबाद, कोल्हापुर, हिमाचल प्रदेश, केरल आ कोच्चि आदि सम्मिलित अछि।[६][७] दिल्ली के सदर बाजार आ जामा मस्जिद मे सेहो एकरा बनावेक योजना छल।[८] मुद्दा बहुत भीड के कारण ई सम्भव नै भऽ पाएल। एकरा सङ्गम विहार, दिल्ली हाट आ लाजपत नगर इलाकासभमे बनाएल गेल। एकर बाद आगरा आ मथुरा मे सेहो अगला एपिसोड के शूटिङ्ग भेल, जेकर प्रसारण २४ सँ २६ जुलाई मे "मर मिटेङ्गे" नाम सँ भेल।[९] एकर बाहेक किछ भागसभक निर्माण विदेशसभमे सेहो भेल अछि। सीआईडी के आखिरी चुनौती नामक एक छोट शृङ्खला के लन्दन मे सेहो बनाएल गेल छल जाहिमे महेश मान्जरेकर हरगिज डोङ्गारा नामक अपराधी के भूमिका निर्वाह केनए छल। २००४ मे ‘सीआईडी’ के तीन प्रकरणसभक निर्माण ईङ्गल्याण्ड मे भेल आ २०१० मे ८ प्रकरणसभक निर्माण स्विटजरल्याण्ड आ पेरिस मे भेल छल।[१०]
प्रसारण
[सम्पादन करी]२१ जनवरी १९९८ मे रात्री ९:३० बजे एकर प्रसारण सोनी च्यानल पर शुरू भेल। ई धारावाहिक के २६ प्रकरण होए के पश्चात आदित्य श्रीवास्तव के वरिष्ठ निरीक्षक अभिजीत के भूमिका मे देखाएल गेल। एकर पश्चात ई अखन धरि चलि रहल अछि। एकर प्रसारण शुरू मे बुधवार के रात्री ९:३० बजे होएत छल जे बाद मे बदलि के शुक्रवार के रात्री १० बजे करि देल गेल।[११] २१ मई २०१० सँ एकर प्रसारण शुक्रवार के साथ-साथ शनिवार के सेहो होए लगल।[१२] ३ फरवरी २०१३ सँ एकर प्रसारण शुक्रवार आ शनिवार के साथ-साथ रविवार के सेहो होए लगल।[१३] मई २०१६ मे द कपिल शर्मा शो के कारण एकर प्रसारण किछ सप्ताह नै भेल। एकर निर्मातासभ कहलक् कि द कपिल शर्मा शो नयाँ होए के कारण ओकरा अन्या लोगसभ धरि पहुँचावे के लेल एहन कएल गेल छल आ ई सेहो कहलक् कि सीआईडी के जल्द ही नयाँ समय पर प्रसारण होएत।[१४] ४ जून २०१६ सँ एकर प्रसारण फेर सँ शुरू भऽ गेल आ एकर समय १० बजे सँ बदलि के १०:३० भऽ गेल।[१५]
एकर लोकप्रियता के देखैत एकरा अन्य भारतीय भाषासभमे अनुवादित कएल गेल अछि। एकर तेलुगू संस्करण माँ टिभी मे आ तमिल संस्करण जी तमिल मे प्रसारित भऽ रहल अछि। एकर बाहेक बङ्गाली मे एकर भिन्न शृङ्खला निकालल गेल अछि।[१६][१७] एकरा दिसम्बर २००४ मे अत्यधिक सकारात्मक प्रतिक्रिया मिलल आ ई ३.७ रेटिङ्ग प्राप्त करि पूरा भारत मे पहिल बेर २९हम स्थान पर रहल।[१८] टीएएम के अनुसार एकरा सितम्बर २०१० मे ५.१७ के उच्चतम रेटिङ्ग मिलल, जे एकर पिछला किछ वर्षसभक सभसँ अधिक रेटिङ्ग अछि।[१९] २०१५ मे ई धारावाहिक के ४.१ के आसपास के रेटिङ्ग मिल रहल छल।[२०][२१]
कलाकार
[सम्पादन करी]


- बृजेन्द्र पाल सिंह : पुलिस उपायुक्त चित्रोले (निर्देशक, निर्माता, लेखक आ सर्जक)[२२]
- शिवाजी साटम : एसीपी प्रद्युमन (१९९८–वर्तमान)[२३]
- दयानन्द शेट्टी : वरिष्ठ निरीक्षक दया (१९९८–वर्तमान)[२४]
- आदित्य श्रीवास्तव : वरिष्ठ निरीक्षक अभिजीत (१९९९–वर्तमान)[२५]
- दिनेश फड्निस : उप निरीक्षक फ्रेडरिक्स/फ्रेडी (१९९८–वर्तमान)[२६]
- अंशा सयद : निरीक्षक पूर्वी (२०११–वर्तमान)[२७]
- अजय नागरथ : उप निरीक्षक पंकज (२०१२–वर्तमान)
- नरेन्द्र गुप्ता : डा. सालुङ्खे (१९९८–वर्तमान)
- श्रद्धा मूसले : डा तारिका (२००७–वर्तमान)
- पूर्व भूमिका
- ऋषिकेश पाण्डे : निरीक्षक सचिन (२०१०–२०१६)[२८]
- जान्वी छेड़ा : निरीक्षक श्रेया (२०१२–२०१७)[२९]
- मनिन्दर सिंह : वरिष्ठ निरीक्षक दुष्यन्त (२०१४)[३०]
- विकास कुमार : वरिष्ठ निरीक्षक रजत (२०१२–२०१३)
- विकास सल्गोत्रा उप निरीक्षक मयूर (२०१४)[३१]
- तान्या अब्रोल : उप निरीक्षक जयवन्ती शिन्दे (२०१४–२०१६)
- अभय शुक्ला : उप निरीक्षक निखिल (२०११–२०१६)
- गौरव खन्ना : वरिष्ठ निरीक्षक काविन (२०१४)[३२]
विशेष उपस्थिति
[सम्पादन करी]- ११ नवम्बर २००९ मे सलमान खान अपन फिल्म वान्टेड के प्रचार हेतु आएल छल। जाहिमे ओ फिल्म प्रदर्शित होए के पूर्व अनाधिकृत रूप सँ सीडी बेचए वालासभक विरुद्ध कार्यवाही हेतु सीआईडी सँ मिलैत छल।[३३]
- ३१ जुलाई २०१० मे इमरान हाशमी आ प्राची देसाई अपन फिल्म वन्स अपन ए टाईम इन मुम्बई के प्रचार हेतु आएल छल।[३४]
- १ जनवरी २०११ मे रानी मुखर्जी अपन फिल्म नो वन किल्ड जेसिका के प्रचार हेतु आएल छल। जाहिमे ओ एक टिभी पत्रकार के भूमिका मे रहैत अछि आ सीआईडी के एक अपराधी के हत्या करैत समय के भिडियो दैत अछि।[३५]
- १ जून २०१२ मे अक्षय कुमार आ सोनाक्षी सिन्हा अपन फिल्म रावडी राठौर के प्रचार हेतु आएल।[३६]
- २ सितम्बर २०१२ मे बिपाशा बसु आ ईशा गुप्ता अपन फिल्म राज ३डी के प्रचार हेतु आएल।[३७]
- २१ सितम्बर २०१२ मे करीना कपूर अपन फिल्म हीरोइन के प्रचार हेतु आएल। ई कहानी मे हुनका कोई मारै के कोशिश करैत अछि आ हुनकर रक्षक के मारि दैत अछि। ई कारण ओ सीआईडी सँ मिलैत अछि।[३८]
- २३-२४ नवम्बर २०१२ मे आमिर खान अपन फिल्म तलाश के प्रचार हेतु आएल। जाहिमे ओ निरीक्षक सुर्जन सिंह शेखावत बनल छल आ सीआईडी के अपराधी के पकडि मे साथ दैत अछि।[३९]
- १६ अगस्त २०१३ मे इमरान खान आ सोनाक्षी सिन्हा अपन फिल्म वन्स अपन अ टाइम इन मुम्बई-दोबारा के प्रचार हेतु आएल।[४०]
- २२ नवम्बर २०१३ मे सन्नी देओल अपन फिल्म सिंह साहब द ग्रेट के प्रचार हेतु आएल। एहीमे ओ सिंह साहब के भूमिका मे रहैत अछि आ सीआईडी सँ एक अपराधी के पता करवाक हेतु मिलैत अछि।[४१]
- २१ मार्च २०१३ मे सन्नी लियोन अपन फिल्म रागिनी एमएमएस २ के प्रचार हेतु आएल।[४२]
- २१ फरवरी २०१४ मे जिमी शेरगिल अपन फिल्म डर एट द माल के प्रचार हेतु आएल।[४३][४४]
- २७ जून २०१४ मे सिद्धार्थ मल्होत्रा आ श्रद्धा कपूर अपन फिल्म एक भिलेन के प्रचार हेतु आएल। एतय ओ किछ हराएल बच्चा के अपहरण के जानकारी सीआईडी के दैत अछि।[४५]
- २५-२७ जुलाई २०१४ मे सलमान खान अपन फिल्म किक के प्रचार हेतु आएल।[४६][४७]
- २१ नवम्बर २०१४ मे सैफ अली खान आ गोविन्दा अपन फिल्म ह्यापी एन्डिङ्ग के प्रचार हेतु आएल।[४८]
- ५ दिसम्बर २०१४ मे अजय देवगन अपन फिल्म एक्शन ज्याकसन के प्रचार हेतु आएल।[४९]
- १३-१४ फरवरी २०१५ मे वरुण धवन अपन फिल्म बदलापुर के प्रचार हेतु आएल।[५०][५१] हुनका साथ ई फिल्म के निर्देशक श्रीराम राघवन सेहो आएल छल।[५२]
- ३ अप्रैल २०१५ मे सुशान्त सिंह राजपूत अपन फिल्म डिटेक्टिव ब्योमकेश बक्शी! के प्रचार के लेल।[५३]
- १३ अप्रैल २०१५ मे इमरान हाशमी अपन फिल्म मिस्टर एक्स के प्रचार केलक आ स्वयम् मिस्टर एक्स के भूमिका मे अभिनय सेहो केलक।[५४]
- १९ दिसम्बर २०१५ को शाहरुख खान अपन फिल्म दिलवाले के प्रचार के लेल आएल।[५५] जाहिमे देखाएल जाइत अछि कि एसीपी प्रद्युमन के गाडी अचानक रुकि जाइत अछि आ शाहरुख खान हुनकर सहायता करैत अछि।[५६][५७]
- १६ जनवरी २०१६ मे सन्नी देओल अपन फिल्म घायल वन्स अगेन के प्रचार के दौरान सीआईडी के एपिसोड मे अजय मेहरा के भूमिका निर्वाह केलक।[५८]
पुरस्कार एवं कीर्तिमान
[सम्पादन करी]विश्व कीर्तिमान
[सम्पादन करी]ई धारावाहिक के दल ७ नवम्बर, २००४ मे मुम्बई मे साँझ के ६:३० सँ ८:२० बजे धरि पूरे १११ मिनट धरि बिना क्यामरा के बन्द करि एक पूरा कहानी बना देलक। ई कीर्तिमान लिम्का कीर्तिमान पुस्तक[५९] तथा गिनीज विश्व कीर्तिमान पुस्तक मे पञ्जीकृत करि लेल गेल छल।[६०] ७ नवम्बर मे बनल ई कथांश के ८ नवम्बर मे साँझ ८ बजे सँ १० बजे धरि देखाएल गेल।
ई प्रकार के विश्व कीर्तिमान बनावे के विचार सिंह के एकर ७ सँ ८ महिना पहिने आएल छल। एहीसँ पहिने १९८७ मे मराठी कार्यक्रम "एक शून्य शून्य" मे फिल्माङ्कन के बिना रोकि के २२ मिनट के कार्यक्रम बना देनए छल। वर्ष २००२ मे ओ ई कीर्तिमान के गिनीज विश्व कीर्तिमान पुस्तक मे दर्ज करवावे के बारे मे सोचलक् मुद्दा हुनका पता चलल कि एकर लेल हुनका २५ मिनट के बिना रोकि के कार्यक्रम तैयार केनाए होएत। ओ एकर तैयारी शुरू करि देलक, मुद्दा ओकर ई कीर्तिमान के बनावे सँ पूर्व ही एक रूसी वृत्त फिल्म ८८ मिनट धरि लगातार फिल्माङ्कन के कीर्तिमान बना लेलक। एकर बाद बीपी सिंह एहीसँ सेहो अधिक लम्बा कीर्तिमान बनावे के बारे मे सोचलक् आ 'विरासत' नाम के एक प्रकरण के योजना बनौलक्। एकर लेल ओ ओही समय सँ एकर तैयारी मे लगि गेल। ई कीर्तिमान के बनावे के लेल सीआईडी के सभ भूमिकासभक ९० पन्ना के संवाद याद करै पडल आ ई कहानी के क्यामेराम्यान नितिन राव के २८ किलो ग्राम के क्यामरा के लगातार १११ मिनट धरि अपन कन्धा पर रखै पडल, जाहिमे ३ मञ्जिला के घर मे हुनका ऊपर सँ नीचा सेहो अनेकौं बेर होए पडल। एकरा बनावे के लेल ३४ लाख रुपैया खर्च भेल। ई सीआईडी के सभसँ महग प्रकरण छल। ई एक एहन होटल मालिक के कहानी छल, जे भारत मे अपन कारोबार समेटवाक के लेल दक्षिण अफ्रीका सँ आवैत अछि। ओकरा अपन वारिस के तलाश रहैत अछि। ओकर सम्पत्ति मे हिस्सा पावे के आस मे सभ रिश्तेदार होटल मे जमा भऽ जाइत अछि। फेर एक के बाद एक खून होनाए शुरू भऽ जाइत अछि। ई एपिसोड के कीर्तिमानी बनावे के लक्ष्य सँ ही बनाएल गेल छल। एहीमे सीआईडी के निरीक्षकसभक अतिरिक्त केके मेनन, राज ज़ुत्शी, अविनाश वधावन, कृतिका देसाई आ मुकेश रावल शामिल छल। एकरा ७ नवम्बर २००४ मे बिना कोनो विज्ञापन के रात्री ८ सँ १० बजे धरि देखाएल गेल। एकर बाद सीआईडी के १० बजे के धारावाहिक शुरू भेल।[६१]
पुरस्कार
[सम्पादन करी]वर्ष | पुरस्कार | श्रेणी | कलाकार | टिप्पणी एवं सन्दर्भ |
---|---|---|---|---|
२००२ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ धारावाहिक - नाटक | बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर | [६२] |
भारतीय टेली पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ व्यक्तित्व | शिवाजी साटम | [६३] | |
२००३ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ रोमाञ्चक / डरावना धारावाहिक | बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर | [६४] |
२००४ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ निर्देशक - नाटक | बृजेन्द्र पाल सिंह | [६५] |
भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ रोमाञ्चक / डरावना धारावाहिक | सोनी (भारत) | [६५] | |
भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ अभिनय | रजत अरोडा | [६५] | |
भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ भिडियोग्राफी | बृजेन्द्र पाल सिंह | [६५] | |
२००५ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ अभिनेता - नकारात्मक भूमिका | मकरन्द देशपाण्डे | [६६] |
२००९ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ रोमाञ्चक / डरावना धारावाहिक | बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर | [६७] |
२०१० | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ रोमाञ्चक / डरावना धारावाहिक | बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर | [६८] |
२०१५ | भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ रोमाञ्चक / डरावना धारावाहिक | बृजेन्द्र पाल सिंह आ प्रदीप उप्पूर | [६९] |
सीआईडी स्पेशल ब्यूरो
[सम्पादन करी]ई सीआईडी के एक विशिष्ट संस्करण छल, जेकर प्रसारण एक अलग धारावाहिक के रूप मे २७ दिसम्बर २००४ सँ शुरू भेल आ १६८ एपिसोड प्रसारित होए के बाद ८ अगस्त २००६ मे बन्द भऽ गेल। ई सोमवार आ मङ्गलवार के राति १०:३० बजे प्रसारित होएत छल। एकर आधा घण्टा पहिने, रात १० बजे सीआईडी आ ओकर आधा घण्टा बाद ई धारावाहिक के प्रसारण होइत छल। एहीमे शिवाजी साटम, अनूप सोनी, दयानन्द शेट्टी आ आदित्य श्रीवास्तव मुख्य भूमिका मे छल।[७०]
एकर कहानी के अनुसार "सीआईडी पिछला अनेकौं वर्ष सँ लम्बित मामला के जाँच करवाक हेतु एक नयाँ दल के गठन करैत अछि, जेकर नाम सीआईडी स्पेशल ब्यूरो रखल जाइत अछि। ई दल बहुत पुरान आपराधिक मामला के जाँच करैत अछि।" एहीमे अनेकौं बेर सीआईडी के कहानी के सेहो जोड करि देखाएल जाइत छल। एही कारण किछ मामलासभमे सीआईडी के भूमिका सीआईडी स्पेशल ब्यूरो मे आ सीआईडी स्पेशल ब्यूरो के भूमिका सीआईडी मे सेहो देखल जा सकैत अछि।[७१]
अन्य पहल
[सम्पादन करी]७ जुलाई २००६ मे एक राष्ट्रव्यापी खोज कार्यक प्रारम्भ कएल गेल जेकरा सीआईडी अपरेशन तलाश नाम देल गेल। एहीमे विजेता के एक पुलिस निरीक्षक के भूमिकामे कार्य करवाक मौका देल जानाए छल। १ सितम्बर २००६ मे विवेक मशरू के विजेता घोषित कएल गेल छल। एकर बाद किछ वर्ष धरि विवेक एक निरीक्षक के भूमिकामे देखाए देलक।[७२] २६ जनवरी २०१० सँ वीरताक प्रोत्साहित करवाक आ समाजमे बहादुरी के कार्यसभक सम्मान करवाक के लेल सीआईडी वीरता पुरस्कार नामक एक पुरस्कार प्रारम्भ कएल गेल। एहीसँ २६ जनवरी २०१० मे पहिल बेर साहस देखावे वाला लोगसभक देल गेल।[७३] २३ जनवरी २०११ को दूसरी बार प्रदान किया गया था।[७४] बड लोगसभक वीरताक प्रोत्साहित करै के बाद, बच्चा के लेल सेहो एक नयाँ उप-शृङ्खला सीआईडी छोटे हीरोज नाम सँ बनाएल गेल।[७५] ई १ फरवरी २०१३ सँ देखाएल गेल। ई शुक्रवार के सीआईडी सँ एक घण्टा पहिने ९ बजे सँ १० बजे राति मे देखाएल जाइत छल। एहीमे बच्चा के द्वारा देखाएल गेल साहस के देखाएल जाइत छल।[७६] ३० मई २०१२ मे एक साक्षात्कार के दौरान बीपी सिंह कहलैन् कि ओ सीआईडी पर एक फिल्म बनावे जा रहल अछि। एहीमे धारावाहिक के कलाकार ही काम करत, मुद्दा एक मुख्य खलनायक के बाहर सँ लेल जाएत। ओ कहलैन्, सैद्धान्तिक रूप सँ फिल्म के ई वर्ष के अन्त धरि शुरू भऽ जानाए चाहि। च्यानल के पास एकर अधिकार अछि, यदि च्यानल आई अपन सहमति दैत अछि, तँ हम एही पर अगला वर्ष कऽ शुरुआत सँ काम केनाए शुरू करि देव्।[७७]
२१ जनवरी २०१५ मे सीआईडी अपन यात्रा के अठारहम् वर्ष मे प्रवेश केलक। एकरा सोनी एक उत्सव के रूप मे २६ जनवरी २०१५ के एक विशेष कार्यक्रम के रूपमे बनौलक्। जाहिमे सोनी पर पूरा दिन सीआईडी कऽ कार्यक्रम देखाएल गेल। एकर बाहेक बीच-बीच मे सीआईडी के भूमिका आ अन्य लोग सेहो आवैत छल आ अपन आ ई धारावाहिक के बारे मे बतावैत छल।[७८]
अन्य धारावाहिकमे
[सम्पादन करी]सीआईडीक भूमिकासभ ई धारावाहिक के बाहेक सेहो अन्य धारावाहिकसभमे सेहो अभिनय केनए अछि आ अन्य धारावाहिकसभक भूमिका सेहो अनेकौं बेर सीआईडी मे आवि चुकल अछि। जेना अदालत के प्रारम्भ मे अभिजीत के ऊपर आरोप लगैत अछि कि ओ जोरावर नाम के एक अपराधी पर ६ गोली चलौलक् आ हत्या कर देलक। एही कारण ओकरा अदालत मे लऽ जाएल जाइत अछि, जाहिमे के. डी. पाठक ओकर वकील रहैत अछि। ई सीआईडी आ अदालत, दुनु धारावाहिक मे देखाएल जाइत अछि। एकर बाद सीआईडी आ के. डी. पाठक मिलिके ई मामला के सुलझाऽ लैत अछि।[७९]
तारक मेहता का उल्टा चश्मा मे एही के किछ भूमिका सीआईडी के धारावाहिक मे आवैत अछि आ ओकर किछ दिन बाद एक अन्य प्रकरण मे ई धारावाहिक मे सीआईडी के सभ भूमिका आवि जाइत अछि। जाहिमे दयाबेन के एसीपी प्रदूमन के नकली प्रमाणपत्र मिलैत अछि आ ओ ओकरा लके सीआईडी के कार्यालय मे जाइत अछि। जखन सीआईडी के दल के पता चलैत अछि की कोई एसीपी प्रद्युम्न के जेहन बनिके कोई गैर-कानूनी कार्य करवाक चाहैत अछि मुद्दा ओ अपराधी के पकडिते समय एक जेठालाल के चेहरा बनाके आ ओ ई मामला मे फसि जाइत अछि। मुद्दा बाद मे पता चलैत अछि कि ओ दोषी नै अछि। एकर पश्चात गोकुलधाम मे एक नयाँ सदस्य आवैत अछि, जेकर पास करोडौं के हीरा रहैत अछि। जेकरा ओ बेचवाक चाहैत अछि। ओ गोकुलधाम के लोगसभक लालच दैत अछि कि यदि कोई ओ हीरासभक बेचवाक मे ओकर सहायता करत तँ ओ ओकरा एक करोड रुपैया देत। मुद्दा हीरा बेचए सँ पूर्व ही ओ लापता भऽ जाइत अछि आ ओही मामला के जाँच करैत सीआईडी ओतय आवैत अछि। पुरा गोकुलधाम मे सभ के घरसभक तलाशी लैऽ के बाद हुनका अय्यर आ बबीता जी के घर मे ओ हीरा मिलैत अछि। ओ लोग बबीता आ अय्यर के पकडि लैत अछि। मुद्दा बाद मे पता चलैत अछि कि दोषी कोई और छी।[८०] एकर साथ-साथ कौन बनेगा करोडपति मे सेहो सीआईडी के तीन पात्र (शिवाजी साटम, आदित्य श्रीवास्तव आ दयानन्द शेट्टी) जा चुकल अछि।[८१]
एकर बाहेक अदालत आ सीआईडी मे १२ जुलाई २०१२ मे राति १० बजे आ रविवार १३ जुलाई २०१२ मे राति ७:३० आ १० बजे सीआईडी विरुद्ध अदालत नाम सँ धारावाहिकक प्रसारण भेल छल। एहीमे अदालत आ सीआईडी दुनुक एक ही कहानी मे देखाएल गेल। जाहिमे देखाएल गेल कि डा. सालुङ्खे के एक सबूत मिलैत अछि, जेकरा देखावे सँ पहिने ही ओ लापता भऽ जाइत अछि। ओकर गाडी डीसीपी चित्रोले के घर के आगा मिलैत अछि आ घरक तलाशी मे एक लाश सेहो प्राप्त होएत अछि, जे पहिने डा. सालुङ्खे मनैत अछि। सीआईडीक डीसीपी चित्रोले के विरुद्ध काफी ठोस सबूत मिलैत अछि, एही कारण ओकरा हिरासत मे लऽ लेल जाइत अछि। अदालत मे के. डी. पाठक ओकरा बचावेक कोशिश करैत अछि, मुद्दा सीआईडी ओकरा दोषी साबित करैक कार्य करैत अछि। आखिरी मे के. डी. पाठक आ सीआईडी मिलिके ई मामलाक हल करि लैत अछि।[८२] एकर बाद २० दिसम्बर २०१४ मे ३ घण्टाक प्रसारण होइत अछि। एकर निर्देशन सीआईडी के सिबा मित्र आ अदालत के रमिन्दर सूरी मिलिके केनए अछि। एकरा मुम्बई के अलग-अलग भागसभमे बनाएल गेल, जेकरा लेल १५ दिनक समय लगि गेल।[८३] एकर नाम सीआईडी विरुद्ध अदालत - कर्मयुद्ध रखल गेल अछि, जाहिमे एक बेर फेरसँ सीआईडी आ अदालत साथमे आवैत अछि।[८४] जाहिमे एक आश्रम मे एसीपी प्रद्युम्न के दोस्तक बेटीक खून भऽ जाइत अछि।[८५] सीआईडीक लगैत अछि कि एकर हत्या आत्मानन्द केन्ए अछि आ ओतय के. डी. पाठक ओकरा बचावैत अछि।[८६] बाद मे पता चलैत अछि कि असलमे हत्या किरण केनए अछि।[८७]
प्रभाव
[सम्पादन करी]सीआईडी धारावाहिक देखलाक बाद जनमानस पर बढिया आ खराब दुनु प्रकारक प्रभाव पडल अछि। किछ लोगसभक अपराध करवाक इच्छा जागृत भेल तँ किछ लोगक निशानेबाजी आदिमे आगा बढि के सेहो प्रेरणा मिलल अछि। किछ घटनासभ निम्नलिखित अछि:-
पाकिस्तान के लाहौर मे ३० जून २०१७ मे एक ९ वर्षीय लडकी ईमान तनवीरक लाश ओकर दादी के घर सँ प्राप्त भेल। पुलिसक पहिने ओकर सौतेली माँ पर शङ्का भेल, मुद्दा बाद मे ओकरा निर्दोष मानि के पुलिस छोडि देलक।[८८] हत्या के चारि दिन बाद पुलिस एक बयान जारी केलक कि ओ लडकी के ११ वर्षीय भाई ही ई हत्या केनए अछि।[८९] ओ पुलिस के आगा कबूल केलक कि ओ अपन बहिनक हत्या केनए अछि। पूछताछ पर ओ बतौलक् कि ओ सीआईडी देख करि ई हत्याक करै के विचार आएल छल।[९०]
उत्तर प्रदेशक राजधानी लखनऊ मे एक युवक सीआईडी धारावाहिक देखि के अपन पत्नी के साथ मिलिक अपन ही अपहरण के झूठ कहानी बनौलक्। ओ जतय काम करैत छल, ओकर सञ्चालक के विरुद्ध केस दर्ज करवा देलक। ओ केससँ ओकरा बचा करि ओकरा पैसा लावेक योजना बना रहल छल। मुद्दा पुलिस ओकर पास पहुँच गेल आ तखन ओकर योजनाक पता चलल।[९१]
१७ वर्षीय निशानेबाज मेहुली घोष जापान के प्रतियोगितामे अपन पहिल स्वर्ण पदक हासिल केलक आ केरल मे भेल राष्ट्रीय निशानेबाजी प्रतियोगिता मे एक ही दिन मे आठ स्वर्ण पदक हासिल करवाक बाद हुनकर कहनाए छल कि हुनका एकर प्रेरणा सीआईडी धारावाहिक के देखलाक बाद मिलल।[९२]
समीक्षात्मक प्रतिक्रिया
[सम्पादन करी]एक दशक सँ अधिक चलै के कीर्तिमान बनावे के पश्चात सेहो ई लोकप्रिय धारावाहिक वर्तमान(जनवरी २०१८ मे अद्यतन) मे सेहो सोनी पर प्रसारित भऽ रहल अछि। एकर अनेकौं संवाद जेना एसीपी प्रद्युमनक "अब तो इसे फाँसी ही होगी" आ दयाक ढोका तोडनाए आदि अत्यधिक लोकप्रिय भऽ चुकल अछि। ई एतेक लोकप्रिय भऽ चुकल अछि कि लोग एही पर अनेकौं चुट्कुला सेहो बना चुकल अछि।[९३]
दैनिक ट्रिब्यून मे देल गेल एक साक्षात्कार मे शिवाजी साटम कहलैन् कि "अखन ई हमर पहिचान बनि गेल अछि। मुद्दा ई केवल एक धारावाहिक भर नै अछि। बच्चा आ बड अखन हमरासँ सीआईडी के पात्रक तरह व्यवहार करैत अछि। हुनका लगैत अछि कि सचमुच कोनो जासूसी करै वाला समूहक हिस्सा छी। शायद एही लेल पिछला दुई साल सँ ई लगातार पुरस्कार जीत रहल अछि। एकरा राष्ट्रपति धरि के सराहना मिलल अछि। दरअसल ई आम आ ईमानदार लोगसभक न्याय दिलावे वाला धारावाहिक छी।"[९४][९५] ओतय राँची एक्सप्रेस कहलैन् कि सीआईडी १९९८ सँ लगातार चलि रहल अछि आ ओकरा हर बखत सँ ही दर्शक पसन्द केलक। जखन २००३ मे एही च्यानल मे शुरू भेल एक धारावाहिक क्राइम पेट्रोल के कम लोकप्रियता के कारण बन्द करनाए पडल छल। मुद्दा अखन सेहो सीआईडी ओतेक ही नै, ओकरा सेहो अधिक दर्शक मिल गेल अछि। वर्तमान मे ई धारावाहिक सभ उमेर वर्ग के अपन दिशा आकर्षित केनए अछि। एही कारण अन्य च्यानलसभमे सेहो आपराधिक धारावाहिकसभक संख्या मे वृद्धि भेल अछि।[९६] ओतय दयानन्द शेट्टी कहलैन् कि "१७ वर्ष सँ अधिक समय धरि एक साथ काम करै सँ एक जुडाव बनि गेल अछि। सीआईडी के सभसँ अधिक बच्चा पसन्द करैत अछि आ एही कारण एहीमे हम लोगसभ हास्य बनावेक प्रयास केनए छी।"[९७] टाइम्स अफ इन्डिया सँ बात करैत दयानन्द शेट्टी बतौलक् कि हुनका अपन कार्यक्रम के बारे मे अनलाइन चुटकुले पढि मे बहुत गर्व महसूस होइत अछि आ ई जानि के आओर् सेहो खुशी होएत अछि कि केवल दया ही नै बल्कि एकर अन्य सभ भूमिका सेहो बहुत प्रसिद्ध अछि।[९८]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "CID - सी आई डी - Ep 1489 - 20th January, 2018", Sony TV, २० जनवरी २०१८, अन्तिम पहुँच २० जनवरी २०१८।
- ↑ २.० २.१ २.२ २.३ २.४ लालवानी, विक्की, ""Soaps are not my domain and I don't think I will be able to direct them well"" [धारावाहिक बनाना मेरा कार्यक्षेत्र नहीं है आ मुझे नहीं लगता कि मैं अच्छे से निर्देशित कर सकता हूँ।] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन टेलिविजन, अन्तिम पहुँच ९ जनवरी २००४।
- ↑ ३.० ३.१ माथुर, चांदनी (८ अप्रैल २०१४), "सीआईडी: कहानी भारत के सबसे सफल जासूसी धारावाहिक की", टेलीविज़न पोस्ट, मूलसँ २०१६-०५-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ ४.० ४.१ ४.२ सेथुरमन, श्रेया (२७ जुलाई २०१२), "Chasing criminals, cracking cases" [अपराधियों का पीछा करना आ प्रकरण हल करना], हिंदुस्तान टाइम्स (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ १५ जून २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ जनवरी २०१३।
- ↑ ५.० ५.१ रघुनाथ, अभिषेक (२६ अक्टूबर २०१२), "Sony's CID: Fifteen Years and Counting" [सोनी का सीआईडी: पन्द्रह वर्ष आ जारी है।] (अंग्रेज़ीमे), फ़ोर्ब्स, मूलसँ २०१६-०८-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "CID team mistook for real one!" [सीआईडी का दल आ वास्तविक दिखने के लिए एक नए जगह पर!] (अंग्रेज़ीमे), टेली चक्कर, मूलसँ ६ जुलाई २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ जनवरी २०१३।
- ↑ "ACP Pradyuman asks cops to help them shoot in peace" [एसीपी प्रद्युमन ने निरीक्षक से पूछा कि क्या वे उन्हें शांति से धारावाहिक बनाने में सहायता करेंगे।] (अंग्रेज़ीमे), टेली चक्कर, मूलसँ ६ जुलाई २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ जनवरी २०१३।
- ↑ "Team 'CID' shoots new murder-mystery in the capital" [सीआईडी एक नई हत्या की पहले राजधानी में बनाने जा रहा है।] (अंग्रेज़ीमे), एबीपी न्यूज़, १४ जुलाई २०१५, मूलसँ २०१६-१०-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Sony's ‘CID’ looks to target viewers from north India" [सोनी का सीआईडी अब उत्तर भारत के दर्शकों को लक्ष्य के रूप में देख रहा है।] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन टेलीविजन, १४ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच ८ जुलाई २०१६।
- ↑ "इतिहास बनाता सीआईडी।", जागरण, ७ अक्टूबर २०१०, मूलसँ ६ जुलाई २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ जनवरी २०१३।
- ↑ "२१ दिसम्बर २००५ को सोनी में सीआईडी का समय", http://www.setindia.com/show_details.php?sid=12, २१ दिसम्बर २००५ कऽ मूल सङ्ग्रहित
|archiveurl=
|url=
आवश्यक (सहायता)। - ↑ "३ जून २०१० को सोनी में सीआईडी का समय", http://www.setindia.com/show_details.php?sid=12, ३ जून २०१० कऽ मूल सङ्ग्रहित
|archiveurl=
|url=
आवश्यक (सहायता)। - ↑ "३ मार्च २०१३ को सोनी में सीआईडी का समय", http://www.setindia.com/show_details.php?sid=12, २ मार्च २०१३ कऽ मूल सङ्ग्रहित
|archiveurl=
|url=
आवश्यक (सहायता)। - ↑ "CID goes off, makers say it is a short break for TV’s favourite show" [सीआईडी का प्रसारण बंद, निर्माताओं के अनुसार केवल कुछ समय की छुट्टी है।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २५ मई २०१६, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
- ↑ "CID to return on small screen soon, will air its fresh episode on June 4" [सीआईडी ताजा एपिसोड के साथ 4 जुलाई से छोटे पर्दे पर आ रहा है।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २६ मई २०१६, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
- ↑ "सोनी पर आने वाला धारावाहिक सीआईडी अब बंगाली भाषा में भी बन रहा है।", एनडीटीवी, ३१ अक्टूबर २०१२, मूलसँ २०१३-०१-२९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ जनवरी २०१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ इंडो-एशियन समाचार सेवा (३१ अक्टूबर २०१२), "बंगाली भाषा में अनुवादित 'सीआईडी' का १२ नवम्बर से होगा प्रसारण शुरू।", याहू! समाचार, अन्तिम पहुँच १६ जनवरी २०१३।
- ↑ "Sony's stellar show 'CID' on an upswing" [सोनी का तारकीय धारावाहिक सीआईडी शिखर पर], इंडियन टेलीविज़न (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ १८ फरवरी २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ दिसम्बर २००४।
- ↑ "सीआईडी सोनी का दूसरा सबसे देखा जाने वाला धारावाहिक", इंडियन टेलिविजन, अन्तिम पहुँच २९ दिसम्बर २०१०।
- ↑ "Tam Ratings: Week 3 (2015)" [टीएएम रेटिंग ३ सप्ताह का (२०१५)], टेली चक्कर (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच २३ जनवरी २०१५।
- ↑ "टीवी रेटिंग: टॉप 10 शो में एक बार फिर आया 'सीआईडी'", अमर उजाला, अन्तिम पहुँच ११ मई २०१५।
- ↑ "B.P. Singh back to acting in CID" [बृजेन्द्र पाल सिंह पुनः सीआईडी में लौटे चित्रोले के भूमिका में।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, ५ नवम्बर २०१२, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "C.I.D. means the world to me: Shivaji Satam aka ACP Pradyuman" [सीआईडी का अर्थ मेरे लिए, मेरी पूरी दुनिया है।: शिवाजी साटम] (अंग्रेज़ीमे), बॉलीवुड भास्कर, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "People imitating my style indicates success of my role: Daya of CID" [लोग का मेरी शैली दिखाने की कोशिश करना यह दिखाता है की मेरा पात्र कितना सफल हुआ: दयानन्द शेट्टी] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन एक्सप्रेस, २ फरवरी २०१४, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Abhijeet ka jalwa" [आदित्य श्रीवास्तव, जो की वरिष्ठ निरीक्षक अभिजीत नाम से जाने जाते है, सीआईडी के वीरता पुरस्कार २०११ के समय अपने कुछ नृत्य की कला को दिखाया।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २३ जनवरी २०११, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "TV's most lovable idiots" [सीआईडी का सबसे प्यारा बेवकूफ] (अंग्रेज़ीमे), डीएनए इंडिया, २१ अगस्त २०१३, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Ansha Sayeed is super happy playing Purvi in CID" [अंशा सयद अपने निरीक्षक पूर्वी के भूमिका से बहुत खुश हैं।], २४ नवम्बर २०१२, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "New team to be formed in Sony's CID; Hrishikesh Pandey comes back" [सोनी के सीआईडी का नया दल पुनः अपने स्थिति में आ ऋषिकेश पाण्डे पुनः लौट आए।] (अंग्रेज़ीमे), इंडिया फॉरम, १ मई २०१०, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "New Faces, Old Shows" [नए चेहरे, पुराने धारावाहिक में!] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, १० मई २०१२, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Gaurav Khanna & Maninder Singh’s dhamakedar entry on CID" [गौरव खन्ना आ मनिन्दर सिंह की धमाकेदार प्रवेश सीआईडी में।] (अंग्रेज़ीमे), ३ अप्रैल २०१४, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Newbie Vikas Salgotra and 'The Bachelorette India' fame Jagjit Athwal to enter CID as the new cops" [दो नए लोग, विकास सलगोत्रा आ जगजीत अथवाल सीआईडी में लिया प्रवेश।] (अंग्रेज़ीमे), २४ मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Actor Gaurav Khanna to enter "CID"" [अभिनेता गौरव खन्ना सीआईडी में वरिष्ठ निरीक्षक काविन के पात्र में आ रहे हैं।] (अंग्रेज़ीमे), ३० मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Salman Khan Wanted by CID" [सलमान खान सीआईडी में अपनी फिल्म वांटेड के प्रचार के लिए।], वन इंडिया (अंग्रेज़ीमे), १० सितम्बर २००९, अन्तिम पहुँच १५ जनवरी २०१३।[permanent dead link]
- ↑ "अपनी फिल्म 'वंस अपॉन ए टाइम इन मुम्बई' के प्रचार के लिए आए इमरान हाशमी आ प्राची देसाई", टाइम्स ऑफ इंडिया, ३१ जुलाई २०१०, अन्तिम पहुँच १५ दिसम्बर २०१४।
- ↑ लालवानी, विक्की (२२ दिसम्बर २०१०), "Rani overshadows Vidya?" [रानी विद्या पर छाया है?।], टाइम्स ऑफ इंडिया (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१३-०५-२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ जनवरी २०१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "अक्षय आ सोनाक्षी राउडी राठोर फिल्म के प्रचार में।", टाइम्स ऑफ इंडिया, २२ मई २०१२, अन्तिम पहुँच २२ जनवरी २०१४।
- ↑ "Bipasha Basu & Esha Gupta promote Raaz 3D on CID" [बिपाशा बसु आ ईशा गुप्ता सीआईडी में [[राज़ 3]] फिल्म के प्रचार हेतु।], टाइम्स ऑफ इंडिया, २४ अगस्त २०१४, मूलसँ २०१३-१२-०३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २२ जनवरी २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता); ইউআরএল শিরোনামে উইকিলিঙ্ক এমবেড করা (सहायता) - ↑ भोपटकर, तेजश्री (१३ सितम्बर २०१३), "अक्षय सेठी बने है करीना कपूर के प्रशंसक सीआईडी में", टाइम्स ऑफ इंडिया, मूलसँ २०१२-१०-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १३ फरवरी २०१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ IANS (१७ नवम्बर २०१३), "तलाश: आमिर खान फिल्म के प्रचार में सीआईडी में।", मूलसँ २०१२-११-१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ जनवरी २०१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Imran and Sonakshi on 'CID' to promote 'OUATIMD'" [इमरान आ सोनाक्षी अपनी फिल्म के प्रचार में सीआईडी में।], टाइम्स ऑफ इंडिया (अंग्रेज़ीमे), १२ अगस्त २०१३, अन्तिम पहुँच २२ जनवरी २०१३।
- ↑ "Sunny Deol was promoting his film Singh Saab The Great" [सीआईडी में अपनी फिल्म के प्रचार में सन्नी देओल।], movies.ndtv.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१४-०५-२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १३ नवम्बर २०१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "सन्नी लियॉन अपनी फिल्म रागिनी एमएमएस के प्रचार में सीआईडी।", टाइम्स ऑफ इंडिया, अन्तिम पहुँच ६ मई २०१३।
- ↑ "जिमी शेरगिल अपनी फिल्म के प्रचार के लिए सीआईडी में।", टाइम्स ऑफ इंडिया, २१ फरवरी २०१४, अन्तिम पहुँच १५ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "जिमी शेरगिल का सीआईडी नामक धारावाहिक के स्थान पर उनके फिल्म के प्रचार के समय के कुछ छवि", आईबीएन लिव, २१ फरवरी २०१४, अन्तिम पहुँच १५ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "सिद्धार्थ मल्होत्रा आ श्रद्धा कपूर अपनी फिल्म एक विलन के प्रचार में सीआईडी के एक प्रकरण में सहायता भी करेंगे।", बॉलीवुड लाइफ, २५ जून २०१४, अन्तिम पहुँच १५ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "किक: सलमान खान अपनी फिल्म के प्रचार में।", अन्तिम पहुँच २७ जुलाई २०१४।
- ↑ "Only Salman Khan Can and Will Make CID's ACP Pradyuman Dance" [केवल सलमान खान ही एसीपी प्रदूमन को नचवा सकते है।] (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१४-०८-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २७ जुलाई २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Saif Ali Khan and Govinda join the CID team in solving a case" [सैफ अली खान आ गोविंदा भी शामिल हुए सीआईडी में सुलझाने के लिए।], टेली चक्कर (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच २१ नवम्बर २०१४।
- ↑ "'सीआईडी' के सेट पर दिखा अजय देगवन का एक्शन-जैक्सन अवतार", पंजाब केशरी, २ दिसम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच २ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Badlapur Star Varun Dhawan on the sets of CID" [वरुण धवन पहुंचे सीआईडी में] (अंग्रेज़ीमे), १५ फरवरी २०१५, अन्तिम पहुँच १५ फरवरी २०१५।
- ↑ "वरुण धवन ने किया सीआईडी में अपनी फ़िल्म बदलापुर का प्रचार", १५ फरवरी २०१५, अन्तिम पहुँच १५ फरवरी २०१५।
- ↑ "वरुण धवन श्रीराम राघवन के साथ सीआईडी में अपनी फ़िल्म के प्रचार करने आए।", १५ फरवरी २०१५, अन्तिम पहुँच १५ फरवरी २०१५।
- ↑ "सीआईडी के सेट पर पहुंचे सुशांत, किया '..ब्योमकेश बख्शी' को प्रमोट", दैनिक भास्कर, १३ अप्रैल २०१५, अन्तिम पहुँच ३१ मार्च २०१५।
- ↑ "मिस्टर एक्स का प्रचार: इमरान ने सीआईडी के विशेष प्रकरण में किया अभिनय।", बिहार प्रभा, १३ अप्रैल २०१५, अन्तिम पहुँच ४ मई २०१५।
- ↑ "Shah Rukh Khan to appear in ‘CID’" [शाहरुख खान सीआईडी में दिखने वाले हैं।] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन एक्सप्रेस, १० दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
- ↑ "अब शाहरूख टीवी शो सीआईडी में आएंगे नजर", पत्रिका, १२ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
- ↑ "Here's how Shah Rukh Khan saves ACP Pradyuman from trouble, on CID" [सीआईडी में कैसे शाहरुख खान एसीपी प्रद्युमन को परेशानी से बचाते हैं। यहाँ है] (अंग्रेज़ीमे), इंडिया टूडे, ११ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
- ↑ "Sunny Deol to appear on 'CID'" [सन्नी देओल सीआईडी में दिखने वाले हैं।] (अंग्रेज़ीमे), द इंडियन एक्सप्रेस, २०१६, अन्तिम पहुँच १४ अप्रैल २०१६।
- ↑ "‘CID’ enters Limca Book of Records" [सीआईडी ने किया अपना नाम लिमका पुस्तक में दर्ज।] (अंग्रेज़ीमे), ८ अक्टूबर २००४, मूलसँ २०१४-०८-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "CID's Guinness World Record episode, Indian Idol and Facebook: 10 things in popular culture that turn 10 in 2014" [सीआईडी का गिनिज विश्व कीर्तिमान वाला एपिसोड, इंडियन आइडल आ फेसबूक: 10 चीजें जो 2014 में प्रसिद्ध हुई।] (अंग्रेज़ीमे), आईबीएन लाइव, १२ नवम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Sony's on 'record' with C.I.D, a date with Guinness" [सोनी के एक धारावाहिक 'सीआईडी' ने बनाया एक नया विश्व कीर्तिमान, जो गिनीज़ विश्व कीर्तिमान में होगा दर्ज।] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन टेलिविजन, २९ अक्टूबर २००४, अन्तिम पहुँच १० १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २००२], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१२-०५-२९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The Winners of The Indian Telly Awards 2002" [भारतीय टेली पुरस्कार विजेता २००२] (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१६-०३-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ मार्च २००२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २००३], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१२-०५-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ ६५.० ६५.१ ६५.२ ६५.३ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २००४], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१२-०५-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २००५], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१२-०५-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २००९], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१५-०९-०९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २०१०], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१०-०८-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "The ITA Awards » The Indian Television Academy Awards" [भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार » भारतीय टेली एकेडेमी पुरस्कार २०१५], http://www.indiantelevisionacademy.com (अंग्रेज़ीमे), मूलसँ २०१६-०७-१० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १० जुलाई २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "सीआईडी: स्पेशल ब्यूरो का सोनी के जालस्थल में समय व विवरण", http://www.setindia.com/shows/shows_inside.php?id=45, १९ दिसम्बर २००५ कऽ मूल सङ्ग्रहित
|archiveurl=
|url=
आवश्यक (सहायता), अन्तिम पहुँच ९ दिसम्बर २०१४। - ↑ "'सीआईडी का 'सीआईडी: स्पेशल ब्यूरो' नामक धारावाहिक २७ दिसम्बर से सोनी में शुरू हो रहा है।", इंडियन टेलिविजन, अन्तिम पहुँच १४ दिसम्बर २००४।
- ↑ "एक और सीआईडी का निरीक्षक सीआईडी में प्रवेश किया। - मनोरजन - डीएनए", डीएनए इंडिया, १५ सितम्बर २००६, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०१०।
- ↑ "सोनी ने प्रारंभ किया सीआईडी वीरता पुरस्कार", इंडियन टेलिविजन, अन्तिम पहुँच १२ अगस्त २००९।
- ↑ "सामान्य के लिए सम्मान", इंडियन एक्सप्रेस, अन्तिम पहुँच १७ सितंबर २०११।
- ↑ "“Kids Play ‘C.I.D.’ Instead Of ‘Chor Police'” – Dayanand Shetty" [“बच्चे अब 'चोर पुलिस' के जगह सीआईडी खेलेंगे” – दयानन्द शेट्टी] (अंग्रेज़ीमे), ३० जनवरी २०१३, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०१४।
- ↑ "Sony airs CID Chote Heroes from 1 February" [सोनी द्वारा दिखाया जाएगा १ फरवरी से सीआईडी छोटे हीरोज], इंडियन टेलिविजन (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच १ फरवरी २०१३।
- ↑ "टीवी शो सीआईडी पर बन सकती है फिल्म", जागरण, ३० मई २०१२, अन्तिम पहुँच ११ मई २०१५।
- ↑ "सीआईडी के १८वर्ष पर २६ जनवरी को पूरे दिन सीआईडी", अन्तिम पहुँच २१ जनवरी २०१५।
- ↑ "CID joins hands with KD Pathak from Adaalat!" [सीआईडी और अदालत के के डी पाठक दोनों ने हाथ मिलाया।], द टाइम्स ऑफ इंडिया (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच ३ जुलाई २०१२।
- ↑ "CID & Tarak Mehta Ka Oolta Chashma to have a Mahasangram episode" [सीआईडी और तारक मेहता का उल्टा चश्मा दोनों का महासंग्राम वाला प्रकरण], द टाइम्स ऑफ इंडिया (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच २ जुलाई २०१४।
- ↑ "Amitabh Bachchan reveals CID team’s funny side on Kaun Banega Crorepati" [कौन बनेगा करोड़पति में अमिताभ बच्चन ने दिखाया सीआईडी दल का हंसमुख पहलू।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २३ सितम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच १८ दिसम्बर २०१४।
- ↑ "KD Pathak defends DCP Samsher Singh Chitrole" [के॰ डी॰ पाठक डीसीपी शमशेर सिंह चित्रोले को बचाएंगे।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ "Sony to screen a telefilm with CID and Adaalat's cast" [सोनी अब सीआईडी और अदालत के कलाकारों के साथ टेलीफिल्म ला रहा है।] (अंग्रेज़ीमे), एएफ़एक्यूएस, १९ दिसम्बर २०१४, मूलसँ २०१६-०८-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ "CID and KD Pathak come together to solve a murder mystery!" [मौत की उलझन सुलझाने के लिए साथ आ रहे हैं सीआईडी और अदालत] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २० दिसम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ "‘C.I.D.’, Ronit Roy’s ‘Adaalat’ teams come together for telefilm" [सीआईडी और रोनित रॉय का अदालत टेलीफिल्म के लिए एक साथ आ रहे हैं।] (अंग्रेज़ीमे), इंडियन एक्सप्रेस, १९ दिसम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ "It's 'CID v/s Adaalat' in 3 hour movie on Sony TV" [इन तीन घंटों में यह सीआईडी विरुद्ध अदालत है।] (अंग्रेज़ीमे), टेलीचक्कर, १० दिसम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ "C.I.D and Adaalat teams up for a telefilm" [सीआईडी और अदालत टेलीफिल्म के लिए एक साथ जुट रहे हैं।] (अंग्रेज़ीमे), बॉलीवुड लाइफ, १९ दिसम्बर २०१४, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ इद्रीस, महमूद (४ जुलाई २०१७), "Inspired by Indian TV drama CID, 11-year-old brother murders minor sister in Lahore" [लाहौर में भारतीय धारावाहिक सीआईडी से प्रेरणा ले कर ११ वर्षीय लड़के ने की अपनी छोटी बहन की हत्या] (अंग्रेजीमे), लाहोर: डैली पाकिस्तान, मूलसँ २०१८-०१-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ७ जनवरी २०१८।
- ↑ "Pak 11-yr-old strangles his sister to death, says he was 'inspired' by CID" [सीआईडी से प्रेरणा लेकर ११ वर्षीय पाकिस्तानी लड़के ने की अपनी बहन की हत्या] (अंग्रेजीमे), लाहोर: मिड डे, ५ जुलाई २०१७, अन्तिम पहुँच ७ जनवरी २०१८।
- ↑ "Inspired by CID, Pakistani boy kills sister over poor handwriting jibe" [बेकार लिखावट के कारण सीआईडी से प्रेरणा लेकर पाकिस्तानी लड़के ने की अपनी बहन की हत्या] (अंग्रेजीमे), लाहोर: इंडियन एक्सप्रेस, ४ जुलाई २०१७, अन्तिम पहुँच ७ जनवरी २०१८।
- ↑ "सीआईडी टीवी सीरियल देखकर रची खुद के अपहरण की साजिश", आज तक, १६ जून २०१६, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१६।
- ↑ डेकुना, जेनिया (२० दिसम्बर २०१७), "Inspired by Sholay and CID, Youth Olympics-bound Mehuli Ghosh is shooting down records" [सीआईडी और शोले से प्रेरणा लेकर मेहुली घोष ने बनाया कीर्तिमान] (अंग्रेजीमे), स्क्रॉल, अन्तिम पहुँच ७ जनवरी २०१८।
- ↑ "Just What Makes CID So Popular?" [सीआईडी को क्या बनाता है इतना लोकप्रिय?], रेडिफ (अंग्रेज़ीमे), अन्तिम पहुँच २० मार्च २०१२।
- ↑ "मेरी पहचान बन गया है सीआईडी शिवाजी साटम", दैनिक ट्रिब्यून, १५ जनवरी २०११, अन्तिम पहुँच १४ मई २०१५।
- ↑ "‘सीआईडी’ से लोगों को अपराध से लड़ने की प्रेरणा मिली: शिवाजी साटम", एबीपी लिव, २७ सितम्बर २०१३, अन्तिम पहुँच १४ मई २०१५।[permanent dead link]
- ↑ "टीवी में बढ़ते आपराधिक धारावाहिक, यानी बढ़ती नकारात्मकता", रांची एक्सप्रेस, २२ जून २०१३, अन्तिम पहुँच १४ मई २०१५।
- ↑ "हम 'सीआईडी' को जीते हैं : दया", समाचार हिन्दी, १० अप्रैल २०१४, अन्तिम पहुँच १४ मई २०१५।
- ↑ "I feel proud when I read the online jokes about my show" [मुझे अपने कार्यक्रम के बारे में ऑनलाइन चुटकुले पढ़ने से गर्व महसूस होता है।] (अंग्रेज़ीमे), टाइम्स ऑफ इंडिया, २१ जनवरी २०१६, अन्तिम पहुँच १ जून २०१६।