आकृति:मुख्य लेख/जुन, २०१८

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
प्रदेश नं. २ नक्सा

प्रदेश नं. २ नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे प्रदेश नं. १, उत्तर दिशामे प्रदेश नं. १प्रदेश नं. ३, पश्चिम दिशामे प्रदेश नं. ३ आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि । पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरीनेपाली बजैत अछि । धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जानल जाएत अछि । प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी । ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि । (पूरा लेख...)