कुवैत सिटी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
कुवैत सिटी (शहर)
مدينة الكويت
मदीनत एल कुवैत
कुवैत शहरमे रात्रिक विहंगम दृश्य
निर्देशांक : २९°२२′११″ उत्तर ४७°५८′४२″ पूर्व / २९.३६९७२° उत्तर ४७.९७८३३° पूर्व / 29.36972; 47.97833निर्देशाङ्क: २९°२२′११″ उत्तर ४७°५८′४२″ पूर्व / २९.३६९७२° उत्तर ४७.९७८३३° पूर्व / 29.36972; 47.97833
देश कुवैत
राज्य अल असीमाह
क्षेत्र
 • महानगर 200 किमी2 (80 वर्गमाइल)
जनसंख्या (2005 अनुमान)
 • City ९६,१००
 • महानगर २३,८०,०००
समय मण्डल EAT (यूटीसी +3)

कुवैत सिटी (अरबी: مدينة الكويت, लिप्यन्तरण: मदीनत-अल-कुवैत) कुवैतक राजधानी होएके साथ-साथ हिमरके सबसँ पैग शहर सेहो छी । एकरा कुवैतक मुटु सेहो कहैत अछि । एहि शहरमे संसद भवन तथा अधिकांस सरकारी कार्यालयसभ स्थित अछि । देशक राजनीतिक राजधानी होएके साथ-साथ एकरा देशक सांस्‍कृतिक तथा आर्थिक राजधानी सेहो मानैत अछि । एकर अनुमानित जनसंख्या शहरीय सीमामे ६३,६०० (२००६) आ महानगरीय क्षेत्रमे २३.८ लाख अछि । शहरक क्षेत्रफल २०० वर्ग किलोमीटर अछि ।

ई शहर फारसक खाडी तटमे स्थित अछि आ कुवैतक सम्सद (मजलिस अल-उम्मा), अधिकांश सरकारी कार्यालय, कुवैतक बहुत पैग कम्पनी अत स्थित अछि । निर्विवाद रूपसँ ई कुवैतक राजनैतिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक केन्द्र छी । एहि साथ ई अरब जगतक एक महत्‍वपूर्ण पर्यटन स्‍थल सेहो छी । लिबरेशन टावर, कुवैत टावर, नेशनल म्‍यूजियम, फैलाका द्वीप, इन्टरटेनमेन्ट सिटी, साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्‍ट्री म्‍यूजियम, लिबरेशन स्‍मारक, साइन्टिफिक सेन्टर, तारिक रजाब म्‍यूजियम, बयात अल- बदीर, जूलाजिकल पार्क, सङ्गीतमय फव्‍वारा आदि हिमरक प्रमुख दर्शनीय स्‍थल छी ।[१][२][३]

प्रमुख आकर्षण[सम्पादन करी]

लिबरेशन टावर[सम्पादन करी]

ई टावर कुवैतक मुक्ित तथा उसकर पुनरुत्थानका प्रतीक छी । ई विश्वक सबसँ उच्च टावरमध्ये एक छी । ई टावर ३७२ मीटर उच्च अछि । लिबरेशन टावर एफिल टावरसँ ४० मीटर बहुत उच्च अछि । ई टावरक नाम इराकी कब्जासँ मुक्ति पछा देने अछि । ई टावर इमारत सिरेमिक टाइलसँ बनाने अछि ।

कुवैत टावर[सम्पादन करी]

१९७९ मे निर्मित, ई मीनार, कुवैत शहरक लैन्डमार्क छी।
मजलिस-अल-उमा (مجلس الأمة, "राष्ट्रका परिषद"), कुवैत शहरमे संसद भवन
कुवैत सिटीमे बर्गन बैङ्क

ई कुवैत सिटीक प्रमुख दर्शनीय स्थलमध्ये एक छी । ई टावर दशमनमे अरब सागरक तटमे सिटी सेन्टरक पूर्वमे स्थित अछि । ई टावर १८७ मीटर उच्च अछि ।

नेशनल म्यूजियम[सम्पादन करी]

ई म्यूजियम नेशनल एसेम्बलीको नजिक स्थित अछि । ई म्यूजियम परिसरमे चार भवन तथा एक तारामन्डल अछि । नेशनल म्यूजियममे इस्लामिक कलाक अल सबाह शैलीका सुन्दर सङ्ग्रह अछि । एकर अतिरिक्त एहिमे अरबी शैलीक हस्तशिल्पक सेहो अदभूत सङ्ग्रह अछि । ई म्यूजियममे इस्लामिक शैलीक वस्तुक सेहो प्रदर्शनक लेल राखने अछि । नेशनल म्यूजियमके इराकी आक्रमणकारिया जला देने छल ।

फैलाका द्वीप[सम्पादन करी]

१२ किलोमीटर लम्बाइ ६ किलोमीटर चौडाइ ई द्वीप कुवैत सिटी सेन्टरसँ २० किलोमीटर उत्तर-पूर्वमे स्थित अछि । ई कुवैतक एक प्रमुख पुरातात्विक स्थल छी । ई द्वीपक सम्बन्ध काङ्स्य युगसँ जोडने अछि । ओहि समय अत लोगसभक निवास छल । एहि द्वीपमे ग्रीक आक्रमणकारियासँ अपन बस्ती बबसाने छल । एक प्राचीन मन्दिरक अवशेष प्पाणी देख सकैत अछि ।

इन्टरटेनमेन्ट सिटी[सम्पादन करी]

कुवैत शहरक गगनरेखा

ई कुवैत सिटीसँ २० किलोमीटर दुरिमे स्थित अछि । ई विश्वक प्रमुख मनोरन्जन केन्द्रमध्ये एक छी । एहि ठाम मनोरन्जनक पूरा बन्दोबस्त अछि। ई सिटी अरब वर्ल्ड, फ्यूचर वर्ल्ड तथा इन्टरनेशनल वर्ल्डरमे तीन भागमे बाड्ने अछि । एकर रेक-देख के. टी. ई. सी. करैत् अछि ।

विज्ञान तथा प्राकृतिक इतिहास सङ्ग्रहालय[सम्पादन करी]

ई साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम अब्दुल्लाह मुबारक गलीमा स्थित अछि । एहिमे म्यूजियममे प्राकृतिक इतिहास, तेल उद्योग, उड्यन उद्योग, वनस्पति शास्त्र, इलेक्टोनिक्स तथा अन्तरिक्ष सम्बन्धित वस्तुक प्रदर्शित कएल गेल अछि । ई म्यूजियम शनिवारसँ बुधवारतक बिहान आ साझके खुला रहैत अछि ।

लिबरेशन स्मारक[सम्पादन करी]

ई स्माकर कुरेन हाउसिङ्ग क्षेत्रमे स्थित अछि । ई क्षेत्र इराक आ कुवैत बीच भेल युद्धक सबुत छी । आब ई क्षेत्रके स्मारकक रुपमे परिवर्तित कएल गेल अछि । ई स्मारकमे इ युद्ध सम्बन्धित वस्तुके प्रदर्शनीक लेल राखने अछि । एकर बाहेक ई स्मारकमे इराकी आधिपत्यके चित्रक माध्यमसँ प्रदर्शित कएल गेल अछि ।

साइन्टिफिक सेन्टर[सम्पादन करी]

ई मध्य-पूर्वक सबसँ पैग एक्वेरियम छी । एकर निर्माण कुवैत फाउन्डेशन करने अछि । ई एक्वेरियममे समुद्री जीव तथा समुद्रमे पावैवला गाछ-बिरुक्ष प्रदर्शित करैत अछि ।

तारिक रजाब म्यूजियम[सम्पादन करी]

ई एक रजाब परिवारक निजी म्यूजियम छी । ई म्यूजियमक निर्माण कार्य १९५० सँ दशक मे आरम्भ भेल छल । एकरा १९८० मे लोगसभक लेल खोल देने छल । ई म्यूजियम दुई भागमे बाटने अछि । एहिमे माइट वर्तन, सुलेखन, धातु शिल्प, लठ्ठीक हस्तशिल्प, हाथीक वस्तु, सिसाक सामान आदि देख सकैत अछि । ई म्यूजियमक भित्तामे कुरान उकेरा भेल छल । म्यूजियमक दोसर भागमे इस्लामिक शैलीक आभूषण, कपडा आदिके प्रदर्शनक लेल राखने अछि ।

बयात अल[सम्पादन करी]

बदीर: ई एक पुराना भवन छी, जे अल-सादू भवन निकट स्थित अछि । ई इमारतक निर्माण १८३८ ई. सँ १८४८ ई. क बीच भेल छल ।

जूलाजिकल पार्क[सम्पादन करी]

ई पार्क एयरपोर्टक नजिक ओमारियामे अछि । ई पार्क १८०००० वर्ग मीटरमे फैलल अछि । ई पार्कमे जानवरक ६५ प्रकार, पक्षिक १२९ प्रकार तथा ५ प्रकारक रेङ्गने वाला जीव देख सकैत अछि ।

सङ्गीतमय फव्वारा[सम्पादन करी]

ई फव्वारा रिङ्ग रोड १ मे आईस स्केटिङ्ग रिङ्कक छेउमे स्थित अछि । अतके प्रत्येक बेलुमे ६ बजेसँ रात १० बजेतक सङ्गीतमय फव्वाराक शो देखा वैत अछि ।

ई बाहेक कुवैत साइन्स क्लब, सादु हाउस, मस्जिद, पार्क, आर्ट आदि सेहो देख्न सकैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]