बीबी का मकबरा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बीबी का मकबरा
Bibi Ka Maqbara
बीबी का मकबरा
स्थानऔरङ्गाबाद, महाराष्ट्र, भारत
निर्देशाङ्क१९°५४′०५″N ७५°१९′१३″E / १९.९०१५१°N ७५.३२०१९५°E / 19.90151; 75.320195
निर्माणसन् १६६०–१६६१[१]
वास्तुकलाअता-उल्लाह, हंसपत राय
वास्तु शैलीमुगल वास्तुशैली
समर्पितदिलरास बानो बेगम
बीबी का मकबरा महाराष्ट्रपर अवस्थित
बीबी का मकबरा
महाराष्ट्र, भारतमे स्थान


बीबी का मकबरा (अङ्ग्रेजी: Bibi Ka Maqbara)[२]कऽ निर्माण मुगल बादशाह औरङ्गजेबक शहजादा आजमशाहद्वारा अन्तिम सत्रहम् शताब्दीमे कराएल गेल छल ।[३][४][५][६][७][८] ओ हुनकर माता, आ औरङ्गजेबक बेगम, दिलरास बानो बेगमक यादमे बनबाएल गेल छल । दिलरास बानो बेगमक राबिया-उद-दौरानीक नामसँ सेहो जानल जाइत छल | ई ताजमहलक आकृति पर बनवायल गेल छल । ई औरङ्गाबाद, महाराष्ट्रमे अवस्थित अछि । ई मकबरा अकबरशाहजहाँक कालक शाही निर्माणसँ अन्तिम मुगलसभक साधारण वास्तुकलाक परिवर्तनकें दर्शावैत अछि । ताजमहलसँ तुलनाक कारण मात्र ई उपेक्षाक कारण बनल रहल ।[९] मुगल कालक समय ई वास्तु औरङ्गाबाद शहरक मध्यमे अवस्थित छल | ई मुगल बादशाह औरङ्गजेबक निर्माण कएल वास्तुमे सर्वोत्तम अछि |[५][६][१०][४] [११]

निर्माण[सम्पादन करी]

अनुमान कएल जाइत अछि की एकर निर्माण सन् १६५१ आ सन् १६६१ कऽ मध्यकालमे भेल । गुलाम मुस्तफाक रचना तारीख नाम कऽ अनुसार एकर निर्माणक कूल लागत ६,६८,२०३ रुपैया भेल छल ।[१२] ई मकबराक गुम्बद पूर्ण रूपसँ सङ्गमरमरक पत्थरसँ बनल अछि | गुम्बद वाहेक दोसर निर्माण प्लास्टरसँ कएल गेल अछि | ई वास्तुक निर्माणक लेल पत्थर जयपुरक खदानसभसँ लाबल गेल छल | आजमशाह एकरा ताजमहल सँ बेसी भव्य बनबैलेल चाहैत छल मुदा बादशाह औरङ्गजेबद्वारा देल गेल खर्चमे ओ पूर्ण नै भऽ सकल |

ई मकबराक डिजाइन अताउल्लाहद्वारा कएल गेल छल | अताउल्लाहक पिताजी उस्ताद अहमद लाहोरीकें विश्वप्रसिद्ध ताजमहलक मुख्य वास्तुकारक तौर पर पहचानल जाइत छल | ई मकबराक गुम्बद ताजमहलक गुम्बदसँ आकारमे छोट अछि | प्राविधिक त्रुटीक कारण आ सङ्गमरमरक कमतरताक कारण ई वास्तु कहियो ताजमहलक बराबर नै मानल गेल |

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Bhalla, A.S. (2009). Royal tombs of India : 13th to 18th century. Ahmedabad: Mapin. प॰ 15. आइएसबिएन 9788189995102. 
  2. Lach, Donald F.; Kley, Edwin J. Van (1998). Asia in the Making of Europe : Volume III, the Century of Advance (Pbk. संस्करण). University of Chicago Press. प॰ 738. आइएसबिएन 9780226467672. 
  3. Lach, Donald F.; Kley, Edwin J. Van (1998). Asia in the Making of Europe : Volume III, the Century of Advance (Pbk. संस्करण). University of Chicago Press. प॰ 738. आइएसबिएन 9780226467672. 
  4. ४.० ४.१ "World Heritage Sites. Bibi-Ka-Maqbar"। अन्तिम पहुँच 28 January 2013
  5. ५.० ५.१ Eraly, Abraham (2008). The Mughal world: India's tainted paradise. Weidenfeld & Nicolson. pp. 376. 
  6. ६.० ६.१ Koch, Ebba (1997). King of the World: The Padshahnama. Azimuth. pp. 104. 
  7. Gopal, Madan (1990). K.S. Gautam. ed. India through the ages. Publication Division, Ministry of Information and Broadcasting, Government of India. प॰ 174. 
  8. Eraly, Abraham (2008). The Mughal world: India's tainted paradise.. Weidenfeld & Nicolson. pp. 376. 
  9. Gascoigne, Bamber; Gascoigne, Christina (1971). The Great Moghuls. Cape. प॰ 229. 
  10. "Bibi Ka Maqbara"मूलसँ 22 February 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 28 January 2013 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  11. text; Sahai, photogr. Surendra (2004). Indian architecture : Islamic period : 1192-1857 (1. publ. संस्करण). New Delhi: Prakash Books. प॰ 150. आइएसबिएन 9788172340575. 
  12. Maharashtra (India). Gazetteers Dept (1977). Maharashtra State gazetteers. Director of Govt. Printing, Stationery and Publications, Maharashtra State. प॰ 951. https://books.google.com/books?id=Lto-AQAAIAAJ. अन्तिम पहुँच तिथि: 25 January 2013. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]