तिला सङ्कराति

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(तिला संकराइतसँ पुनर्निर्देशित)
तिला सङ्कराति
Tila Sankranti
तिला सङ्कराति Tila Sankranti
तिला सङ्कराति पावनिक रमझम
अन्य नाममकर सङ्क्रान्ति, माघी
समुदायहिन्दू
प्रकारधार्मिक, सांस्कृतिक
महत्वउपजा-बाड़ीक खुशी ओ देवार्पणक पावनि, दिनक समय मे वृद्धिक स्वागत, सूर्य-पुजन
अनुष्ठानगुड्डी उड़ायब, मेला, प्राकृतिक जल-स्रोतक चहुंदिस वा प्राकृतिक संसाधन के साक्षी राखि सूर्य पुजा, कला, नृत्य सन जन-कौशलक समाजीकरण
तिथि१३-१५ जनवरीक मध्य, सूर्यक मकरस्थ होयबा'क दिन
२०२४ मेdate missing (please add)
समबन्धमाघी (शिख), माघे सङ्क्रान्ति, मकर सङ्क्रान्ति, पोङ्गल

तिला सङ्कराति भारत आ नेपाल लगायत हिन्दू धर्मावलंबीसभक एकटा प्रमुख पावनि थीक । ई माघ महिनाक पहिल दिन मनाएल जाइत अछि । अहि दिन नेपाल मे सार्वजनिक विदा होइत अछि । नेपाल मे माघ महिनाक पहिल दिन मकर सङ्क्रान्ति पहाडक जिलासभमे माघे सङ्क्रान्ति, मधेस आ थारु समुदायमे माघी आ मैथिली सहितक भारत बर्षक हिन्दू तिला सङ्कराति नाम सँ मनबैत अछि । एहि दिन प्रातहि सँ नदी पोखरि सहित आन जलाशय मे लोक सभक समूह देखबा' मे अबैत अछि । श्रद्धालु ठंढ़ केरि परवाहि कएने बिनु स्नान-ध्यान कए भगवानक पूजा करैत छथि आ' स्नान पूजाक पश्चात तिल, मुड़ही-चूड़ाक लड्डु (तिलवा, लाई बनाऽ कऽ ग्रहण करैत अछि । एहि दिन दुपहरियाक भोजन मे लोक खिचड़ी ओ तरुआ-पापड-चिकनौड़ी आदि आहार औषधीय गुणक कारण खाइछ । खम्हाउर सन कंद खयबा केरि सेहो किछु ठाम विशेष प्रथमिकता देल जाइत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

ज्योतिष शास्त्र अनुसार सौर मासक हिसाब सँ मकर-सङ्कराति सँ सूर्य धनु-राशि सँ मकर-राशि मे प्रवेश करैत दक्षिणायन सँ उतरायण होइत अछि अत‌एव एकरा मकर-सङ्कराति कहल जाइछ । पृथ्वी पर लोक कें सूर्यक उदयाचल दक्षिण दिस सँ उत्तर दिस संचरण प्रारम्भ होइछ बूझना जाइत अछि आ' उतरायणक प्रारम्भहि सँ एहि ऋतु मे अपेक्षाकृत दिन पैघ होयब आ' तापक्रम मे शनै:शनै वृद्धि होयब आरंभ होइछ । तें खगोलीय दृष्टि मे एकर अलगे महत्व मान्य अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

नेपाल ओ भारत मे उपलब्ध सांस्कृतिक ओ पारंपरिक राष्ट्रीय प्रकाशित आओर इ-सामग्रीक संग जन-संपर्क ओ चलन, राजनयिक समन्वयनक विभिन्न स्रोत

  1. Makar Sankranti, National Portal, Government of India

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

नेपालक राजकीय ओ राष्ट्रीय स्रोतक भारत मे उपलब्ध विभिन्न प्रकारक प्रकाशन

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]