जनमेजय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जनमेजय
कुरू राजा
व्यास आ राजा जनमेजय
पूर्वाधिकारीपरीक्षित
उत्तराधिकारीअश्वमेधदत्त
सन्तानसत्तनिका
पितापरीक्षित
मातामद्रावती

जनमेजय (अङ्ग्रेजी: Janamejaya) हिन्दू धर्म ग्रन्थ महाभारतक अनुसार कुरुवंशक राजा छल । महाभारत युद्धमे अर्जुनपुत्र अभिमन्यु जाहि समय मारल गेल, ओकर पत्नी उत्तरा गर्भवती छल । ओकर गर्भसँ राजा परीक्षितक जन्म भेल जे महाभारत युद्धक बाद हस्तिनापुर क गद्दी पर बैठल । जनमेजय याह परीक्षित तथा मद्रावतीक पुत्र छल । महाभारतक अनुसार (१.९५.८५) मद्रावती हुनकर जननी छल, मुदा भगवत् पुराणक अनुसार (१.१६.२), हुनकर माता ईरावती छल, जे की उत्तरक पुत्री छल ।[१]

ग्रन्थ अनुसार[सम्पादन करी]

जनमेजय आ हुनकर भाई

महाभारतमे जनमेजयकें ६ आओर भाई भेल बताएल गेल अछि । ई भाई छी कक्षसेन, उग्रसेन, चित्रसेन, इन्द्रसेन, सुषेण तथा नख्यसेन । महाकाव्यक आरम्भिक पर्वसभमे जनमेजयकें तक्षशिला तथा सर्पराज तक्षकक उपर विजय प्रसङ्ग अछि । सम्राट जनमेजय अपन पिता परीक्षितक मृत्यु पश्चात् हस्तिनापुरक राजगद्दी पर विराजमान भेल । पौराणिक कथाक अनुसार परीक्षित पाण्डुक एकमात्र वंशज छल । हुनका शमीक ऋषि शाप देनए छल की ओ सर्पदन्श सँ मृत्युकें प्राप्त हेबए । भेलो एहना आ सर्पराज तक्षककें कारण ई सम्भव भेल । जनमेजय याह प्रकरणसँ बहुत आहत भेल । ओ सम्पूर्ण सर्पवंशक समूल नाश करवाक निश्चय केलक । याह उद्देश्यसँ ओ सर्प सत्र या सर्प यज्ञ क आयोजनक निश्चय केलक । ई यज्ञ एतेक भयङ्कर छल की विश्वक समुर्ण सर्पसभक महाविनाश होमए लागल । ओहि समय एक बाल ऋषि अस्तिक ओ यज्ञ परिसरमे आएल । हुनकर माता मानसा एक नाग छल तथा हुनकर पिता एक ब्राह्मण छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Raychaudhuri, H.C. (1972). Political History of Ancient India: From the Accession of Parikshit to the Extinction of the Gupta Dynasty. University of Calcutta. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]