शान्तनु
दिखावट
| शान्तनु Santanu | |
|---|---|
| जानकारी | |
| पति या पत्नी(सभ) | गङ्गा आ सत्यवती |
| बच्चा | भीष्म, चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्य |
शान्तनु महाभारतक एक प्रमुख पात्र छी । ओ हस्तिनापुरक महाराज प्रतीपक पुत्र छल । हुनकर विवाह गङ्गासँ भेल छल । जहिसँ हुनका देवव्रत नामक पुत्र भेल । याह देवव्रत आगा चलि महाभारतक प्रमुख पात्र भीष्मक नामसँ जानल गेल । शान्तनुक दोसर विवाह निषाद कन्या सत्यवतीसँ भेल छल । ई विवाह करावैक लेल मात्र देवव्रत राजगद्दी पर नै बैसैक आ आजीवन कुमार रहैक भीष्म प्रतिज्ञा केनए छल, जकर कारण हुनकर नाम भीष्म पड़ल । सत्यवतीके चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्य नामक दुई पुत्र छल ।
