इन्द्रप्रस्थ
पठन सेटिंग्स
इन्द्रप्रस्थ (इन्द्रदेव कऽ शहर) प्राचीन भारतक राज्यसभ मध्ये एक छल । महान भारतीय महाकाव्य महाभारतक अनुसार ई पाण्डवसभक राजधानी छल । ई सहर यमुना नदीक किनारामे अवस्थित छल , जे कि भारतक वर्तमान राजधानी दिल्लीमे स्थित अछि।
सहरको निर्माण
[सम्पादन करी]महाभारत (पुस्तक १, अध्याय २०९)मे ई सहरक विवरण देने अछि, कि कना पाण्डवसभ ई सहर बनालक आ बसालक।
पाण्डवक पांचाल राजा द्रूपदक बेटी द्रौपदीसँग विवाह उपरांत मित्रता भेलवाद ओसभ बहुत शक्तिशाली भेल छल । ओकरवाद हस्तिनापुरक महाराज धृष्टराष्ट्र ओसभके राज्यमे बोलालक । धृष्टराष्ट्र युधिष्ठिर के सम्बोधित करैत कहलक, “ हे कुन्ती पुत्र!अपन भ्रातासभसँग जे हम कहै छी, सुन। अहँसभ खाणडवप्रस्थक वनके हटा अपन लेल एक सहर निर्माण करु, जेसँ अहाँसभके आ हमर बेटासभमे कोनो अन्तर नै रहत।