अग्रसेन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

महाराजा अग्रसेन (४२५० बीसी सँ ६३७ एडी) एक पौराणिक समाजवादक प्रर्वतक, युग पुरुष, राम राज्यक समर्थक एवम् महादानी छल। ओ अग्रोहा गणराज्यक महाराजा छल।[१][२][३]

जीवन परिचय[सम्पादन करी]

फाइल:Agrasen ki Baoli, नई दिल्ली, भारत - 20070127.jpg
दिल्ली मे स्थित अग्रसेनक बावली, जेकर निर्माण महाराजा अग्रसेन महाभारत कालमे करौने छल।[४][५][६]

आर्यसभक प्रथम शासक (राजा) वैवस्वत मनु भेल। हुनकर नौ पुत्रसभसँ सूर्यवंशी क्षत्रीसभक प्रारम्भ भेल। मनुक एक कन्या सेहो छल - इला। ओकर विवाह बुधसँ भेल जे चन्द्रमाक पुत्र छल। ओहीसँ पुरुरवस्‌क उत्पत्ति भेल, जे ऐल कहल गेल आ चन्द्रवंशीसभक प्रथम शासक भेल। ओकर राजधानी प्रतिष्ठान छल, जतय आई प्रयागक निकट झूँसी अवस्थित अछि। पुरुरवाक छ: पुत्रसभमे आयु आ अमावसु अत्यन्त प्रसिद्ध भेल। आयु प्रतिष्ठानक शासक भेल आ अमावसु कान्यकुब्जमे एकटा नव राजवंशक स्थापना केलक। कान्यकुब्जक राजासभमे जह्वु प्रसिद्ध भेल जेकर नाम पर गंगाक नाम जाह्नवी पडल। आगा जाके विश्वरथ अथवा विश्वामित्र सेहो प्रसिद्ध भेल, जे पौरोहित्य प्रतियोगितामे कोसलक पुरोहित वसिष्ठक संघर्षमे आएल। आयुक बाद ओकर जेठ पुत्र नहुष प्रतिष्ठानक शासक भेल। ओकर छोट भाई क्षत्रवृद्ध काशीमे एक राज्यक स्थापना केलक। नहुषक छ पुत्रसभमे यति आ ययाति सर्वमुख्य भेल। यति सन्यासी भ गेल आ ययातिक राजगद्दी मिलल। ययाति शक्तिशाली आ विजेता सम्राट् भेल तथा अनेक आनुश्रुतिक कथासभक नायक सेहो। ओकर पाँच पुत्र भेल - यदु, तुर्वसु, द्रुह्यु, अनु आ पुरु। एही पाँच अपन-अपन वंश चलौलक् आ हुनकर वंशजसभ दूर-दूर धरि विजय केलक।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Singh, Kumar Suresh; B. V. Bhanu (2004). People of India. Popular Prakashan (Mumbai), Anthropological Survey of India (Kolkata). प॰ 46. आइएसबिएन 81-7991-100-4. OCLC 58037479. http://books.google.com/books?vid=ISBN8179911004&id=DEAlCTxJowUC&pg=PA46&lpg=PA46&ots=Bvlxact-nQ&dq=agarwal+agroha&sig=3JVJpW3XF2UJXStGcgV-tWgHKlE. अन्तिम पहुँच तिथि: 2007-04-19. 
  2. History of Ancient India - By J.P. Mittal
  3. "http://www.agrawal-samaj.com/index1.html"मूलसँ 2007-12-16 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-11-06 {{cite web}}: External link in |title= (help)
  4. Mittal, J.P. (2006), History of Ancient India (4250 BC to 637 AD) page 675, ISBN 978-81-269-0616-1 (This author considers King Agrasen an actual historical figure)
  5. "Agrasen Ki Baoli, un oasis au coeur de la capitale | Inde Information"। Aujourdhuilinde.com। अन्तिम पहुँच 2012-10-01
  6. "Monuments - Delhi Monuments - Tourist Information of India - Lakes, Waterfalls, Beaches, Monuments, Museums, Places, Cities - By"। Tripsguru.com। अन्तिम पहुँच 2012-10-01

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]