के. कामराज
| के. कामराज | |
|---|---|
| जन्मतिथी: | १५ जुलाई, १९०३ |
| निधन: | २ अक्टूबर, १९७५ |
| प्रसिद्ध राजनीतिज्ञ | |
| जन्मस्थान: | विरुधुनगर, मदुरै, तमिलनाडु |
के. कामराज या कुमारास्वामी कामराज (१५ जुलाई १९०३ - २ अक्टूबर १९७५) भारत के राज्य तमिलनाडु के प्रसिद्ध राजनीतिज्ञ छल। उनकर जन्म विरुधुनगर, मदुरै, तमिलनाडु मे भेल छल। भारत के २ प्रधानमंत्री, लालबहादुर शास्त्री आ इंदिरा गांधी के चुनाव मे उनकर महत्वपूर्ण योगदान छल।
के. कामराज ‘नाडर जाति’ से उठि के मद्रास, बाद मे तमिलनाडु के मुख्यमन्त्री आ ‘कांग्रेस पार्टी’ के अध्यक्ष बनल। तमिलनाडु क राजनीति मे बिल्कुल निचला स्तर सँ अपन राजनीतिक जीवन शुरू करि देश के दुई प्रधानमंत्री चुने मे महत्वूपर्ण भूमिका निभावे के कारण 'किंगमेकर' कहल जाए वाला के. कामराज साठि के दशक मे ‘कांग्रेस सङ्गठन’ मे सुधार क लेल कामराज योजना प्रस्तुत करि के कारण विख्यात भेल।
परिचय
[सम्पादन करी]कामराज क जन्म १५ जुलाई १९०३ क तमिलनाडु के विरूधुनगर मे हुआ छल। उनकर मूल नाम कामाक्षी कुमारस्वामी नादेर छल परन्तु बाद मे ओ के. कामराज के नाम से ही जानल गेल। कामराज अपन पढाई पूरा नै करि पावलक परन्तु जर्ज जोसेफ के नेतृत्व वाला ‘वैकम’ सत्याग्रह उनका आकर्षित केलक।