"राजविराज" के अवतरणसभमे अन्तर
Biplab Anand (वार्ता | योगदान) |
Biplab Anand (वार्ता | योगदान) |
||
पङ्क्त्ति १५८: | पङ्क्त्ति १५८: | ||
==धार्मिक केन्द्रसभ== |
|||
⚫ | |||
राजविराज नेपालक मुख्य शहरसभमे सँ बहुसङ्ख्यक [[हिन्दू]] धर्मावलम्बीसँ भरल शहर छी । एतय अवस्थित मन्दिरमे अधिकांश धार्मिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक गतिविधि देखल जा सकैत अछि । राजविराज नगरक्षेत्रमे [[राजदेवी मन्दिर]], [[भगवती मन्दिर, राजविराज|भगवती मन्दिर]], राधाकृष्ण मन्दिर, शिव मन्दिर, हनुमान मन्दिर लगायतक विभिन्न धार्मिक मठ, मन्दिर तथा देवस्थलसभ अछि । [[विजयादशमी]], [[यमपञ्चक]], [[तीज]], [[होली]], [[श्रीकृष्ण जन्माष्टमी]], [[बुद्ध पूर्णिमा]], [[ल्होसार]], [[छठ]], [[रामनवमी]], [[इद]], [[बकरिद]] तथा [[रमजान]] लगायतक पावनि तिहारसभ भव्य रूपमे मनाएल जाइवाला राजविराज नगरक्षेत्रक अपने प्रकारक विशेषता अछि । |
|||
⚫ | |||
==सन्दर्भ सामग्रीसभ== |
==सन्दर्भ सामग्रीसभ== |
अन्तिम परिवर्तन २२:३०, ८ सितम्बर २०१७
राजविराज | |
---|---|
शहर | |
Rajbiraj | |
देश | नेपाल |
प्रदेश | प्रदेश नं. २ |
विकास क्षेत्र | पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र |
अञ्चल | सगरमाथा अञ्चल |
जिला | सप्तरी जिला |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ५२ किमी२ (२० वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ७६ मिटर (२४९ फिट) |
जनसङ्ख्या (वि.स. २०६८) | |
• कुल | ६७,२६२[१][२] |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
डाक कोड | ५४६०० |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३१ |
वेबसाइट | rajbirajmun.gov.np |
राजविराज (अङ्ग्रेजी: Rajbiraj ) पूर्वी नेपालक प्रदेश नं. २ अन्तर्गत सगरमाथा अञ्चलक सप्तरी जिलामे अवस्थित एक शहर छी । ई नेपालक एक प्रसिद्ध शहर होमएक संगे सप्तरी जिलाक सदरमोकाम छी । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ[३] करि बसाएल सप्तरी जिलाक सदरमुकाम राजविराज तराई क्षेत्रक सब सँ पहिल आ अधिराज्यक चारिम नगरपालिका छी । वि.सं. १९९४ दिस सप्तकोशी नदी जखन पुरान सदरमोकाम हनुमाननगर कटान केनाए सुरु कऽ देलक[४] तखन सदरमुकाम आन ठाम घसकेबाक निर्णय कएल गेल आ आ ओकरे फलस्वरूप तत्कालीन बडाहाकिम प्रकाशशमशेर जबरा उपयुक्त ठाम खोजि शहर बसेबाक जिम्मेवारी ख्यातिप्राप्त इन्जिनीयर डिल्लीजङ्ग थापाके देलक । ओ अपन जमीनदारी मौजा रहल जोलहरी मलेठ गाम नजदिक राजपुर मौजामे सदरमुकाम बनेबाक निर्णय केलक । ओ समयमे सुन्दर शहरक रूपमे प्रसिद्धि पाबल भारतक गुलाबी शहर जयपुरक नक्साक आधारमे टाउन प्लानिङ करि वि.सं. १९९८ मे राजविराज शहर बैसाएल गेल छल ।[५][६]
इतिहास आ विकास
वर्तमान राजविराज नगरक नामकरण राजविराजक पूर्वी भागक भलुवाही नदीके किनारमे अवस्थित पुरान इतिहासक प्रख्यात राजदेवी भगवती मन्दिरक नामसँ राजविराज नाम रहलगेल बात बहुतेक पुस्तकमे उल्लेख कएल गेल अछि ।[७] राजदेवी भगवतीकें सेन राजाक इष्टदेवी मानल जाइत अछि । राजदेवी मन्दिर एतय अवस्थित होमएक कारण एतय सेन राजासभक कचहरी, दरवार, किला रहनाए छी । शहर विकासक लेल आवश्यक आधारसभ भेलाक कारण वि.सं. २०१६ सालमे राजविराजकें नगरपालिका घोषणा कएल गेल । नगरपालिकाक पूर्वमे महादेवा गाउँपालिका आ तिलाठी कोईलाडी गाउँपालिका, पश्चिममे बेल्ही चपेना गाउँपालिका आ रुपनी गाउँपालिका, उत्तरमे रुपनी गाउँपालिका आ कृष्णासवरन गाउँपालिका तथा दक्षिणमे छिन्नमस्ता गाउँपालिका अछि । योजनाबद्ध रूपसँ व्यवस्थित राजविराज नगर व्यवसायिक रूपसँ वि.सं. २०१० सालदिस पूर्वी नेपालको तराई आ पहाडी जिलाक व्यापारिक केन्द्रक रूपमे विकसित भेल । नगरपालिका भितरमे ऐतिहासिक राजदेवी, दुर्गा भगवती, वागेश्वरी भगवती, हनुमान, रामजानकी, राधाकृष्ण, विष्णु, बैष्णवी काली, महादेव जका मठ मन्दिर तथा मुस्लिम समुदाय क जामे मस्जिद आ जैन धर्मावलम्बीसभक मन्दिर अछि ।[८]
यातयात
राजविराजसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभसँ सड़क यातायातसँ जुड़ल अछि । राजविराज विमानस्थल अखन निर्माणाधीन अछि आ सुचारू भेलाक बाद एतयसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क रहत । राजविराज शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक सुपौल जिलाक कुनौलीसँ जुड़ल अछि ।
- वायुसेवा: निर्माणाधीन ।
- सड़कसेवा: राजधानी शहर काठमाडौंसँ राजविराज लगभग ४९५ किलोमिटर (३१० माइल)क दूरीमे अछि । ई धरान, इटहरी आ धनकुटा लगायत नेपालक पूर्वी क्षेत्र आ अन्य क्षेत्रक सड़कसेवासँ निक जका जुड़ल अछि ।
- सिमापार: भारतक राज्य बिहारसँ लगभग १० किलोमिटर (६ माइल)क उत्तरमे राजविराज अवस्थित अछि । भारतक सभसँ नजदिकी बजार सुपौल जिलाक कुनौली बजार अवस्थित अछि । भारत आ नेपालक ई क्षेत्रमे राजश्व केन्द्र स्थापित अछि । नेपाली आ भारतीय लोकसभ निकसँ आवतजावत करैत अछि ।
- शहर भितर: साइकल, मोटर सवारी, रिक्सा आ ट्याक्सीसभ शहरमे चलैत अछि । शहरसँ बाहर यात्राक लेल अटो रिक्सा (टेम्पो)उपलब्ध अछि । सिटी सफारी आ विद्युतीय रिक्सा राजविराजक सम्पूर्ण भागमे जुड़ल अछि जे सर्वसुलभ आ वातावरण मैत्री अछि ।
जनसङ्ख्या
नेपालक जनगणना वि.सं. २०६८ कऽ अनुसार राजविराजक कूल जनसङ्ख्या ६७,२६२ अछि जहिमे पुरुषक सङ्ख्या ३४,६८४ आ महिलाक सङ्ख्या ३२,५७८ अछि । ई शहरक साक्षरता दर ७९.७१% अछि जहिमे पुरुषक साक्षरता दर ८८.४०% आ महिलाक साक्षरता दर ७०.२४% अछि ।[९] २०६८ कऽ राष्ट्रिय जनगणना प्रतिवेदन अनुसार राजविराजमे हिन्दू धर्मावलम्बी मुख्य धर्मक रूपमे अछि । मुख्यतया हिन्दू धर्म माननिहारक सङ्ख्या बेसी अछि । हिन्दू धर्मावलम्बीक सङ्ख्या ८७%, मुस्लिम धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १०.८९%, जैन धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १.२६% अछि तँ शिखक सङ्ख्या ०.६४% रहल अछि ।[९] राजविराज शहरमे विभिन्न जातजातिक लोकसभ बसोबास रहल अछि जहिमे कायस्थ, ब्राह्मण, राजपुत, वैश्य, तेली, यादव, बनिया, मारवाड़ी, थारू, लोहार, धानुक आदी अछि ।
राजविराजमे बाजल जाइवला मुख्य भाषा मैथिली छी जे मुख्यतया सम्पूर्ण वर्गक लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि । मैथिली भाषाक बाद सभ सँ बेसी बाजल जाइवला भाषा नेपाली छी । अन्य भाषासभ बहुत कम बाजल जाइत अछि ।[९]
मौसम
राजविराज नगरपालिकाक जलवायु उष्णकटिबन्धीय अछि । राजविराजक तीन मुख्य मौसम ग्रीष्म, मनसुन आ शरद अछि । नेपालक तराई क्षेत्रमे अवस्थित भेलाक कारण राजविराजक मौसम प्राय गरम होइत अछि ।[१०] ग्रीष्म ऋतु अप्रैलक सुरुवात संगे सुरू भ अगस्त धरि रहैत अछि आ ई समय ई शहरक तापक्रम २३ °से (७३ °फे) सँ ४४ °से (१११ °फे) धरि पहुँच जाइत अछि । मनसुनक आगमन जुलाईमे होइत अछि आ शरद ऋतुक आगमन अक्टुबरसँ होइत अछि तँ ई मार्च धरि रहैत अछि ।
ठण्डी मौसममे राजविराजक भ्रमण उपयुक्त रहैत अछि । पर्यटकसभ प्राय मध्य सितम्बरसँ अन्तिम मार्चमे एतय आबैलेल पोसन्द करैत अछि । समष्टिगत रूपमे जनवरीसभसँ ठण्डा महिना रहैत अछि तँ जुनसभसँ गरम महिना रहैत अछि ।
महिना | जन | फर | मार्च | अप्रैल | मई | जुन | जुलाई | अगस्त | सित | अक्टु | नव | दिस | वर्ष |
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
अधिकतम °से (°फे) औषत | २१٫५ (७१) |
२५٫४ (७८) |
२९٫९ (८६) |
३३٫१ (९२) |
३३٫७ (९३) |
३१٫८ (८९) |
३१٫७ (८९) |
३१٫४ (८९) |
३१٫० (८८) |
३०٫२ (८६) |
२६٫२ (७९) |
२४٫१ (७५) |
२९٫१७ (८४٫६) |
न्यूनतम °से (°फे) औषत | ८٫० (४६) |
१०٫१ (५०) |
१२٫६ (५५) |
१८٫४ (६५) |
२२٫३ (७२) |
२४٫२ (७६) |
२४٫६ (७६) |
२४٫४ (७६) |
२३٫६ (७४) |
२०٫८ (६९) |
१२٫४ (५४) |
९٫२ (४९) |
१७٫५५ (६३٫५) |
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) | १२٫७ (०٫५) |
१४٫२ (०٫५६) |
१७٫२ (०٫६८) |
५६٫१ (२٫२१) |
१८९٫० (७٫४४) |
३२०٫४ (१२٫६१) |
५४५٫८ (२१٫४९) |
३८४٫३ (१५٫१३) |
२९९٫८ (११٫८) |
९२٫८ (३٫६५) |
६٫८ (०٫२७) |
५٫४ (०٫२१) |
१,९४४٫५ (७६٫५५) |
स्रोत: मौसम पूर्वानुमान विभाग, नेपाल[११] |
धार्मिक केन्द्रसभ
राजविराज नेपालक मुख्य शहरसभमे सँ बहुसङ्ख्यक हिन्दू धर्मावलम्बीसँ भरल शहर छी । एतय अवस्थित मन्दिरमे अधिकांश धार्मिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक गतिविधि देखल जा सकैत अछि । राजविराज नगरक्षेत्रमे राजदेवी मन्दिर, भगवती मन्दिर, राधाकृष्ण मन्दिर, शिव मन्दिर, हनुमान मन्दिर लगायतक विभिन्न धार्मिक मठ, मन्दिर तथा देवस्थलसभ अछि । विजयादशमी, यमपञ्चक, तीज, होली, श्रीकृष्ण जन्माष्टमी, बुद्ध पूर्णिमा, ल्होसार, छठ, रामनवमी, इद, बकरिद तथा रमजान लगायतक पावनि तिहारसभ भव्य रूपमे मनाएल जाइवाला राजविराज नगरक्षेत्रक अपने प्रकारक विशेषता अछि ।
शैक्षिक संस्थानसभ
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "National Population and Housing Census 2011" (PDF)। National Planning Commission Secretariat, Central Bureau of Statistics (CBS), Government of Nepal। November 2012।
- ↑ "New Structure of Nepal" (PDF)। MOFALD, Government of Nepal। March 2017।
- ↑ Rajbiraj revisited-NepaliTimes, अन्तिम पहुँच 2017-09-03
- ↑ Hamal, Lakshman B. (1995) (enमे). Military history of Nepal. Sharda Pustak Mandir. https://books.google.com.np/books?id=O3RuAAAAMAAJ&q=Rajbiraj+history&dq=Rajbiraj+history&hl=en&sa=X&redir_esc=y.
- ↑ http://www.spotlightnepal.com/news/article/what-went-wrong-madhesh-nepal-dilli-jung-thapa
- ↑ http://www.housingnepal.com/articles/display/rapid-urbanization-in-nepal-an-asset-or-liability
- ↑ Dāsa, Harikānta Lāla (2003) (neमे). Saptarī Jillākā pramukha sāṃskr̥tika sthalaharu: eka adhyayana : laghuanusandhānakārya. Nepāla Rājakīya Prajñā-Pratishṭhāna. https://books.google.com.np/books?id=xElQAQAAIAAJ&q=%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A6%25E0%25A5%2587%25E0%25A4%25B5%25E0%25A5%2580+%25E0%25A4%25AE%25E0%25A4%25A8%25E0%25A5%258D%25E0%25A4%25A6%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B0&dq=%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A6%25E0%25A5%2587%25E0%25A4%25B5%25E0%25A5%2580+%25E0%25A4%25AE%25E0%25A4%25A8%25E0%25A5%258D%25E0%25A4%25A6%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B0&hl=en&sa=X&redir_esc=y.
- ↑ Today, News (१९ फाल्गुन २०७२, बुधबार २०:०४), राजविराजको राजदेवी मन्दिरः जहाँ भक्तजनको भाकल पुरा हुने जनविश्वास, अन्तिम पहुँच 2017-09-03
{{citation}}
:|first=
has generic name (help); Check date values in:|date=
(help) - ↑ ९.० ९.१ ९.२ ९.३ "National Population and Housing Census 2011" (PDF)। Central Bureau of Statistics। अन्तिम पहुँच 1 March 2014।
- ↑ "Rising Temperature"। The Himalayan Times। अन्तिम पहुँच 6 June 2015।
- ↑ "NORMALS FROM 1981-2012"। Department of Hydrology and Meteorology (Nepal)। अन्तिम पहुँच 20 October 2012।
बाह्य जडीसभ
विकिमिडिया कमन्समे राजविराजसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |