सामग्री पर जाएँ

क्यान्डी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
क्यान्डी
මහ නුවර
கண்டி
City
क्यान्डी ताल आ सिटी सेन्टर
क्यान्डी ताल आ सिटी सेन्टर
क्यान्डीक आधिकारिक छाप
उपनाम: 
नुआरा
आदर्श वाक्य: 
मुक्त आ सदगुण
राष्ट्रश्रीलंका
प्रान्तकेन्द्रीय प्रान्त
जिलाक्यान्डी जिला
प्रखण्ड सचिवालयक्यान्डी प्रखण्ड सचिवालय
सेन्कादगलपुरा१४अम शताब्दी
क्यान्डी नगर परिषद१८६५
संस्थापकविक्रमवाहु III
सरकार
  प्रकारनगर परिषद
  अङ्गक्यान्डी नगर परिषद
  मेयरसेना दिसानायके
क्षेत्रफल
  कुल१९४० किमी (७५० वर्गमाइल)
  जमीन१९१७ किमी (७४० वर्गमाइल)
  पानी२३ किमी (९ वर्गमाइल)
उन्नतांश
५०० मिटर (१६०० फिट)
जनसङ्ख्या
 (2001)
  कुल१,१०,०४९
  घनत्व५७/वर्ग किमी (१५०/वर्ग माइल)
वासिन्दाक्यानडियन
समय क्षेत्रयुटिसी+०५:३० (श्रीलंका समय)
वेबसाइटkandycity.org

क्यान्डी (सिन्हाला: මහ නුවර Maha Nuvara, उच्चारण [mahaˈnuʋərə]; तमिल: கண்டி kaṇṭi, उच्चारण [ˈkaɳɖi] श्रीलंकाक मध्य भागमे अवस्थित शहर छी। ई शहर कोलम्बोसँ १ सय १५ किलोमिटर दुर तथा समुद्री सतहसँ ४ सय ६५ मिटर उचाईमे अछि। ई श्रीलंकाक पुरान केन्द्रीय राजधानी छी।[] एकर वास्तविक नाम महा नुवारा अर्थात् महाननगर छी। चौदहम शताब्दीमे स्थापना भेल ई शहरक पुरान महलसभमे औपनिवेशिक झलक देखल जा सकैत अछि। ई शहरक डाल्दा मालिगावा (टेम्पल अफ द टुथ)के सन् १९८८ मे विश्व सम्पदा सूचीमे सेहो सूचीकृत अछि।[] एतय गौतम बुद्धक एकटा दाँत राखल गेल विश्वास कएल जाइत अछि। प्रत्येक वर्ष जुलाई-अगस्तमे एतय आयोजन होमएवला क्यान्डी पेराहेरा कार्यक्रममे उक्त दाँत लोकसभक दर्शनक लेल निकालल जाइत अछि। कार्यक्रमक क्रममे बजाबैवला बाजा, नृत्य एवं हात्तीसभक लस्कर विश्वभरि परिचित अछि । ई शहरमे देखलायक बहुतेक स्थान अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Major Cultural Assests/Archaeological Sites", Department of Archaeology Sri Lanka, मूलसँ २०११-०९-१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-१०-२४ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "Heritage Sites", Central Cultural Fund।

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]