विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/२०१८

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

आवेदन सारांश तालिका[सम्पादन करी]

माह     मुख्य लेखके आवेदन      मुख्य सम्पादक  आवेदक समर्थन ↑ विरोध ↓ मुख्य लेख समन्वय समिति
जनवरी २०१८ १९८७ क्रिकेट विश्वकप बिप्लब आनन्द बिप्लब आनन्द Biplab Anand (वार्ता) २२:१०, ३१ दिसम्बर २०१७ (NPT)
फरबरी २०१८ चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज निलम कर्णबिप्लब आनन्द बिप्लब आनन्द Biplab Anand (वार्ता) १७:४०, ३० जनवरी २०१८ (NPT)
सम्पादन
२०१८क मुख्य लेखक लेल प्राप्त आवेदनसभ

आवेदन सङ्ग्रह: २०१४ २०१५ २०१६ २०१७ २०१८ २०१९

जनवरी २०१८[सम्पादन करी]

१९८७ क्रिकेट विश्वकप[सम्पादन करी]

विश्वकप

१९८७ क्रिकेट विश्वकप (आधिकारिक रुपमे रिलायन्स विश्वकप) क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक चारिम क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ८ अक्टुबर सँ ८ नवम्बर धरि भारत तथा पाकिस्तानमे आयोजन भेल छल । ई टुर्नामेन्ट रिलायन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । प्रतियोगितामे कूल ८ टिम सहभागी छल । म्याच ६० ओभरक बदला ५० ओभरक खेलाएल गेल छल (वर्तमान नियम अनुसार) । ई प्रतियोगितामे सेहो म्यान अफ द सिरिजक व्यवस्था नै कएल गेल छल । ई प्रतियोगिताक रोमाञ्चक फाइनल खेलमे अस्ट्रेलिया इङ्गल्याण्डके ७ रन सँ हराबैत उपाधि जितने छल । आयोजक राष्ट्र भारत तथा पाकिस्तान दुनू प्रतियोगिताक सेमी फाइनलधरि पहुँचल छल तहिने २ बेरक उपाधि विजेता वेस्ट इन्डिज समूह चरण सँ बाहर भेल छल । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ६४९, अक्षर: ३४६.५, स्पेस: ११०
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २२:०८, ३१ दिसम्बर २०१७ (NPT)


समुदायक मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--Biplab Anand (वार्ता) २२:०८, ३१ दिसम्बर २०१७ (NPT)

समर्थन[सम्पादन करी]

  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे --Biplab Anand (वार्ता) २२:०८, ३१ दिसम्बर २०१७ (NPT)

असमर्थन[सम्पादन करी]

टिप्पणी[सम्पादन करी]

फरबरी २०१८[सम्पादन करी]

चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज[सम्पादन करी]

चिरानी

चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज (पहिने शाही चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज) नेपालक सबसँ पहिल तथा सबसँ पुरान राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । एकर स्थापना सन् १९७३ मे कएल गेल छल । एहि निकुञ्जकें सन् १९८४ मे विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीबद्ध कएल गेल । एकर क्षेत्रफल ९३२ किमी (३६० वर्ग माइल) अछि । एकर अवस्थिति उचाई निचुलका नदी उपत्यकामे १०० मी (३३० फिट) सँ चुरे पहाड क्षेत्रमे ८१५ मी (२,६७४ फिट) धरि रहल अछि । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज नेपालक मध्य तराईमे अवस्थित अछि जे जैविक विविधताक दृष्टिसँ धनिक अछि । एहि निकुञ्जक मुख्य कार्यालय कसरामे अछि । सब प्रकारक प्रशासनिक काजसभ कसरासँ होइत अछि ।

सन् १९५१ धरि चितवन उपत्यकाक तत्कालीन शासकसभ एक आपसमे शिकार खेलैत छल जकर कारण ई खुबे प्रचलित छल । जे बादमे जाए चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक रूप लेलक । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक मुख्यद्वार नजदिकक शहर भरतपुरसँ १० किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि । ई निकुञ्ज भ्रमण करवाक लेल सडकमार्ग होइत भरतपुर भऽ टाँडीसँ भितर होइत जा सकैत अछि तँ भरतपुर विमानस्थलमे दैनिक उड़ान उपलब्ध अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ९७२, अक्षर: ५५६.५, स्पेस: १५८
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) १७:४०, ३० जनवरी २०१८ (NPT)


मुख्य लेख निर्वाचित — तुल्सी भगत (वार्तालाप) १२:३३, ३१ जनवरी २०१८ (NPT)

समर्थन[सम्पादन करी]

असमर्थन[सम्पादन करी]

टिप्पणी[सम्पादन करी]

मार्च २०१८[सम्पादन करी]

होली[सम्पादन करी]

होली खेलैत, उटाह अमेरिकामे

होली ( /ˈhl/; संस्कृत: होली Holī) हिन्दू संस्कृतिमे प्रत्येक वर्षक फागुन शुक्ल पूणिर्मा अर्थात होली पूर्णिमाक दिन मनावल जाईत अछि । ई पर्व नेपाल, भारत तथा अन्य राष्ट्रसभमे बसोबास करैवाल हिन्दूसभक एकटा महत्वपूर्ण पर्व छी । ई पर्व वसन्त ऋतुक फागुन मासमे मानावैत अछि । होलीमे हमसभ नेपाली समुदायमे फागु पुर्णिमा आ मिथिलामे फगुवाक नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । होली रङ्गक पर्व छी । होलीक दिन सम्पूर्ण हिन्दूधर्मावलम्बी एक दोसरके विभिन्न प्रकारस रङ्ग आर अबीर लगावैत अछी । मिठाई आ पकवान खुवावैत अछि । होली पर्व मनेवाक एकटा कारण आर इतिहास अछी । एकता सचाई अछि होलीक दिन पूरान कटुता समाप्त कए आर दुस्मनी सेहो बिसैर आदमीसभ एक-आपसमे भेट करैत अछि । होली पर्व घरपरिवार-साथीभाई आपसम रङ रङ्गक उल्लासपूर्वक फागुन पूणिर्माक अवसरमे पहाडसँ, तराई आर गाउँ आ सहरधरि बच्चा, युवा युवती तथा प्रौढसभक हूल तथा जत्थासभ हातमे रङ आर रङ्गीन घोल पदार्थ ल गीत गावैत, बजावैत, मनोरञ्जन होहल्ला करैत आपसी रिसईबी छोडिक उत्साह आर र उमङ्गक साथ मनावैत अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: १३०९, अक्षर: ८५२, स्पेस: १९२
  • मुख्य सम्पादक: जितेन्द्र
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — तुल्सी भगत (वार्तालाप) १५:०१, १ मार्च २०१८ (NPT)


मुख्य लेख निर्वाचित — तुल्सी भगत (वार्तालाप) १५:०५, १ मार्च २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

अप्रैल २०१८[सम्पादन करी]

बकिङ्घम प्यालेस[सम्पादन करी]

बकिङ्घम प्यालेस

बकिङ्घम प्यालेस ब्रिटिश राजशाही कऽ लन्डन अवस्थित आधिकारिक निवास छी । वेस्टमिन्स्टर शहरमे स्थित ई राजमहल राजकीय आयोजना आ शाही आतिथ्यक केन्द्र छी । ई ब्रिटेन वासीसभक लेल राष्ट्रिय हर्षोन्माद आ सङ्कटकक समय चर्चाकें विषय रहल अछि ।

मूलतः बकिङ्घम हाउस कऽ रूपमे जानल जाए वला, ई भवन जे आजुक महलक महत्वपूर्ण भाग छी, सन् १७०३ मे बकिङ्घमक ड्युकक लेल एक एहन जगह पर बनायल गेल एक विशाल टाउन हाउस छल, जे कम सँ कम १५० वर्षधरि निजी स्वामित्वकें अधीन रहल छल । बादमे सन् १७६१ मे एकरा जर्ज तृतीय- महारानी चार्लोटक लेल एक निजी आवासक रूपमे अधिगृहित करि लेल गेल छल आ द क्विन्स हाउस कऽ नाम सँ जानल जाइत अछि । १९हम शताब्दीकें समयमे मुख्य रूपसँ वास्तुकार जन न्यास आ एडवर्ड ब्लोरद्वारा एक केन्द्रीय प्राङ्गणक अगल-बगल तीन बालकनी बनाए एकर विस्तार कएल गेल । अन्तत: सन् १८३७ मे महारानी भिक्टोरियाक शासनमे बकिङ्घम प्यालेस ब्रिटिश राजशाहीकें आधिकारिक शाही महल बनि गेल । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ८५६, अक्षर: ४६६.५, स्पेस: १५४
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २२:२३, ३१ मार्च २०१८ (NPT)

मुख्य लेख निर्वाचित — Biplab Anand (वार्ता) २२:२३, ३१ मार्च २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे — Biplab Anand (वार्ता) २२:२३, ३१ मार्च २०१८ (NPT)
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

मई २०१८[सम्पादन करी]

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक[सम्पादन करी]

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक, जे आधिकारिक रूपसँ पहिल ओलम्पियाड खेल (अङ्ग्रेजी: Games of the I Olympiad) कऽ रूपमे जानल जाइत अछि, एक बहु-खेल प्रतियोगिता छल जे यूनानक राजधानी एथेन्समे सन् १८९६ अप्रैल ६ सँ १५ अप्रैल धरि आयोजित भेल छल। ई आधुनिक युगमे आयोजित होमए वला पहिल अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक खेल प्रतियोगिता छल। मुदा प्राचीन यूनान ओलम्पिक खेलसभक जन्मस्थान छल, तहिलेल एथेन्स आधुनिक खेलसभक उद्घाटनक लेल उपयुक्त विकल्प मानल गेल छल। ई सर्वसम्मतिसँ सन् १८९४ जुन २३ मे पियरे डे कोबेर्टिन, फ्रान्सेली शिक्षाशास्त्रइतिहासकारद्वारा पेरिसमे आयोजित एक सम्मेलनक (काङ्ग्रेस) समयावधिमे मेजबान शहरक रूपमे चुनल गेल छल। अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) सेहो ई सम्मेलनक समयावधिमे स्थापित कएल गेल छल। अनेक बाधासभ आ असफलतासभक बादो, सन् १८९६ ओलम्पिकक आयोजन एक पैग सफलता मानल गेल छल। ई आयोजन ओ समय धरि आयोजन भेल कोनो भी खेल आयोजनक सभसँ पैग अन्तर्राष्ट्रिय भागेदारी छल। (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: १०२१, अक्षर: ६३०.५, स्पेस: १५२
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
   उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) १४:१३, ३० अप्रैल २०१८ (NPT)

मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २२:०९, ३० अप्रैल २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

जुन २०१८[सम्पादन करी]

प्रदेश नं. २[सम्पादन करी]

कंकालिनी मन्दिर

प्रदेश नं. २ नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे कोशी प्रदेश, उत्तर दिशामे कोशी प्रदेशबागमती प्रदेश, पश्चिम दिशामे बागमती प्रदेश आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि । पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरीनेपाली बजैत अछि । धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जनाल जाएत अछि । प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी । ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: १२७८, अक्षर: ६९४, स्पेस: २२७
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) १५:३५, ३१ मई २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २१:५८, ३१ मई २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

जुलाई २०१८[सम्पादन करी]

राजविराज विमानस्थल[सम्पादन करी]

राजविराज विमानस्थल

राजविराज विमानस्थल (आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB) नेपालक मधेश प्रदेश अवस्थित सप्तरी जिलाक सदरमोकाम राजविराज नगरवाशीसभकें सेवा पहुँचा रहल एक अन्तरदेशीय विमानस्थल छी । ई विमानस्थल राजविराज सँ ५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित अछि । ई विमानस्थलमे १ टा अन्तरदेशीय टर्मिनल अछि । वर्तमान समयमे ई विमानस्थल नेपालक राजधानी शहर काठमाडौं सँ जुड़ल अछि । प्रदेश नं. २ मे रहल ३ टा अन्तरदेशीय विमानस्थलमे सँ एहो एक छी ।

११ वर्षधरि पूर्ण रूप सँ बन्द रहलाक बाद विमानस्थल जाँच बुझ काजक लेल नव निर्माणाधीन धावनमार्ग पर श्री एयरलाइन्सक विमान सन् २०१८ मई २३ कऽ दिन सफल अवतरण केनए छल । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ५७९, अक्षर: ३३४, स्पेस: ९७
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) ०९:५७, १ जुलाई २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) ०९:५८, १ जुलाई २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे — Biplab Anand (वार्ता) ०९:५७, १ जुलाई २०१८ (NPT)
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

अगस्त २०१८[सम्पादन करी]

नीता अम्बानी[सम्पादन करी]

नीता अम्बानी

नीता अम्बानी (जन्म: नवम्बर १, १९६३) रिलायन्स फाउन्डेसनक संस्थापक आ अध्यक्ष तथा रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक गैर- कार्यकारी निर्देशक छी । ओ भारतक सभ सँ धनीक व्यक्ति मुकेश अम्बानीक पत्नी आ रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक संस्थापक धीरूभाई अम्बानीक पुतहू छी । नीता अम्बानी धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक संस्थापक आ अध्यक्ष सेहो छी ।

४० बिलियन अमेरिकी डलर बराबरक पारिवारिक सम्पति भेल अम्बानी भारतक सभ सँ धनीक महिला छी । ओ इन्डियन प्रिमियर लिगक क्रिकेट टिम मुम्बई इन्डियन्सक सह-मलकानि छी । ओ भारतक पहिल महिला छी जे अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिक सदस्यक रूपमे निर्वाचित भेल अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ५७३, अक्षर: २९७.५, स्पेस: ९१
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) ००:१९, १ अगस्त २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) ००:२४, १ अगस्त २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे — Biplab Anand (वार्ता) ००:१९, १ अगस्त २०१८ (NPT)
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

सितम्बर २०१८[सम्पादन करी]

सत्यजीत राय[सम्पादन करी]

सत्यजीत राय

सत्यजीत राय (बङ्गाली: About this sound সত্যজিৎ রায়  शत्तोजित् राय्) (२ मई १९२१–२३ अप्रैल १९९२) एक भारतीय चलचित्र निर्देशक छल, जकरा बीसम शताब्दीक सर्वोत्तम चलचित्र निर्देशकसभमे गिन्ती कएल जाइत अछि । रायक जन्म कलासाहित्यक जगतमे जानल मानल कोलकाता (तखन कलकत्ता) कऽ एक बङ्गाली परिवारमे भेल छल । हिनकर शिक्षा प्रेसिडेन्सी कौलेजविश्व-भारती विश्वविद्यालयमे भेल छल । ओ अपन करियरक शुरुवात व्यवसायिक चित्रकारक रुपमे केनए छल । फ्रान्सिसी चलचित्र निर्देशक जाँ रन्वार सँ भेट भेलाक बाद आ लन्डनमे इटालियन चलचित्र लाद्री दी बिसिक्लेत (बाइसाइकल चोर) देखलाक बाद चलचित्र निर्देशनक दिशामे हिनकर चाह बढल छल ।

राय अपन जीवन मे ३७ चलचित्रसभक निर्देशन केनए छल, जहिमे मुख्य चलचित्रसभ, वृत्त चित्रलघु चलचित्रसभ शामिल अछि । हिनकर पहिल चलचित्र पथेर पाञ्चाली (পথের পাঁচালী, पथक गीत) कान चलचित्रोत्सवमे 'सर्वोत्तम मानवीय प्रलेख' पुरस्कार प्राप्त केनए छल । अपन जीवनकालमे हुनका कूल मिलाए ११ अन्तर्राष्ट्रिय पुरस्कार प्राप्त भेल छल । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ११९७, अक्षर: ७८१.५, स्पेस: १५८
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २३:३७, ३१ अगस्त २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २३:३७, ३१ अगस्त २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे — Biplab Anand (वार्ता) २३:३७, ३१ अगस्त २०१८ (NPT)
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

अक्टुबर २०१८[सम्पादन करी]

दक्षिणी एसियाक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभ[सम्पादन करी]

बसन्तपुर दरबार

सन् २०१४ धरि दक्षिणी एसियाक ६ टा देशसभक ६० टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक संगठन (युनेस्को)द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । जहिमे अफगानिस्तान, भारत, नेपाल, श्रीलंका, पाकिस्तान तथा बंगलादेश रहल अछि । दक्षिण एसियामे रहल भुटानमाल्दिभ्सक कोनो सम्पदाके युनेस्को एखन धरि मान्यता नै देनए अछि । ई क्षेत्रमे रहल भारतक सब सँ बेसी ३७ (छठम् क्रम विश्वव्यापी) सम्पदा सूचीकृत कएल गेल अछि । ई क्षेत्र सँ सब सँ पहिने काठमाडौं उपत्यका तथा सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्जके युनेस्को विश्व सम्पदा सूचीमे समावेश केनए छल । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ५५५, अक्षर: २७८, स्पेस: ९२
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २३:४६, ३० सितम्बर २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २३:४८, ३० सितम्बर २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

नवम्बर २०१८[सम्पादन करी]

दक्षिणी एसियाक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभ[सम्पादन करी]

अशोक स्तम्भ, लुम्बिनी

सन् २०१७ धरि नेपालक ४ टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को)द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । नेपालक पहिल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा काठमाडौं उपत्यका छी । नेपालमे अखन धरि २ टा सांस्कृतिक आ २ प्राकृतिक मिश्रित क्षेत्रसभ अछि । एकर अतिरिक्त, नेपालद्वारा युनेस्कोकें प्रस्ताव कएल गेल १५ स्थानीय क्षेत्रसभ अछि । विश्व सम्पदा समितिद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूची होमए कऽ लेल कोनो भी सम्पदाकें उचित विविध विशेषतासभक मापदण्ड पार केनाए आ कालान्तर धरि ओहि मापदण्डकें पूर्ण रूप सँ पालन करै पडैत अछि नै तँ ओ सम्पदाकें खतरापूर्ण स्थितिमे रहल निर्दिष्ट कएल जाएत अछि । समितिद्वारा अखन नेपालकें दुई सम्पदा क्षेत्र खतरापूर्ण रहल सूचीबद्ध केनए अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ७३४, अक्षर: ३५९, स्पेस: १२०
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २३:३९, ३१ अक्टुबर २०१८ (NPT)
  • मुख्य लेख निर्वाचित —Biplab Anand (वार्ता) २३:४०, ३१ अक्टुबर २०१८ (NPT)
समर्थन[सम्पादन करी]
  •  समर्थन आवेदनकर्ताक रुपमे — Biplab Anand (वार्ता) २३:३९, ३१ अक्टुबर २०१८ (NPT)
असमर्थन[सम्पादन करी]
टिप्पणी[सम्पादन करी]

==दिसम्बर २०१८==‎

मिथिला[सम्पादन करी]

{{{2}}}

मिथिला जकरा तिरहुततिरभुक्ति कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि, नेपालक दक्षिणपूर्वी भाग आ भारतक बिहार राज्यमे अवस्थित एक भौगोलिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र छी । ई क्षेत्र पूर्वमे महानन्दा नदी, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पश्चिममे गण्डकी नदीउत्तरमे हिमालयक तलसँ घेरल अछि ।

मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकें मैथिल कहल जाइत अछि । मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकें उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ संगे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अवैत अछि । १८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकें दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिश राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल । हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे मिलैत अछि । मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि । (पूरा लेख...)

  • अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ८१४, अक्षर: ४२७.५, स्पेस: १३६
  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनक कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ।
मुख्य लेख समन्वय समितिक सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २२:०५, ३१ अक्टुबर २०१७ (NPT)


मुख्य लेख निर्वाचित--Biplab Anand (वार्ता) २२:२९, ३१ अक्टुबर २०१७ (NPT)

समर्थन[सम्पादन करी]

असमर्थन[सम्पादन करी]

टिप्पणी[सम्पादन करी]