शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जक स्थापना बि.सं. २०५८ (सन् २००२) सालमे कएल गेल अछि । एहि निकुञ्ज नेपालक मध्य पहाडी क्षेत्र काठमाडौंक उत्तरी किनारमे परैत अछि । एकर क्षेत्रफल १५९ वर्ग कि.मि अछि (शिवपुरी १४४ व.कि.मी, नागार्जुन १५ व.कि.मी) । ई निकुञ्ज काठमाडौं, नुवाकोट आर सिन्धुपाल्चोकक भुभाग ओगटने अछि । नेपालक मध्यपहाडी क्षेत्रमे अवस्थित पारिस्थितिकीय प्रणालीक प्रतिनिधित्व करएवाला एकमात्र राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । काठमाडौंक रत्नपार्कसँ निकुञ्ज मुख्यालय बुढानीलकण्ठ पानिमुहान धरिक दुरी १२ कि.मि. अछि ।
ई क्षेत्रक संरक्षणक इतिहासक देखलाक बाद सन १९७६ मे जलाधार संरक्षण क्षेत्रक रुपमे शिवपुरी जलाधार संरक्षण वोर्डद्वारा संरक्षण सुरु सन् १९७८ मे शिवपुरी संरक्षित जलाधार क्षेत्र कायम भेल पावल जाएत अछि । अहिना सन १९८४ मे शिवपुरी जलाधार तथा वन्यजन्तु आरक्ष घोषणा भेल छल ।
(पूरा लेख...)
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आर मुख्य लेख के लेल चुनल जाएके लेल मतदान के लेल सिफारिस करए छी । —JuniorX2ChatHello! ०८:१७, २६ दिसम्बर २०१६ (NPT)
मुख्य लेख निर्वाचित ☆★राजा उप्रेती (✉✉) ०८:४८, ३१ दिसम्बर २०१६ (NPT)
अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम जकरा मिसाइल म्यान आ जनताके राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाइत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर्वाचित राष्ट्रपति छलाह । ओ भारतक पूर्व राष्ट्रपति, जानल मानल वैज्ञानिक आर अभियन्ता (इन्जिनियर)के रूपमे विख्यात छल।
ओ मुख्य रूपसँ एक वैज्ञानिक आर विज्ञानके व्यवस्थापकके रूपम चारि दशक धरि रक्षा अनुसन्धान एवम् विकास संगठन (डिआरडिओ) आर भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान संगठन (इसरो) सम्हाललक आर भारतक नागरिक अन्तरिक्ष कार्यक्रम आ सैन्य मिसाइलक विकासके प्रयासमे सेहो शामिल रहल छल । ओ ब्यालेस्टिक मिसाइल आर प्रक्षेपण यान प्राविधिकक विकासक कार्यके लेल भारतमे मिसाइल म्यानक रूपमे जानल जाए लगल ।
(पूरा लेख...)
मायादेवी मन्दिर एक प्राचीन बौद्ध मन्दिर छी, जे युनेस्को कऽ विश्व सम्पदा सूचीमे सुचिकृत अछि । ई पवित्र धार्मिक मन्दिर नेपालकलुम्बिनीमे अवस्थित अछि । ई लुम्बिनीक एक मुख्य मन्दिर छी आ परम्परागत रुपसँ गौतम बुद्धक जन्मस्थान मानल जाइत अछि । मन्दिर परिसर भितर एक पवित्र पूल (जे पुष्करणीक रूपमे सेहो जानल जाइत अछि) आ एक पवित्र उद्यान अखनो आसन्न अवस्थामे अछि । ई सम्पूर्ण क्षेत्रमे रहल पुरातात्विक अवशेषसभसँ लगभग इसा पूर्व तेसर शताब्दीमे बनाएल जानल जाइत अछि । महान अशोकद्वारा निर्मित ईट्टाक भवनसभसँ ई क्षेत्रक दिनाङ्कित कएल गेल अछि । (पूरा लेख...)
उपरोक्त लेख मुख्य लेखक मापदण्ड अनुरुप अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएक लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । —बिप्लब आनन्द(वार्ता) १६:४०, २८ फरबरी २०१७ (NPT)
गङ्गा नदी वा गङ्गेएसियाक पैग नदीसभमे सँ एक तथा भारत आ बङ्गलादेश भऽ प्रवाहित होमएवाला एक पवित्र हिन्दू नदी छी । करीब २५२५ किलोमिटर (१५६९ मेइल) लम्बा ई नदी हिमालयक पश्चिमी भागमे अवस्थित भारतक उत्तराखण्डसँ निकैल दक्षिण पूर्वदिस बहैत भारतक उत्तरी समथर भूभाग होइत बङ्गलादेश प्रवेश करैत अछि आ अन्तिममे बङ्गालक खाडीमे जा समुद्रमे मिलैत अछि । ई नदी भारतक एकटा महत्वपूर्ण नदी तथा विश्वक सम्पूर्ण हिन्दू धर्मावलम्बीसभक आस्थाक एकटा केन्द्र छी । नदीमे बहैवाला पानि लगायत अन्य वस्तुसभक मात्राक आधारमे ई नदी विश्वक तेसर स्थानमे वर्गीकृत अछि । गङ्गा नदीद्वारा भारतक उत्तराखण्डमेहिमालयसँ भऽ बङ्गालक खाडीकसुन्दरवन धरिक विशाल भूभागकें सिचाई करैत अछि । ई भारतक प्राकृतिक सम्पदा मात्र नै भऽ, आम जनताक भावनात्मक आस्थाक आधार सेहो छी ।
(पूरा लेख...)
योगी आदित्यनाथ (जन्म नाम: अजय सिंह बिष्ट, जन्म ५ जुन १९७२) गोरखपुरक प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिरक महन्त तथा राजनेता छी जे १९ मार्च २०१७ के उत्तर प्रदेशकमुख्यमन्त्री बनल। ओ सन् १९९८सँ लगातार भारतीय जनता पार्टीक टिकट पर गोरखपुर लोकसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करि रहल अछि आ सन् लोकसभा चुनाव, २०१४मे अही ठामसँ सांसद चुनल गेल छलाह । आदित्यनाथ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक उत्तराधिकारी छी । ओ हिन्दू युवा वाहिनीक संस्थापक सेहो छी, जे हिन्दू युवासभक सामाजिक, सांस्कृतिक आ राष्ट्रवादी समूह छी । हिनकर छवी एक कट्टर हिन्दू नेताक अछि।
(पूरा लेख...)
कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष (English: Koshi Tappu Wildlife Reserve) कोशी नदीक तटमे रहल संरक्षित क्षेत्र छी । कोशी टप्पुक स्थापना वि.स. २०३२ (सन् १९७६) सालमे भेल अछि । कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । ई आरक्ष सुनसरी, सप्तरी आ उदयपुर करि तीनटा जिलामे पसरल अछि । सन् १९८७ मे रामसार सूचीमे सूचीकृत भेल नेपालक पहिल बडका रामसार क्षेत्रक रूपमे परिचित ई आरक्षमे विभिन्न ४८९ प्रजातीक चिरइसभ, २१९ दुर्लभ अर्ना आ ११/१२ टा दुर्लभ डल्फिन एतय संरक्षित करि राखल गेल अछि ।
एतय प्रत्येक वर्ष विश्व सिमसार दिवस तथा राष्ट्रिय चिरई महोत्सव मनाएल जाइत अछि । कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण दक्षिण पूर्वी तराईक सुनसरी जिलामे सप्तकोशीक तटमे अवस्थित अछि । ई आरक्ष वि.सं. २०३२ साल (सन् १९७६) मे लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभक संरक्षित बासस्थानक रूपमे स्थापना भेल छल ।
(पूरा लेख...)
मकवानपुर जिलानेपालकमध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रकनारायणी अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी । ई जिलाके मेची -महाकाली अञ्चलके राजधानीसँ सम्बन्ध स्थापित करैवला जिलाक रूपमे जानल जाइत अछि । उत्तरदिस करिब ६६ किलोमिटर लम्बा महाभारत श्रृङ्खला आ दक्षिणदिस करिब ९२ किलोमिटर लम्बा चुरे पर्वत (सिवालिक पहाड)क कोखमे ई जिला अवस्थित अछि। राजधानी प्रवेशक मुख्य मार्गक रूपमे परिचित ई जिला राजधानी काठमाडौं आ ऐतिहासिक जिला ललितपुरसँ सीमाबद्ध भऽ रहल अछि।
त्रिभुवन राजपथ आ महेन्द्र राजमार्गक निर्माण भेलाक बाद ई जिला भऽ देशक पूर्व तथा पश्चिम आवागमन अत्यन्त सहज भेल अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडासँ फाखेल-हुमानेभञ्ज्याङ्ग-फर्पिङ्ग होइत कम समयमे काठमाडौं पहुँचै लेल वैकल्पिक मार्ग सेहो निर्माण भेल अछि। ई जिला देशक तेसर बड्का औद्योगिक जिलामे पडैत अछि। एतय बहुतरास प्राकृतिक मनोरम स्थलसभ रहल अछि। शान्त शीतल वातावरण जे किनको मन जित सकैत अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज आ पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष सहो एहि जिलाक किछ भू-भाग ओगटने अछि।
(पूरा लेख...)
अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ९०१, अक्षर: ४७७.५, स्पेस: १४६
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — बिप्लब आनन्द(वार्ता) १२:२६, ३० जुन २०१७ (NPT)
समुदायक मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द(वार्ता) २२:२०, ३० जुन २०१७ (NPT)
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — बिप्लब आनन्द(वार्ता) ०८:००, ३१ जुलाई २०१७ (NPT)
समुदायक मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द(वार्ता) १५:५०, १ अगस्त २०१७ (NPT)
इटहरी उपमहानगरपालिकासुनसरीमे अवस्थित एक उपमहानगरपालिका छी । ई तीव्र गतिमे विकसित होमएवला पूर्वी नेपालक व्यापारिक तथा यातयातक केन्द्रबिन्दु शहर छी । ई शहर धरान शहरक दक्षिणमे आ बिराटनगरसँ उत्तरमे रहल अछि । एतय अञ्चल यातायात कार्यालय, क्षेत्रिय ट्राफिक कार्यालय, अान्तरिक राजस्व कार्यालय, अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धानक कार्यालयक साथ किछु इलाका स्तरीय कार्यलयसभ सहो अछि । इटहरी उपमहानगरपालिका रूपमे वि.सं. २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिकाक लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा करि उपमहानगरपालिका घोषणा भेल अछि । इटहरीक उपमहानगरपालिका घोषित करैत काल एहिमे एकम्बा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविसक समावेश करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल अछि ।
इटहरी उपमहानगरपालिका क्षेत्रमे वि.सं. २०६८ सालक जनगणना अनुसार उपमहानगरपालिका भऽ गेलाक बाद एकम्वा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविससभ करि एतयक कुल जनसङ्ख्या १,४१,५१७ सँ अधिक पहुँचल अछि ।
(पूरा लेख...)
अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ६५२, अक्षर: ३७०.५, स्पेस: ९८
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — बिप्लब आनन्द(वार्ता) २२:१९, २९ अगस्त २०१७ (NPT)
समुदायक मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द(वार्ता) २२:३६, ३१ अगस्त २०१७ (NPT)
तिरहुता (তিরহুতা) वा मिथिलाक्षर (মিথিলাক্ষর) मैथिली भाषाकलिपि छी । तिरहुता लिपिक इतिहास बहुत बृहत रहल अछि । ई लिपि प्रतिक उदासिनता तथा न्यून प्रयोगक कारण मैथिली भाषी तिरहुता लिपिक बदला देवनागरी लिपिमे लिखैलेल अभ्यस्त भऽ गेल अछि । मुदा हाल कोनो कोनो पारम्परिक ब्राह्मण (पण्डित) 'पाता' (विवाह आदि सँ सम्बन्धित पत्र) पठाबैक लेल ई लिपिक प्रयोग करैत अछि । ई लिपि बङ्गला लिपि सँ मिलैतजुलैत अछि मुदा ई कनिक भिन्न अछि । ई पढबामे बङ्गला लिपि सँ बहुत कठिन अछि ।
ई लिपिक सब सँ प्राचिन अभिलेख नेपालकजानकी मन्दिरमे भेटल अछि । प्राचिन समयमे ई ठाममे संस्कृत भाषाक समेत विकासक लेल महत्वपूर्ण योगदान रहल इतिहासविद्धसभ बतबैत अछि । ई लिपिक कम्प्युटरमे प्रयोग करैलेल फन्टक विकास सन् २००३ मे भेल छल ।
(पूरा लेख...)
अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ६९५, अक्षर: ३७१.५, स्पेस: १२४
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — बिप्लब आनन्द(वार्ता) १६:४३, २८ सितम्बर २०१७ (NPT)
मतदानक आधारमे मुख्य लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द(वार्ता) २१:३०, ३० सितम्बर २०१७ (NPT)
मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकें मैथिल कहल जाइत अछि । मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकें उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ संगे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अवैत अछि । १८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकें दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिश राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल । हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे मिलैत अछि । मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि ।
(पूरा लेख...)
अक्षर गणना: क्यारेक्टर: ८१४, अक्षर: ४२७.५, स्पेस: १३६
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । — Biplab Anand (वार्ता) २२:०५, ३१ अक्टुबर २०१७ (NPT)
उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आ मुख्य लेखक लेल चुनल जाएके लेल मतदानक लेल सिफारिस करैत छी । —Saroj Uprety (वार्ता) १७:२१, २३ अक्टुबर २०१७ (NPT)
@Saroj Uprety: जी, आलिया भट्ट लेखकें वृहत बनाबी जहिसँ दिसम्बर महिना एकरा मुख्य लेखक लेल निर्वाचित कएल जाइत । लेख सुधारमे हमर भूमिका सेहो रहत ।--Biplab Anand (वार्ता) २२:३३, ३१ अक्टुबर २०१७ (NPT)