नेपालक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूची
सन् २०१७ धरि नेपालक ४ टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को)द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि ।[१] नेपालक पहिल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा काठमाडौं उपत्यका छी । नेपालमे अखन धरि २ टा सांस्कृतिक आ २ प्राकृतिक मिश्रित क्षेत्रसभ अछि ।[२] एकर अतिरिक्त, नेपालद्वारा युनेस्कोकें प्रस्ताव कएल गेल १५ स्थानीय क्षेत्रसभ अछि ।[३]
विश्व सम्पदा समितिद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूची होमए कऽ लेल कोनो भी सम्पदाकें उचित विविध विशेषतासभक मापदण्ड पार केनाए आ कालान्तर धरि ओहि मापदण्डकें पूर्ण रूप सँ पालन करै पडैत अछि नै तँ ओ सम्पदाकें खतरापूर्ण स्थितिमे रहल निर्दिष्ट कएल जाएत अछि । समितिद्वारा अखन नेपालकें दुई सम्पदा क्षेत्र खतरापूर्ण रहल सूचीबद्ध केनए अछि ।[४]
विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक स्थान
विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूची
युनेस्कोद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्र घोषित कएल गेल नेपाली सांस्कृतिक आ प्राकृतिक स्थलसभक सूची:
- नाम: विश्व सम्पदा समितिद्वारा देल नाम
- क्षेत्र: नेपालक इलाका तथा क्षेत्र
- समय: स्थापना भेल वर्ष
- युनेस्को डेटा: विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सामिल वर्ष तथा मापदण्ड
- विवरण: सम्पदा क्षेत्रक बारेमे संक्षिप्त विवरण
क्रम सं. |
नाम | चित्र | क्षेत्र | समय | युनेस्को डेटा | विवरण | सन्दर्भ |
---|---|---|---|---|---|---|---|
१ | चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज | चितवन जिला, नारायणी अञ्चल, नेपाल २७°३०′०″उ॰ ८४°२०′०″पू॰ / २७.५००००°N ८४.३३३३३°E |
२०अम शताब्दी | २८४; १९८४; vii, ix, x | चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज (पहिने शाही चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज) (चि.रा.नि.) नेपालक सब सँ पहिल तथा सब सँ पुरान राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । एकर स्थापना सन् १९७३ मे कएल गेल अछि । | [५] | |
२ | काठमाडौं उपत्यका | काठमाडौं उपत्यका, नेपाल २७°४२′१४″उ॰ ८५°१८′३१″पू॰ / २७.७०३८९°N ८५.३०८६१°E |
१४अम शताब्दी | १३७; १९७९; iii, iv, vi | काठमाण्डौ उपत्यका नेपालक ऐतिहासिक सहर तथा युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीकृत क्षेत्र छी । काठमाडौं उपत्यकामे (अथवा नेपाल उपत्यका)मे ३ जिला काठमाडौं, ललितपुर तथा भक्तपुर पडैत अछि । | [६] | |
३ | लुम्बिनी | रूपन्देही जिला, लुम्बिनी अञ्चल, नेपाल २७°२८′८″उ॰ ८३°१६′३४″पू॰ / २७.४६८८९°N ८३.२७६११°E |
५अम शताब्दी | ६६६; १९९७; iii, vi | लुम्बिनी गौतम बुद्धक जन्मथल छी । लुम्बिनी अञ्चल एहि ठामक नाम सँ नामाकरण कएल । | [७] | |
४ | सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज | सोलुखुम्बु जिला, सगरमाथा अञ्चल, नेपाल २७°५७′५५″उ॰ ८६°५४′४७″पू॰ / २७.९६५२८°N ८६.९१३०६°E |
१९अम शताब्दी | १२०; १९७९; vii | सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज पूर्वी नेपालक सोलुखुम्बु जिलाक उत्तरी भागमे अछि जे सगरमाथा, ल्होत्से, नुप्त्से, चो यु, आमादब्लम हिमालसभ तथा ई अगलबगलक क्षेत्रक ओगटने अछि । एकर क्षेत्रफल ११४८ वर्ग कि.मि. अछि । | [८] |
सम्भावित सूची
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "Properties Inscribed on the World heritage List"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 2010-10-01।
- ↑ "Nepal - UNESCO World Heritage Centre"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 6 November 2016।
- ↑ https://whc.unesco.org/en/statesparties/np
- ↑ "World Heritage in Danger"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 28 May 2010।
- ↑ "Chitwan National Park"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 28 May 2010।
- ↑ "Kathmandu Valley"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 28 May 2010।
- ↑ "Lumbini, the Birthplace of the Lord Buddha"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 28 May 2010।
- ↑ "Sagarmatha National Park"। UNESCO। अन्तिम पहुँच 28 May 2010।