विकिपिडिया:मुख्य लेख/२०१७

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (अगस्त, २०१८)
Cscr-featured.svg

मैथिली विकिपिडियाक मुख्य पन्नामे भेल मुख्य लेखके मासिक रुपसँ स्तरीय लेखसभसँ परिवर्तन करैक लेल व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे अखन धरि १२,६३५ लेखसभ अछि जाहिमे ३९ लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जाइक लेल स्तरीय होनाई अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझाबैत अछि अथवा अहाँ कोनो समस्या देखलिय तहन कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दाहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनाबैत अछि ।

नीता अम्बानी

नीता अम्बानी (जन्म: नवम्बर १, १९६३) रिलायन्स फाउन्डेसनक संस्थापक आ अध्यक्ष तथा रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक गैर- कार्यकारी निर्देशक छी । ओ भारतक सभ सँ धनीक व्यक्ति मुकेश अम्बानीक पत्नी आ रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक संस्थापक धीरूभाई अम्बानीक पुतहू छी । नीता अम्बानी धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक संस्थापक आ अध्यक्ष सेहो छी ।

४० बिलियन अमेरिकी डलर बराबरक पारिवारिक सम्पति भेल अम्बानी भारतक सभ सँ धनीक महिला छी । ओ इन्डियन प्रिमियर लिगक क्रिकेट टिम मुम्बई इन्डियन्सक सह-मलकानि छी । ओ भारतक पहिल महिला छी जे अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिक सदस्यक रूपमे निर्वाचित भेल अछि । (पूरा लेख...)

जनवरी, २०१७ क मुख्य लेख

शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज

शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जक स्थापना बि.सं. २०५८ (सन् २००२) सालमे कएल गेल अछि । ई निकुञ्ज नेपालक मध्य पहाडी क्षेत्र काठमाडौंक उत्तरी किनारमे अवस्थित अछि । एकर क्षेत्रफल १५९ वर्ग किलोमिटर अछि (शिवपुरी १४४ वर्ग किमी, नागार्जुन १५ वर्ग किमी) । ई निकुञ्ज काठमाडौं, नुवाकोट आ सिन्धुपाल्चोकक भूभाग ओकटने अछि । नेपालक मध्यपहाडी क्षेत्रमे अवस्थित पारिस्थितिकीय प्रणालीक प्रतिनिधित्व करैवाला एकमात्र राष्ट्रिय निकुञ्ज छी ।

सन् १९७६ मे जलाधार संरक्षण क्षेत्रक रुपमे शिवपुरी जलाधार संरक्षण वोर्डद्वारा संरक्षण सुरु भेल आ सन् १९७८ मे शिवपुरी संरक्षित जलाधार क्षेत्र कायम भेल पाबल जाइत अछि । (पूरा लेख...)

फरबरी, २०१७ क मुख्य लेख

अब्दुल कलाम

अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम जकरा मिसाइल म्यानजनताके राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाइत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर्वाचित राष्ट्रपति छलाह । ओ भारतक पूर्व राष्ट्रपति, जानल मानल वैज्ञानिकअभियन्ता (इन्जिनियर)के रूपमे विख्यात छल । ओ मुख्य रूपसँ एक वैज्ञानिक आ विज्ञानके व्यवस्थापकके रूपम चारि दशक धरि रक्षा अनुसन्धान एवम् विकास संगठन (डिआरडिओ) आ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान संगठन (इसरो) नेतृत्व केनए छल आ भारतक नागरिक अन्तरिक्ष कार्यक्रम आ सैन्य मिसाइलक विकासके प्रयासमे सेहो शामिल रहल छल । ओ ब्यालेस्टिक मिसाइल आ प्रक्षेपण यान प्राविधिकक विकासक कार्यके लेल भारतमे मिसाइल म्यानक रूपमे जानल जाए लगल । (पूरा लेख...)

मार्च, २०१७ क मुख्य लेख

मायादेवी मन्दिर, लुम्बिनी

मायादेवी मन्दिर एक प्राचीन बौद्ध मन्दिर छी, जे युनेस्को कऽ विश्व सम्पदा सूचीमे सुचिकृत अछि । ई पवित्र धार्मिक मन्दिर नेपालक लुम्बिनीमे अवस्थित अछि । ई लुम्बिनीक एक मुख्य मन्दिर छी आ परम्परागत रुपसँ गौतम बुद्धक जन्मस्थान मानल जाइत अछि । मन्दिर परिसर भितर एक पवित्र पूल (जे पुष्करणीक रूपमे सेहो जानल जाइत अछि) आ एक पवित्र उद्यान अखनो आसन्न अवस्थामे अछि । ई सम्पूर्ण क्षेत्रमे रहल पुरातात्विक अवशेषसभसँ लगभग इसा पूर्व तेसर शताब्दीमे बनाएल जानल जाइत अछि । महान अशोकद्वारा निर्मित ईट्टाक भवनसभसँ ई क्षेत्रक दिनाङ्कित कएल गेल अछि । (पूरा लेख...)

अप्रैल, २०१७ क मुख्य लेख

गङ्गा नदी

गङ्गा नदी वा गङ्गे एसियाक पैग नदीसभमे सँ एक तथा भारतबङ्गलादेश भऽ प्रवाहित होमएवाला एक पवित्र हिन्दू नदी छी । करीब २५२५ किलोमिटर (१५६९ माइल) लम्बा ई नदी हिमालयक पश्चिमी भागमे अवस्थित भारतक उत्तराखण्डसँ निकैल दक्षिण पूर्वदिस बहैत भारतक उत्तरी समथर भूभाग होइत बङ्गलादेश प्रवेश करैत अछि आ अन्तिममे बङ्गालक खाडीमे जा समुद्रमे मिलैत अछि । ई नदी भारतक एकटा महत्वपूर्ण नदी तथा विश्वक सम्पूर्ण हिन्दू धर्मावलम्बीसभक आस्थाक एकटा केन्द्र छी । नदीमे बहैवाला पानि लगायत अन्य वस्तुसभक मात्राक आधारमे ई नदी विश्वक तेसर स्थानमे वर्गीकृत अछि । गङ्गा नदीद्वारा भारतक उत्तराखण्डमे हिमालयसँ भऽ बङ्गालक खाडीक सुन्दरवन धरिक विशाल भूभागकें सिचाई करैत अछि । ई भारतक प्राकृतिक सम्पदा मात्र नै भऽ, आम जनताक भावनात्मक आस्थाक आधार सेहो छी । (पूरा लेख...)

मई, २०१७ क मुख्य लेख

योगी आदित्यनाथ, चुनाव प्रचारक दौरान

योगी आदित्यनाथ (जन्म नाम: अजय सिंह बिष्ट, जन्म ५ जुन १९७२) गोरखपुरक प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिरक महन्त तथा राजनेता छी जे १९ मार्च २०१७ के उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री बनल। ओ सन् १९९८सँ लगातार भारतीय जनता पार्टीक टिकट पर गोरखपुर लोकसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करि रहल अछि आ सन् लोकसभा चुनाव, २०१४मे अही ठामसँ सांसद चुनल गेल छलाह । आदित्यनाथ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक उत्तराधिकारी छी । ओ हिन्दू युवा वाहिनीक संस्थापक सेहो छी, जे हिन्दू युवासभक सामाजिक, सांस्कृतिक आ राष्ट्रवादी समूह छी । हिनकर छवी एक कट्टर हिन्दू नेताक अछि। (पूरा लेख...)

जुन, २०१७ क मुख्य लेख

कोशी टप्पु

कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष (English:  Koshi Tappu Wildlife Reserve) कोशी नदीक तटमे रहल संरक्षित क्षेत्र छी । कोशी टप्पुक स्थापना वि.स. २०३२ (सन् १९७६) सालमे भेल अछि । कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । ई आरक्ष सुनसरी, सप्तरीउदयपुर करि तीनटा जिलामे पसरल अछि । सन् १९८७ मे रामसार सूचीमे सूचीकृत भेल नेपालक पहिल बडका रामसार क्षेत्रक रूपमे परिचित ई आरक्षमे विभिन्न ४८९ प्रजातीक चिरइसभ, २१९ दुर्लभ अर्ना आ ११/१२ टा दुर्लभ डल्फिन एतय संरक्षित करि राखल गेल अछि । एतय प्रत्येक वर्ष विश्व सिमसार दिवस तथा राष्ट्रिय चिरई महोत्सव मनाएल जाइत अछि । कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण दक्षिण पूर्वी तराईक सुनसरी जिलामे सप्तकोशीक तटमे अवस्थित अछि । ई आरक्ष वि.सं. २०३२ साल (सन् १९७६) मे लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभक संरक्षित बासस्थानक रूपमे स्थापना भेल छल । (पूरा लेख...)

जुलाई, २०१७ क मुख्य लेख

Hetauda 001.JPG

मकवानपुर जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक नारायणी अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी । ई जिलाके मेची -महाकाली अञ्चलके राजधानीसँ सम्बन्ध स्थापित करैवला जिलाक रूपमे जानल जाइत अछि । उत्तरदिस करिब ६६ किलोमिटर लम्बा महाभारत श्रृङ्खला आ दक्षिणदिस करिब ९२ किलोमिटर लम्बा चुरे पर्वत (सिवालिक पहाड)क कोखमे ई जिला अवस्थित अछि। राजधानी प्रवेशक मुख्य मार्गक रूपमे परिचित ई जिला राजधानी काठमाडौं आ ऐतिहासिक जिला ललितपुरसँ सीमाबद्ध भऽ रहल अछि। त्रिभुवन राजपथमहेन्द्र राजमार्गक निर्माण भेलाक बाद ई जिला भऽ देशक पूर्व तथा पश्चिम आवागमन अत्यन्त सहज भेल अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडासँ फाखेल-हुमानेभञ्ज्याङ्ग-फर्पिङ्ग होइत कम समयमे काठमाडौं पहुँचै लेल वैकल्पिक मार्ग सेहो निर्माण भेल अछि। ई जिला देशक तेसर बड्का औद्योगिक जिलामे पडैत अछि। एतय बहुतरास प्राकृतिक मनोरम स्थलसभ रहल अछि। शान्त शीतल वातावरण जे किनको मन जित सकैत अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जपर्सा वन्यजन्तु आरक्ष सहो एहि जिलाक किछ भू-भाग ओगटने अछि। (पूरा लेख...)

अगस्त, २०१७ क मुख्य लेख

{{{2}}}

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका नेपालक गोर्खा प्रदेश स्थित कास्की जिलामे रहल महानगरपालिका छी । वि.सं. २०५२ माघ १८ गते उपमहानगरपालिका घोषित पोखराके सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा वि.सं. २०७३ फागुन २७ गते महानगरपालिका घाेषणा केनए अछि । ई महानगरपालिकाका कूल क्षेत्रफल ४६४.२४ वर्ग किलोमिटर रहल अछि तहिना कूल जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ रहल अछि । महानगरपालिकाक केन्द्र साबिक पोखरा उपमहानगरपालिका कार्यालय राखल गेल अछि ।

पाेखरा लेखनाथ महानगरपालिका, पोखरा उपमहानगरपालिका, लेखनाथ नगरपालिका, मौजा, चापाकोट, भदौरे तमागीक (३,९) वडासभ, कास्कीकोट, माझठानाक (१,४,९) वडासभ कालिकाक (१,५) वडासभ आ पुरन्चौर गाउँ विकास समिति मिलाए कुल ३३ टा वडामे विभाजित अछि । (पूरा लेख...)

सितम्बर, २०१७ क मुख्य लेख

{{{2}}}

इटहरी उपमहानगरपालिका सुनसरीमे अवस्थित एक उपमहानगरपालिका छी । ई तीव्र गतिमे विकसित होमएवला पूर्वी नेपालक व्यापारिक तथा यातयातक केन्द्रबिन्दु शहर छी । ई शहर धरान शहरक दक्षिणमे आ बिराटनगरसँ उत्तरमे रहल अछि । एतय अञ्चल यातायात कार्यालय, क्षेत्रिय ट्राफिक कार्यालय, अान्तरिक राजस्व कार्यालय, अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धानक कार्यालयक साथ किछु इलाका स्तरीय कार्यलयसभ सहो अछि । इटहरी उपमहानगरपालिका रूपमे वि.सं. २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिकाक लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा करि उपमहानगरपालिका घोषणा भेल अछि । इटहरीक उपमहानगरपालिका घोषित करैत काल एहिमे एकम्बा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविसक समावेश करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल अछि । इटहरी उपमहानगरपालिका क्षेत्रमे वि.सं. २०६८ सालक जनगणना अनुसार उपमहानगरपालिका भऽ गेलाक बाद एकम्वा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविससभ करि एतयक कुल जनसङ्ख्या १,४१,५१७ सँ अधिक पहुँचल अछि । (पूरा लेख...)

अक्टुबर, २०१७ क मुख्य लेख

{{{2}}}

तिरहुता (তিরহুতা) वा मिथिलाक्षर (মিথিলাক্ষর) मैथिली भाषाक लिपि छी । तिरहुता लिपिक इतिहास बहुत बृहत रहल अछि । ई लिपि प्रतिक उदासिनता तथा न्यून प्रयोगक कारण मैथिली भाषी तिरहुता लिपिक बदला देवनागरी लिपिमे लिखैलेल अभ्यस्त भऽ गेल अछि । मुदा हाल कोनो कोनो पारम्परिक ब्राह्मण (पण्डित) 'पाता' (विवाह आदि सँ सम्बन्धित पत्र) पठाबैक लेल ई लिपिक प्रयोग करैत अछि । ई लिपि बङ्गला लिपि सँ मिलैतजुलैत अछि मुदा ई कनिक भिन्न अछि । ई पढबामे बङ्गला लिपि सँ बहुत कठिन अछि ।

ई लिपिक सब सँ प्राचिन अभिलेख नेपालक जानकी मन्दिरमे भेटल अछि । प्राचिन समयमे ई ठाममे संस्कृत भाषाक समेत विकासक लेल महत्वपूर्ण योगदान रहल इतिहासविद्धसभ बतबैत अछि । ई लिपिक कम्प्युटरमे प्रयोग करैलेल फन्टक विकास सन् २००३ मे भेल छल । (पूरा लेख...)

नवम्बर, २०१७ क मुख्य लेख

{{{2}}}

मिथिला जकरा तिरहुततिरभुक्ति कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि, नेपालक दक्षिणपूर्वी भाग आ भारतक बिहार राज्यमे अवस्थित एक भौगोलिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र छी । ई क्षेत्र पूर्वमे महानन्दा नदी, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पश्चिममे गण्डकी नदीउत्तरमे हिमालयक तलसँ घेरल अछि ।

मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकें मैथिल कहल जाइत अछि । मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकें उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ संगे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अवैत अछि । १८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकें दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिश राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल । हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे मिलैत अछि । मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि । (पूरा लेख...)

दिसम्बर, २०१७ क मुख्य लेख

{{{2}}}

आलिया भट्ट (जन्म १५ मार्च १९९३) एक ब्रिटिश भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आ गायिका छी जे बलिउडमे काज करैत अछि । भट्ट परिवारमे जन्मल आलिया, चलचित्र निर्माता महेश भट्ट आ अभिनेत्री सोनी रज्दानक पुत्री छी । सन् १९९९ कऽ थ्रिलर सङ्घर्षमे बाल कलाकारक रूपमे अपन अभिनयक पदार्पण केलाबाद, भट्ट करण जोहरक प्रेमप्रसङ्गयुक्त नाट्य स्टुडेन्ट अफ द इअर (२०१२) मे अपन पहिल प्रमुख भूमिका केनए छल, जे आलियाक सर्वश्रेष्ठ महिला पदार्पणक लेल फिल्मफेयर पुरस्कारक नामाङ्कन दिलानए छल ।

भट्ट बलिउडक बहुत रास व्यावसायिक रूपसँ सफल चलचित्रसभमे महिला नेतृत्वक भूमिका निर्वाह केनए अछि, जाहिमे प्रेमप्रसङ्गयुक्त नाट्य टु स्टेट्स, प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य हम्प्टी शर्मा की दुल्हनिया, नाट्य कपूर एण्ड सन्स, युगल चलचित्र डियर जिन्दगी, आ प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य बद्रीनाथ की दुल्हनिया शामिल अछि । (पूरा लेख...)