कोच्चि
कोच्चि
Kochhi കൊച്ചി कोचीन | |
---|---|
उपनाम: | |
राष्ट्र | भारत |
राज्य | केरल |
जिला | एर्नाकुलम |
सरकार | |
• अङ्ग | कोच्चि नगर निगम |
• महापौर | टोनी चैमनी (भा.रा.काङ्ग्रेस) |
• पुलिस आयुक्त | एमआर अजीत कुमार, आइपिएस |
क्षेत्रफल | |
• महानगर | ९४.८८ किमी२ (३६.६३ वर्गमाइल) |
• महानगर | ७३२ किमी२ (२८२.८४ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ० मिटर (० फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१२)[४] | |
• महानगर | ६,१२,३४३ |
• घनत्व | ६३४०/वर्ग किमी (१६४००/वर्ग माइल) |
• महानगर | २१,१७,९९० |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | मलयालम, अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (IST) |
पिन कोड | ६८२ XXX |
टेलिफोन कोड | ९१-(०)४८४-XXX XXXX |
सवारी दर्ता | KL-7,KL-39,KL-41,KL-42,KL-43,KL-63 |
वेबसाइट | corporationofcochin.net |
कोच्चि ([koˈtʃːi ] ( सुनी)), जकरा कोचीन सेहो कहल जाइत छल, लक्षद्वीप सागरक दक्षिण-पश्चिम तटरेखामे स्थित एक बड़का बन्दरगाह शहर छी, जे भारतीय राज्य केरलक एर्नाकुलम जिलाक एक भाग छी । कोच्चिके बहुतेक समयसँ प्रायः एर्नाकुलम सेहो कहल जाइत छल, जकर अर्थ नगरक मुख्यभूमि भाग होइत अछि । कोच्चि नगर निगमक अधीनस्थ (जनसङ्ख्या ६,०१,५७४) ई राज्यक दोसर सर्वाधिक जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई कोच्चि महानगरीय क्षेत्रक विस्तार सहित (जनसङ्ख्या २१ लाख) केरल राज्यक सबसँ पैग शहरी आबादी क्षेत्र छी । कोच्चि नगर ग्रेटर कोच्चि क्षेत्रक एगो भाग छी,[६][७] आ एकरा भारत सरकारद्वारा द्वितीय दर्जाक शहर वर्गीकृत कएल गेल अछि । नगरक रेख-देख तथा अनुरक्षण दायित्त्व सन् १९६७ मे स्थापित भेल कोच्चि नगर निगम करैत अछि । एहि वाहेक पुरा क्षेत्रक पूर्ण विकासक भार ग्रेटर कोचीन विकास प्राधिकरण[८] (GCDA) आ गोश्री आइल्यान्ड विकास प्राधिकरण (GIDA) क अछि ।
कोच्चि १४अम शताब्दीसँ भारतक पश्चिमी तटरेखाक मसालाक व्यापार केन्द्र रहल अछि आ एकरा अरब सागरक रानी क नामसँ जानल जाइत अछि । सन् १५०३ मे एतय पोर्चुगेलीसभक आधिपत्य भेल आ ई उपनिवेश भारतक प्रथम युरोपेली कोलनी बनल आ सन् १५३० मे गोवाक चुनाव भेलाबाद धरि ई पोर्चुगेली एतौका प्रधान शक्ति केन्द्र रहल । कालान्तरमे कोच्चि राज्यक रजवाड़ामे परिवर्तित भेलाक संगे ई डच आ ब्रिटिशक नियन्त्रणमे आएल । आई केरलमे कुल घरेलु तथा अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटकसभक आगमन सङ्ख्यामे प्रथम स्थान बनेनाए अछि । [९][१०] नीलसन कम्पनीक आउटलुक ट्रयाभलर पत्रिकद्वारा कएल एक सर्वेक्षण अनुसार कोच्चि वर्तमानमे भारतक सर्वश्रेष्ठ पर्यटक आकर्षणसभमे सँ छठम् स्थानमे रहल अछि ।[११][१२]
मुख्य आकर्षण
[सम्पादन करी]डच महल
[सम्पादन करी]ई महल मूल रूपसँ पोर्चुगेली लोकसभद्वारा बनाएल गेल अछि आ कोचीनक राजा वीर केरला वर्माके उपहार स्वरूप ई प्रदान कएल गेल छल । बादमे डचसभ एहि उपर अपन अधिकार जमेलक । ओसभ सन् १६६३ मे किलाक मरम्मत करौलक आ किलाके नव रूप देलक । ई किलामे कोचीनक बहुतेक रास राजासभक राज्याभिषेक भेल अछि । ई किलामे रामायण आ महाभारत जका महाकाव्यसभसँ सम्बन्धित पेन्टिङ्ग्स बनाएल गेल अछि ।
बोलघाट्टी महल
[सम्पादन करी]ई महलके देखैक लेल बहुतेक सङ्ख्यामे पर्यटक एतय आबैत अछि । डच लोकसभद्वारा बनाएल ई महल बोलघट्टी द्वीपमे स्थित अछि। ई महलके आब एक आलिसान होटलमे रुपान्तरित कएल गेल अछि । बोलघट्टीमे एक गोल्फ कोर्स सेहो अछि । एतय लोकसभ पिकनिक मानबैक लेल आबैत अछि ।
हिल महल
[सम्पादन करी]१९अम शताब्दीमे कोच्चिक राजाद्वारा ई महल बनाएल गेल छल । आब एकरा केरला पुरातत्व विभागक सङ्ग्रहालयमे परिवर्तित कएल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे चित्रकारी, नक्काशी आ राजकीय वंशसँ सम्बन्धित वस्तुसभ राखल गेल अछि ।
बेशन बङ्गला
[सम्पादन करी]मरीन ड्राइव
[सम्पादन करी]चेराई बीच
[सम्पादन करी]सेन्ट फ्रान्सिस चर्च (सन्त फ्रान्सिस गिरिजाघर)
[सम्पादन करी]ऐतिहासिक सङ्ग्रहालय
[सम्पादन करी]पल्लिपुरम किला
[सम्पादन करी]परीक्षित थम्पुरान सङ्ग्रहालय
[सम्पादन करी]काञ्जिरामट्टम मस्जिद
[सम्पादन करी]कालाडी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ K. C. Sivaramakrishnan (2006). People's Participation in Urban Governance. Concept Publishing Company. प॰ 156. आइएसबिएन 81-8069-326-0. http://books.google.co.in/books?id=TJ9dMtfjMToC&pg=PA156.
- ↑ Ganesh Kumar. Modern General Knowledge. Upkar Prakashan. प॰ 194. आइएसबिएन 81-7482-180-5. http://books.google.co.in/books?id=DbnFSqKSVb0C&pg=PA194.
- ↑ "GCDA - Greater Cochin Development Authority"। Gcdaonline.com। अन्तिम पहुँच 12 November 2012।
- ↑ "Provisional Figures, Kerala" (PDF)। Office of The Registrar General & Census Commissioner। अन्तिम पहुँच 7 April 2011।
- ↑ "Provisional Population Totals, Census of India 2011" (PDF)। Census of India। अन्तिम पहुँच 11 March 2011।
- ↑ "PowerPoint Presentation" (PDF)। मूल (PDF)सँ 23 March 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 12 November 2012।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Steps to control pollution in Greater Kochi area mooted"। The Hindu। 20 September 2010।
- ↑ "GCDA - Greater Cochin Development Authority"। अन्तिम पहुँच 5 April 2015।
- ↑ "Archive copy" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2017-07-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-11-16।
{{cite web}}
: CS1 maint: archived copy as title (link) - ↑ "Tourist statistics – 2008" (PDF)। Government of Kerala, Tourism Department। मूल (PDF)सँ 2 June 2010 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 22 October 2010।
- ↑ [१] Kerala best Destination
- ↑ "Urban world: Mapping the economic power of cities 2011"। McKinsey Global Institute। अन्तिम पहुँच 3 February 2013।