विकिपिडिया:मुख्य लेख/२०१८

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (मार्च, २०२४)

मैथिली विकिपिडियाक सम्मुख पन्नामे प्रदर्शित होमएवाला मुख्य लेखकें मासिक रुप सँ स्तरीय लेखसभ सँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे एखन धरि १४,१०३ लेखसभ अछि जहिमे ५० लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जेवाक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि या अहाँ कोनो समस्या देख रहल छी तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनबैत अछि ।

आकृति:मुख्य लेख/मार्च, २०२४

जनवरी, २०१८ क मुख्य लेख

विश्वकप

१९८७ क्रिकेट विश्वकप (आधिकारिक रुपमे रिलायन्स विश्वकप) क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक चारिम क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ८ अक्टुबर सँ ८ नवम्बर धरि भारत तथा पाकिस्तानमे आयोजन भेल छल । ई टुर्नामेन्ट रिलायन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । प्रतियोगितामे कूल ८ टिम सहभागी छल । म्याच ६० ओभरक बदला ५० ओभरक खेलाएल गेल छल (वर्तमान नियम अनुसार) । ई प्रतियोगितामे सेहो म्यान अफ द सिरिजक व्यवस्था नै कएल गेल छल । ई प्रतियोगिताक रोमाञ्चक फाइनल खेलमे अस्ट्रेलिया इङ्गल्याण्डके ७ रन सँ हराबैत उपाधि जितने छल । आयोजक राष्ट्र भारत तथा पाकिस्तान दुनू प्रतियोगिताक सेमी फाइनलधरि पहुँचल छल तहिने २ बेरक उपाधि विजेता वेस्ट इन्डिज समूह चरण सँ बाहर भेल छल । (पूरा लेख...)

फरबरी, २०१८ क मुख्य लेख

चिरानी

चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज (पहिने शाही चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज) नेपालक सबसँ पहिल तथा सबसँ पुरान राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । एकर स्थापना सन् १९७३ मे कएल गेल छल । एहि निकुञ्जकें सन् १९८४ मे विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीबद्ध कएल गेल । एकर क्षेत्रफल ९३२ किमी (३६० वर्ग माइल) अछि । एकर अवस्थिति उचाई निचुलका नदी उपत्यकामे १०० मी (३३० फिट) सँ चुरे पहाड क्षेत्रमे ८१५ मी (२,६७४ फिट) धरि रहल अछि । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज नेपालक मध्य तराईमे अवस्थित अछि जे जैविक विविधताक दृष्टिसँ धनिक अछि । एहि निकुञ्जक मुख्य कार्यालय कसरामे अछि । सब प्रकारक प्रशासनिक काजसभ कसरासँ होइत अछि ।

सन् १९५१ धरि चितवन उपत्यकाक तत्कालीन शासकसभ एक आपसमे शिकार खेलैत छल जकर कारण ई खुबे प्रचलित छल । जे बादमे जाए चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक रूप लेलक । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक मुख्यद्वार नजदिकक शहर भरतपुरसँ १० किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि । ई निकुञ्ज भ्रमण करवाक लेल सडकमार्ग होइत भरतपुर भऽ टाँडीसँ भितर होइत जा सकैत अछि तँ भरतपुर विमानस्थलमे दैनिक उड़ान उपलब्ध अछि । (पूरा लेख...)

मार्च, २०१८ क मुख्य लेख

होली खेलैत, उटाह अमेरिकामे

होली हिन्दू संस्कृतिमे हरेक वर्षक फागुन शुक्ल पूर्णिमा अर्थात होली पूर्णिमाक दिन मनाएल जाइत अछि । ई पावनि नेपाल, भारत तथा अन्य राष्ट्रसभमे बैसैवला हिन्दूसभक एकटा महत्वपूर्ण पावनि छी । ई पावनि वसन्त ऋतुक फागुन मासमे मनाएल जाइत अछि । होलीमे नेपाली समुदायमे फागु पूर्णिमा आ मिथिलामे फगुवाक नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । होली रङ्गक पावनि छी । होलीक दिन सम्पूर्ण हिन्दूधर्मावलम्बी एक दोसरके विभिन्न प्रकार सँ रङ्ग आ अबीर लगबैत अछि । मिठाई आ पकवान ग्रहण करबैत अछि । होली पावनि मनेवाक पाछा एकटा आओर कारण इतिहास छी । एकटा जनविश्वास अछि जे होलीक दिन पुरान कटुता समाप्त कए आ दुश्मनी सेहो बिसैर लोकसभ एक-दोसर सँ भेंट करैत अछि ।

होली पावनि घरपरिवार-साथीभाई आपसमे रङ्ग लगाए उल्लासपूर्वक फागुन पूणिर्माक अवसरमे पहाड़सँ, तराई आर गाम आ शहरधरि बच्चा, युवा, युवती तथा प्रौढसभक हूल तथा जत्थासभ हातमे रङ्ग आ रङ्गीन घोल पदार्थ लऽ गीत गावैत, बजावैत, मनोरञ्जन होहल्ला करैत आपसी रिसराग छोड़िक उत्साह आ उमङ्गक साथ मनबैत अछि ।(पूरा लेख...)

अप्रैल, २०१८ क मुख्य लेख

बकिङ्घम प्यालेस

बकिङ्घम प्यालेस ब्रिटिश राजशाही कऽ लन्डन अवस्थित आधिकारिक निवास छी । वेस्टमिन्स्टर शहरमे स्थित ई राजमहल राजकीय आयोजना आ शाही आतिथ्यक केन्द्र छी । ई ब्रिटेन वासीसभक लेल राष्ट्रिय हर्षोन्माद आ सङ्कटकक समय चर्चाकें विषय रहल अछि ।

मूलतः बकिङ्घम हाउस कऽ रूपमे जानल जाए वला, ई भवन जे आजुक महलक महत्वपूर्ण भाग छी, सन् १७०३ मे बकिङ्घमक ड्युकक लेल एक एहन जगह पर बनायल गेल एक विशाल टाउन हाउस छल, जे कम सँ कम १५० वर्षधरि निजी स्वामित्वकें अधीन रहल छल । बादमे सन् १७६१ मे एकरा जर्ज तृतीय- महारानी चार्लोटक लेल एक निजी आवासक रूपमे अधिगृहित करि लेल गेल छल आ द क्विन्स हाउस कऽ नाम सँ जानल जाइत अछि । १९हम शताब्दीकें समयमे मुख्य रूपसँ वास्तुकार जन न्यास आ एडवर्ड ब्लोरद्वारा एक केन्द्रीय प्राङ्गणक अगल-बगल तीन बालकनी बनाए एकर विस्तार कएल गेल । अन्तत: सन् १८३७ मे महारानी भिक्टोरियाक शासनमे बकिङ्घम प्यालेस ब्रिटिश राजशाहीकें आधिकारिक शाही महल बनि गेल । (पूरा लेख...)

मई, २०१८ क मुख्य लेख

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक, जे आधिकारिक रूपसँ पहिल ओलम्पियाड खेल (अङ्ग्रेजी: Games of the I Olympiad) कऽ रूपमे जानल जाइत अछि, एक बहु-खेल प्रतियोगिता छल जे यूनानक राजधानी एथेन्समे सन् १८९६ अप्रैल ६ सँ १५ अप्रैल धरि आयोजित भेल छल। ई आधुनिक युगमे आयोजित होमए वला पहिल अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक खेल प्रतियोगिता छल। मुदा प्राचीन यूनान ओलम्पिक खेलक जन्मस्थान छल, तहिलेल एथेन्स आधुनिक खेलक उद्घाटनक लेल उपयुक्त विकल्प मानल गेल छल। (पूरा लेख...)

जुन, २०१८ क मुख्य लेख

प्रदेश नं. २ नक्सा

प्रदेश नं. २ नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे प्रदेश नं. १, उत्तर दिशामे प्रदेश नं. १प्रदेश नं. ३, पश्चिम दिशामे प्रदेश नं. ३ आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि । पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरीनेपाली बजैत अछि । धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जानल जाएत अछि । प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी । ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि । (पूरा लेख...)

जुलाई, २०१८ क मुख्य लेख

राजविराज विमानस्थल

राजविराज विमानस्थल (आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB) नेपालक प्रदेश नं. २ अवस्थित सप्तरी जिलाक सदरमोकाम राजविराज सँ ५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित विष्णुपुर गाउँपालिकामे रहल एक अन्तरदेशीय विमानस्थल छी । ई विमानस्थल राजविराज नगरवाशीसहित ई स्थान सँ नजदिकक क्षेत्रक वासिन्दासभकें सेवा पहुँचा रहल अछि । ई विमानस्थलमे १ टा अन्तरदेशीय टर्मिनल अछि । वर्तमान समयमे ई विमानस्थल नेपालक राजधानी शहर काठमाडौं सँ जुड़ल अछि । प्रदेश नं. २ मे रहल ३ टा अन्तरदेशीय विमानस्थलमे सँ एहो एक छी ।

११ वर्षधरि पूर्ण रूप सँ बन्द रहलाक बाद विमानस्थल जाँच बुझ काजक लेल नव निर्माणाधीन धावनमार्ग पर श्री एयरलाइन्सक विमान सन् २०१८ मई २३ कऽ दिन सफल अवतरण केनए छल । (पूरा लेख...)

अगस्त, २०१८ क मुख्य लेख

नीता अम्बानी

नीता अम्बानी (जन्म: नवम्बर १, १९६३) रिलायन्स फाउन्डेसनक संस्थापक आ अध्यक्ष तथा रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक गैर- कार्यकारी निर्देशक छी । ओ भारतक सभ सँ धनीक व्यक्ति मुकेश अम्बानीक पत्नी आ रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक संस्थापक धीरूभाई अम्बानीक पुतहू छी । नीता अम्बानी धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक संस्थापक आ अध्यक्ष सेहो छी ।

४० बिलियन अमेरिकी डलर बराबरक पारिवारिक सम्पति भेल अम्बानी भारतक सभ सँ धनीक महिला छी । ओ इन्डियन प्रिमियर लिगक क्रिकेट टिम मुम्बई इन्डियन्सक सह-मलकानि छी । ओ भारतक पहिल महिला छी जे अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिक सदस्यक रूपमे निर्वाचित भेल अछि । (पूरा लेख...)

सितम्बर, २०१८ क मुख्य लेख

सत्यजीत राय

सत्यजीत राय (बङ्गाली: About this sound সত্যজিৎ রায়  शत्तोजित् राय्) (२ मई १९२१–२३ अप्रैल १९९२) एक भारतीय चलचित्र निर्देशक छल, जकरा बीसम शताब्दीक सर्वोत्तम चलचित्र निर्देशकसभमे गिन्ती कएल जाइत अछि । रायक जन्म कलासाहित्यक जगतमे जानल मानल कोलकाता (तखन कलकत्ता) कऽ एक बङ्गाली परिवारमे भेल छल । हिनकर शिक्षा प्रेसिडेन्सी कौलेजविश्व-भारती विश्वविद्यालयमे भेल छल । ओ अपन करियरक शुरुवात व्यवसायिक चित्रकारक रुपमे केनए छल । फ्रान्सिसी चलचित्र निर्देशक जाँ रन्वार सँ भेट भेलाक बाद आ लन्डनमे इटालियन चलचित्र लाद्री दी बिसिक्लेत (बाइसाइकल चोर) देखलाक बाद चलचित्र निर्देशनक दिशामे हिनकर चाह बढल छल ।

राय अपन जीवन मे ३७ चलचित्रसभक निर्देशन केनए छल, जहिमे मुख्य चलचित्रसभ, वृत्त चित्रलघु चलचित्रसभ शामिल अछि । हिनकर पहिल चलचित्र पथेर पाञ्चाली (পথের পাঁচালী, पथक गीत) कान चलचित्रोत्सवमे 'सर्वोत्तम मानवीय प्रलेख' पुरस्कार प्राप्त केनए छल । (पूरा लेख...)

अक्टुबर, २०१८ क मुख्य लेख

बसन्तपुर दरबार

सन् २०१४ धरि दक्षिणी एसियाक ६ टा देशसभक ६० टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक संगठन (युनेस्को)द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । जहिमे अफगानिस्तान, भारत, नेपाल, श्रीलंका, पाकिस्तान तथा बंगलादेश रहल अछि । दक्षिण एसियामे रहल भुटानमाल्दिभ्सक कोनो सम्पदाके युनेस्को एखन धरि मान्यता नै देनए अछि । ई क्षेत्रमे रहल भारतक सब सँ बेसी ३७ (छठम् क्रम विश्वव्यापी) सम्पदा सूचीकृत कएल गेल अछि । ई क्षेत्र सँ सब सँ पहिने काठमाडौं उपत्यका तथा सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्जके युनेस्को विश्व सम्पदा सूचीमे समावेश केनए छल । (पूरा लेख...)

नवम्बर, २०१८ क मुख्य लेख

अशोक स्तम्भ, लुम्बिनी

सन् २०१७ धरि नेपालक ४ टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को)द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । नेपालक पहिल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा काठमाडौं उपत्यका छी । नेपालमे अखन धरि २ टा सांस्कृतिक आ २ प्राकृतिक मिश्रित क्षेत्रसभ अछि । एकर अतिरिक्त, नेपालद्वारा युनेस्कोकें प्रस्ताव कएल गेल १५ स्थानीय क्षेत्रसभ अछि । विश्व सम्पदा समितिद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूची होमए कऽ लेल कोनो भी सम्पदाकें उचित विविध विशेषतासभक मापदण्ड पार केनाए आ कालान्तर धरि ओहि मापदण्डकें पूर्ण रूप सँ पालन करै पडैत अछि नै तँ ओ सम्पदाकें खतरापूर्ण स्थितिमे रहल निर्दिष्ट कएल जाएत अछि । समितिद्वारा अखन नेपालकें दुई सम्पदा क्षेत्र खतरापूर्ण रहल सूचीबद्ध केनए अछि । (पूरा लेख...)

दिसम्बर, २०१८ क मुख्य लेख

{{{2}}}

मिथिला जकरा तिरहुततिरभुक्ति कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि, नेपालक दक्षिणपूर्वी भाग आ भारतक बिहार राज्यमे अवस्थित एक भौगोलिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र छी । ई क्षेत्र पूर्वमे महानन्दा नदी, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पश्चिममे गण्डकी नदीउत्तरमे हिमालयक तलसँ घेरल अछि ।

मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकें मैथिल कहल जाइत अछि । मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकें उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ संगे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अवैत अछि । १८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकें दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिश राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल । हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे मिलैत अछि । मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि । (पूरा लेख...)