कोयम्बटोर
कोयम्बटोर
கோயம்புத்தூர் कोवाई Coimbatore | |
---|---|
उपनाम: दक्षिण भारतको म्यानचेस्टर | |
देश | भारत |
राज्य | तमिलनाडु |
क्षेत्र | कोङ्गु नाडु |
सरकार | |
• प्रकार | मेयर परिषद |
• अङ्ग | कोयम्बटोर शहर नगर निगम |
क्षेत्रफल | |
• शहर | २४६.७५ किमी२ (९५.२७ वर्गमाइल) |
• महानगर | ६४२.१२ किमी२ (२४७.९२ वर्गमाइल) |
• क्रम | २ |
उन्नतांश | ४११.२ मिटर (१३४९.१ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• शहर | १६,०१,४३८[२] |
• महानगर | २१,३६,९१६[१] |
• मेट्रो क्रम | १६अम |
वासिन्दा | कोयम्बटोरियन |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | तमिल आ अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
हुलाक कोड | ६४१xxx |
टेलिफोन कोड | +९१-४२२ |
सवारी दर्ता | TN 37 (दक्षिण), TN 38 (उत्तर), TN 66 (केन्द्रीय), TN 99 (पश्चिम) |
वेबसाइट | कोयम्बटोर नगर |
कोयम्बटोर, कोयम्बतुर, कोयम्बटुर वा कोवाई [koːʋəj]क नामसँ प्रसिद्ध, तमिलनाडु राज्यक एक शहर छी । कर्नाटक आ तमिलनाडु राज्यक सिमानामे अवस्थित ई शहर मुख्य रूपसँ एकटा उद्योगिक नगरी छी । ई शहर सम्पूर्ण भारतसँ रेलवे, राजमार्ग आ वायु मार्गसँ व्यवस्थित तरिकासँ जुडल अछि अछि ।
कोयम्बटोर एकटा महत्वपूर्ण उद्योगिक शहर छी । दक्षिण भारतक म्यानचेस्टरक नामसँ प्रसिद्ध कोयम्बटोर एक प्रमुख कपडा उत्पादनक केन्द्र छी । नीलगिरी हिमालक तराईमे अवस्थित ई शहर पुरे वर्ष अनुकुलित मौसमक महसुस कराबैत अछि । दक्षिणसँ नीलगिरीक यात्रा करैलेल आएल पर्यटकसभ कोयम्बटोर शहरके आधार शिविर जका प्रयोग करैत अछि । कपडा उत्पादन कारखानासभ वाहेक एतय कयन पर्यटकीय स्थलसभ अछि जतय भ्रमण करैलेल आएल पर्यटकसभ घुमि सकैत अछि । एतय रहल जैविक उद्यान, कृषि विश्वविद्यालय सङ्ग्रहालय आ भिओसी पार्क विशेष रूपसँ पर्यटकसभके आकर्षित करैत अछि । कोयम्बटोरमे बहुतेक हिन्दू मन्दिरसभ अछि जाहिकारण ई शहरक हिन्दू धर्मावलम्बी महत्वके थप करैत अछि । भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक भारतमे १०० स्मार्ट सिटी बनाबैक निर्णय अन्तर्गत ई शहरके सेहो चुनल गेल अछि ।[३][२]
उत्पति
[सम्पादन करी]कोयम्बटोरक नाम उत्पतिमे विभिन्न सिद्दान्तसभ विद्यमान अछि । ओहिमेसँ एक सिद्दान्त अनुसार कोयम्बटोर नाम कोवनपुथुर ('कोवानक नव शहर' सँ पृथक भऽ आएल अछि), कोवान वा कोयानक मुखिया कोयम्बटोर सँ विकसित भेल अछि।[४]
इतिहास
[सम्पादन करी]जनसङ्ख्या
[सम्पादन करी]भारतक जनगणना सन् २०११ अनुसार कोयम्बटोर शहरक जनसङ्ख्या १६,०१,४३८ रहल अछि ।[१][२] एतयक लिङ्ग अनुपात अनुसार १,००० पुरुषमे कूल ९९७ महिला आबैत अछि ।[५] ई चेन्नई बाद तमिलनाडु राज्यक सबसँ पैग शहर छी ।[६]
प्रमुख आकर्षण
[सम्पादन करी]भिओसी पार्क
[सम्पादन करी]भिओसी पार्क कोयम्बटोरक प्रमुख आकर्षण छी ।
कृषि विश्वविद्यालय
[सम्पादन करी]तमिलनाडु कृषि विश्वविद्यालय कोयम्बटोरक रोचक पर्यटक स्थलसभ मे सँ एक छी । रेलवे स्टेशनसँ पाँच किलोमिटरक दूरीमा अवस्थित ई विश्वविद्यालय एसियाक उत्कृष्ट कृषि विश्वविद्यालयसभमेसँ एक छी ।
पेरुर मन्दिर
[सम्पादन करी]पेरुर कोयम्बटोरसँ ६ किलोमिटरक दूरीमे अवस्थित एकटा छोट शहर छी । एकर मुख्य आकर्षण पेरुर मन्दिर छी जतय सात कोङ्गु शिवालयममेसँ एक अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ "INDIA: Tamil Nādu"। citypopulation.de। अन्तिम पहुँच 4 March 2016।
- ↑ २.० २.१ २.२ "Smart city challenge, Coimbatore"। Government of India। अन्तिम पहुँच 15 December 2015।
- ↑ http://www.firstpost.com/business/why-only-98-cities-instead-of-100-announced-all-questions-answered-about-smart-cities-project-2410576.html
- ↑ "Coimbatore: turning modern, yet retaining its old charm"। The Hindu। 18 June 2011। अन्तिम पहुँच 31 January 2013।
- ↑ "Census Info 2011 Final population totals"। Office of The Registrar General and Census Commissioner, Ministry of Home Affairs, Government of India। 2013। अन्तिम पहुँच 26 January 2014।
- ↑ "Major Agglomerations" (PDF)। The Registrar General & Census Commissioner, Ministry of Home Affairs, Government of India। 2011। अन्तिम पहुँच 31 May 2015।
बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]Coimbatore वा कोयम्बटोर विकिस्नरीमे, एक मुक्त शब्दकोशमे देखी । |
विकिमिडिया कमन्समे कोयम्बटोरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- कोयम्बटोर विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी
- कोयम्बटोर नगर निगम परिषद सङ्ग्रहित २०१४-११-१९ archive.today