रायपुर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रायपुर
Raipur
स्वामी विवेकानन्द विमानस्थल, रायपुर
स्वामी विवेकानन्द विमानस्थल, रायपुर
देशभारत
राज्यछत्तिसगढ
जिलारायपुर
सरकार
 • मेयरप्रमोद दुबे
 • क्रम२२६
उन्नतांश
२९८.१५ मिटर (९७८.१८ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१६)[१]
 • महानगर१४,५६,४०६
 • क्रम४५अम
 • महानगर१५,४६,०७६
वासिन्दारायपुरिया
भाषासभ
 • आधिकारिकहिन्दी, छत्तिसगढ़ीअङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
पोस्टल कोड
४९२००१
सवारी दर्ताCG-04
वेबसाइटraipur.gov.in

रायपुर (/ˈrp[invalid input: 'oor']/ About this sound उच्चारण ) भारतीय राज्य छत्तिसगढमे अवस्थित रायपुर जिलाक एक शहर छी । ई शहर राजधानी होमएक संगे रायपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय छी । ई छत्तिसगढक सभसँ पैग शहर सेहो छी । सन् २००० नवम्बर १ मे छत्तिसगढ राज्य स्थापना होमएसँ पहिने ई मध्य प्रदेशक भाग छल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

पुरान भवन आ किलाक अवशेषमे आधारित किछ इतिहासविद्क मान्यतानुसार ई शहर ९आम शताब्दीसँ अस्तित्वमे अछि । मुदा प्राय लोकक माननाए अछि कि ई शहर १४आम शताब्दीमे बैसाएल गेल छल ।

जनसाङ्ख्यिकी[सम्पादन करी]

सन् २०११ क भारतक जनगणनाक अनुसार रायपुरक जनसङ्ख्या १०,१०,०८७ अछि । एतयक लिङ्गानुपात ९४६ महिलासभ प्रति १००० पुरुषक अछि । रायपुरक साक्षरता दर ८६.९०% अछि, पुरुषसभक साक्षरता दर २९.३९% आ महिलासभक साक्षरता दर ८१.१०% अछि ।

भूगोल आ जलवायु[सम्पादन करी]

रायपुर खारुन नदीक तटमे बैसल छत्तिसगढक सबसँ पैग शहर छी । रायपुर एक पैग मैदान (छत्तिसगढक मैदान) क मध्यमे अवस्थित अछि जे धान का कटोरा क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । रायपुरक पूर्वमे महानदी नदी बहैत अछि। उत्तर-पश्चिमममे मैकालक पहाडी अछि । उत्तरी तरफ छोटा नागपुरक पठार आ दक्षिणमे बस्तरक पठार अछि । रायपुर मुम्बई-हावडा रेल लाइनमे अवस्थित अछि आ ई सम्पूर्ण महत्वपूर्ण शहरसभसँ जुडल अछि । राष्ट्रिय राजमार्ग ६ एहो शहर भऽ गुजरैत अछि आ अन्तिममे ४३ शहरसभ भऽ विशाखापट्नमधरि जाइत अछि । रायपुर मुम्बई, दिल्ली आ अन्य शहरसभसँ हवाई मा‍र्गद्वारा जुडल अछि । रायपुरक हवाई अड्डा माना मे अछि ।

तापक्रम: गर्मीमे ४५ सँ २९ सेल्सियस जाडमे २७ सँ १० सेल्सियस वर्षा लगभग १२० मिमी (जुलाईसँ सितम्बर)

नव रायपुर[सम्पादन करी]

सन् २००० मे स्थापना भेल छत्तिसगढ राज्यक राजधानी रायपुरक प्रशासनिक केन्द्र नव रायपुर मे स्थानान्तरण करैलेल प्रस्ताव कएल गेल अछि । ई एक विश्व स्तरीय परियोजना छी जाहिमे वर्तमान रायपुरसँ २५ किमी दूर एक नव शहरक सृजन होइत । एकर लेल एक पैग क्षेत्रक भूमिक अर्जन कएल जा रहल अछि । नव रायपुरक लेल समग्रमे ८०,००० हेक्टेयर भूमि अर्जित कएल जाइत । नव रायपुरमे २२५ किमी पक्की सडक अछि । नव रायपुरक परसदा क्षेत्रमे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट स्टेडियम बनाएल केल गेल अछि ।[३]

अर्थव्यवस्था[सम्पादन करी]

रायपुर सम्पूर्ण छत्तिसगढउडिसाक लेल थोकक मन्डी छी ई वाहेक एतय एक उद्योगिक शहर अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Cities having population 1 lakh and above, Census 2011" (PDF)। The Registrar General & Census Commissioner, India। अन्तिम पहुँच 25 June 2014
  2. "Urban Agglomerations/Cities having population 1 lakh and above" (PDF)censusindia। The Registrar General & Census Commissioner, India। अन्तिम पहुँच 25 June 2014
  3. नया रायपुर विकास प्राधिकरण

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]