पराठा
Jump to navigation
Jump to search
पराठा Paratha | |
---|---|
![]() आलूक पराठा | |
अन्य नाम(सभ) | पराठा, परौठा, परावठा |
उत्पत्ति स्थान | भारत |
क्षेत्र वा राज्य | भारतीय उपमहाद्वीप |
खाय लेल उपयुक्त ताप | अचार, चटनी, सब्जी, दही अन्य |
मुख्य सामग्रीसभ | आटा, मैदा |
विभिन्नता | भरवा |
पराठा (उर्दू: پراٹھا, तमिल: பராட்டா) भारतीय रोटीक विशिष्ट रूप छी। ई उत्तर भारतमे जतेक लोकप्रिय अछि, लगभग ओहि अनुरुप दक्षिण भारतमे सेहो अछि, मुदा मूल अन्तर ई अछि, कि जतय उत्तरमे आटाक पराठा बनैत अछि, तँ दक्षिणमे मैदाक बनैत अछि। प्रतिदिन उत्तरी भारतीय उपमहाद्वीपीय नास्तामे सबसँ लोकप्रिय पकवान यदि किछ अछि तँ ओ पराठा छी।[१][२] पराठा शब्द उपरि+आवर्त शब्दसँ बनल अछि।[३] उपरि यानी उपर कऽ भाग आ आवर्त यानी चारो दिस घुमेनाए।
पराठा लगभग रोटी जका बनाएल जाइत अछि। रोटी जेना तावा पर सेकलाक बाद सीधा आंच पर फुलाएल जाइत अछि तँ पराठाकेँ मात्र तावा पर सेकल जाइत अछि। रोटी बनि गेलाक बाद ओकरा उपरसँ शुद्ध घी लगाएल जा सकैत अछि मुदा पराठाकेँ तावा पर सेकते खन घी या तेल लगाए सेकल जाइत अछि। दक्षिण भारतक केरलक पराठा प्रसिद्ध अछि। एतय एकरा प्रोट्टा कहल जाइत अछि।
चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास पराठासँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |